।। चुमाओन गीत ।।
श्याम सलौना छै , मोहक नैना छै ,
मन्द - मन्द मुख मुस्कान ।
गे बहिना पहुना क करियौन चुमान ।।
श्याम सलौना छै ...............।।
तिनु भुवन में , जोड़ा नहि हिनकर ।
बाजब की कहबौ , बोल छन्हि मिठगर ।
कौशल्या क लाला छै , चमकैत उजाला छै ,
रघुकुल चानन राम
गे बहिना पहुना क करियौन चुमान ।।
श्याम सलौना छै ...........।।
कोमल कोमल , गाल छन्हि चोटकल ।
दुधकटुआ जेना , लागै छथि रघुवर ।
दुल्हा अनाड़ी छै , तीनगो महतारी छै ,
नहि छन्हि किछुओ ग्यान
गे बहिना पहुना क करियौन चुमान ।।
श्याम सलौना छै..........।।
चुमबे जे अयली , मातु सुनैना ।
देखि मगन मन , ढबकै छन्हि नैना ।
आजु सुहावन छै , मिथिला ई पावन छै ,
बाबा कयलनि धियादान
गे बहिना पहुना क करियौन चुमान ।।
श्याम सलौना छै ...........।।
की हम कहबौ , तोरो गे सखिया ।
काजर छै लेपने , सगरो ई अँखिया ।
" माधव " लिखल गीत , गाबु भरल प्रीत ,
दुल्हा रवि कुल शान
गे बहिना पहुना क करियौन चुमान ।।
श्याम सलौना छै ..............।।
------ गीतकार दिनेश झा " माधव "
सझुआर , बेनीपुर , दरभंगा , मिथिला
8369384585
श्याम सलौना छै , मोहक नैना छै ,
मन्द - मन्द मुख मुस्कान ।
गे बहिना पहुना क करियौन चुमान ।।
श्याम सलौना छै ...............।।
तिनु भुवन में , जोड़ा नहि हिनकर ।
बाजब की कहबौ , बोल छन्हि मिठगर ।
कौशल्या क लाला छै , चमकैत उजाला छै ,
रघुकुल चानन राम
गे बहिना पहुना क करियौन चुमान ।।
श्याम सलौना छै ...........।।
कोमल कोमल , गाल छन्हि चोटकल ।
दुधकटुआ जेना , लागै छथि रघुवर ।
दुल्हा अनाड़ी छै , तीनगो महतारी छै ,
नहि छन्हि किछुओ ग्यान
गे बहिना पहुना क करियौन चुमान ।।
श्याम सलौना छै..........।।
चुमबे जे अयली , मातु सुनैना ।
देखि मगन मन , ढबकै छन्हि नैना ।
आजु सुहावन छै , मिथिला ई पावन छै ,
बाबा कयलनि धियादान
गे बहिना पहुना क करियौन चुमान ।।
श्याम सलौना छै ...........।।
की हम कहबौ , तोरो गे सखिया ।
काजर छै लेपने , सगरो ई अँखिया ।
" माधव " लिखल गीत , गाबु भरल प्रीत ,
दुल्हा रवि कुल शान
गे बहिना पहुना क करियौन चुमान ।।
श्याम सलौना छै ..............।।
------ गीतकार दिनेश झा " माधव "
सझुआर , बेनीपुर , दरभंगा , मिथिला
8369384585
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें