dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

apani bhasha me dekhe / Translate

vidyapati samarho ranchi लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
vidyapati samarho ranchi लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं

शुक्रवार, 3 अप्रैल 2015

विद्यापति स्मिर्त दिवस पहिल दिनक रूप रेखा - रांची

रांची से  सुजित झा - 

 विद्यापति स्मिर्त दिवस पहिल दिनक  रूप रेखा -
जुक कार्यक्रम के प्रथम भाग मे उदघाटन सह सम्मान समारोह संपन्न भेल।



      मुख्य अतिथि माननीय सी पी सिह(नगर विकास मंत्री) श्री राज पालिवाल(श्रम एवं प्रशिक्षण मंत्री) हटियाक बिधायक श्री नवीन जायसवाल डीआइजी श्री प्रबीण सिह जी के पाग दोपटा और स्मृति चिन्ह दय सम्मानित कैल गेलैन्ह, अपन उदगार ब्यक्त करैत श्री सी पी सिह जी पुनः दोहरेला जे मैथिली के द्वितिय राज भाषाक दर्जा यथाशिघ्र देल जायत संगे बाबा विद्यापतिक दलान के निर्माण सेहो यथाशिघ्र होइ से सुनिश्चित करी जाहि मे मंत्रीजी मदद केर घोषणा केलैन्ह। 

        कार्यक्रम केर द्वितिय चरण मे कविगोष्ठिक भब्य आयोजन भेल। श्री बुद्धिनाथ झा,श्री गंगेश गूँजन, श्री कमला कान्त झा,श्री जनक चौधरी, श्री मणिकान्त भाइ, श्री सियाराम झा 'सरस', श्रीमति नंदिता पाठक, राज कुमार मिश्र, श्री कृष्ण मोहन झा, अपन काव्य पाठ स मन अह्लादित कय देलैन्ह।


           कार्यक्रम केर तृतिय चरण मे केवल विद्यापतिक गीत गाओल गेल  ,  कार्यक्रम अपन  रंग -मंच सं  सजल  रहल और  दर्शक सब आनंदित होयत  रहला  ,  जतैक कलाकार आयल छथि सब दू - 2  टा क बाबा विद्यापतिक गीत गाबी दर्शक  के  उत्साह  मनोबल आ मैथिली प्रति  आकर्षित  केला  । गीत संगीत केर आगाज भाइ श्री कँज बिहारी मिश्र केलैन्ह तदुपरान्त श्री सुरेन्द्र यादव, श्रीमति रंजना झा, श्री नंद जी, श्री राम बाबू झा, श्रीमति कुमकुम मिश्र, रंगिली भौजी "श्री मति अंजू झा" और भाइ माधव राय बाबा विद्यापतिक गीत गौलन्हि। भाइ रामसेवक ठाकुर केर चूटिला उदघोषणाक त बाते जूनि पूछू।  जकर वर्णन  केनाइ हमरलग  शब्द  नै  अच्छी  , जय मैथिल - जय मिथिला