dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

apani bhasha me dekhe / Translate

Dharmendra Kumar Jha लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
Dharmendra Kumar Jha लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं

सोमवार, 13 जुलाई 2015

मैथिली सम्मेलनक बैठक संपन्न भेल - मुम्बई


Dharmendra Kumar Jh 
मुम्बई ---


  दिनांक १२.०७.२०१५ के रवि दिन मुंबई स्थित नालासोपारा में दिसम्बर में होमय वाला अंतर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलनक केर बैठक संपन्न भेल और कमल जी, धनंजय झा जी केर देखरेख में ई महान मैथिल सम्मलेन होयत, निर्णय अनुसार शायद ई एखन धरि भेल तमाम सम्मलेन स बेहतर हओयत। तुरंत एही मीटिंग के बाद हमर सभक दहेज़ मुक्त मिथिला द्वारा कार्यक्रम भेल जाहि में दहेज  मुक्त  मिथिलाक  संरक्षक पंडित धर्मानंद झा (PT Dharmanand Jha) जी अपन वचन पूर्ति करैत अपन पुत्र के विवाह दहेज़ मुक्त ठीक कैलथि से शुभ समाचार सब आगंतुक लोकनि के सुनेला। हुनकर उठाओल कदम समाज में एक टा उदहारण अइछ और प्रेरणादाईक ,  सेहो लोक के एही स सिखबाक जरुरत अइछ। और सब स नव गप हमरा सब दहेज़ मुक्त मिथिला महाराष्ट्र इकाई के तरफ स जल्दिए दहेज़ पर आधारित एक टा नाट्य मंचन करब मुंबई (विरार) में जाहि में मैथिली फिल्म आ नाटक स जुरल कलाकार सब अपन प्रस्तुति स दहेज़ रूपी दानव के सफाया करय में दहेज़ मुक्त मिथिला के संग देता एही नाट्य मंचन में दहेज  मुक्त  मिथिला अभियानी भाई धनंजय झा() जी, भाई राम नरेश शर्मा(R Naresh Sharma) जी, और महाराष्ट्र सचिव भाई राजेश राय (Rajesh Rai) जी के विशेष् सहयोग छैन्ह। 

   बैसार / मीटिंग में उपस्थित संरक्षक महोदय पंडित धर्मानंद झा जी, राष्ट्रीय अध्यक्ष श्री पंकज झा (Pankaj Jha )जी, प्रोफ के के झा जी , श्री एस सी मिश्र जी , पंडित पी के मिश्र जी, बिनीत चौधरी जी, पत्रकार के के झा जी, एवं अन्य बहुत रास दहेज़ मुक्त मिथिलाक अभियानी सब गोटे अपन बात राखला। मीटिंग में फिल्म स जुरल लोक सब सेहो उपस्थित छलाह जाहि में (सस्ता जिनगी फेम गजराज जी) भाई राजीव जी, राहुल सिन्हा (Rahul Sinha)जी, रेनू जी, पुन्नू जी, एवं और बहुत रास कलाकार सब उपस्थित छलाह। ई पहिल नाट्य मंचन जल्दी मुंबई (विरार) में होयत और खास क मुंबई में रहनिहार मैथिल स नम्रा निवेदन जे जहा कही मैथिली नाट्य मंचन होय सपरिवार जा क देखू आ सीखू। 


जय मिथिला जय 
दहेज़ मुक्त मिथिला परिवार 


गुरुवार, 23 जनवरी 2014

मिरनिसे के जन्म एक महत्वपूर्ण विषय

          सब स पहिने दिल्ली कार्यक्रम के ले तमाम मिरानीसे सेनानी के हार्दिक शुभकामना, मिथिला राज्य के लेल प्रयास जाहि स्तर पर मिरानीसे द्वारा सम्भव अछि शायद कोनो दोसर मंच सा सम्भव नहीं अछि, पिछला एक दू साल में जे कोनो कार्यक्रम, जन जागरण और धरना प्रदर्शन वा नेतागण नेतागण संग भेट वार्ता काबिलेतारीफ छल।


      आई मिथिला नहीं सम्पूर्ण देश और विदेशो में भी अलग मिथिला राज्य के मांग (मिरानीसे) द्वारा जे उठाओल जा रहल अछि से चर्चित अछि, संगहि एक टा बात (जे गंभीर अछि) जन समर्थन, और एक आवाज पर इकठ्ठा भेनाई महत्वपूर्ण अछि (उदाहरण : - जाई जगह जगह पर अपन मिरनिसे कार्यकर्ता प्रदर्शन करबाक लेल इकठ्ठा भेल डेल्ही पुलिस द्वारा हटा देल गेल और देश के सब स महत्वपूर्ण जगह पर १४४ के बाबजूद दिल्ली c. m द्वारा अपन समर्थक संग दू दिन तक भांगरा के कार्यक्रम भेल से पूरा देश देखलक और संगहि पुलिस और तमाम केंद्र सरकार के मंत्रीगण सेहो सहभागी भेल, कारण - धरना कोनो पार्टी प्रायोजित छल ताई लेल केंद्र सरकार सेहो अपन वोट के खातिर उपयुक्त कार्यवाई करय में हमेशा बचय के कोशिश कयलक) मतलब साफ अछि जे अगर धरना प्रदर्शन राजनीतिक होयत त सरकारो गम्भीरता स एक्शन लई छै ओना अगर कोनो आम धरना होयत ता याद आबैत अछि (बाबा रामदेव के रामलीला). अलग मिथिला राज्यक मांग शायद ही कोनो पार्टी एखुनका परिदृश्य में पूर्ण रूपेण समर्थन करत।
            भाजपा सांसद कीर्ति झा जी द्वारा समर्थन स्वागत योग्य अछि, 

एक टा सुझाव/निवेदन/जनाकांक्षा … जे किया नै मिरनिसे के एक राजनीतिक रूप देल जाय लगभग सब पदाधिकारी (मिरानीसे के) एक जन प्रतिनीधि के हिसाब सा कार्यरत छि और संगहि राजनीतिक परिवेश स छि ज्यादा तकलीफ नहि होयबाक चाही कारन राजनीतिक पार्टी के अपन एजेंडा होयबाक चाही जे मिरनिसे के जन्म एक महत्वपूर्ण विषय के पूरा करबाक लेल भेल अछि (अलग मिथिला राज्य) ई प्रमुख मुद्दा होयबाक चाही जन समर्थन जरूर जरूर भेटत। जमीनी स्तर पर हर मैथिल के अई संग्राम में सहभागिता लेल उत्साहित करबाक जरुरत अछि संगहि मिथिलांचल के हरेक गाव और शहर में सदस्यता अभियान चलेबाक जरुरत अछि.
         

           ओना बिना राजनीतिक भेने सेहो सफलता भेटइ छै मुदा शनैः शनैः (एक बात और अगर झारखण्ड, विदर्भ, तेलंगाना, पूर्वांचल या और कोनो राज्यक मांग गैर राजनीतिक होईत त शायद अहि पर कार्यवाई सम्भव नहीं छल, झारखण्ड, तेलंगाना बनी गेल शीघ्रहि विदर्भ और उ.प में सेहो छोट - छोट राज्य बनी जायत कियाक ता हर पार्टी अपन नफा नुकसान देखति कार्यवाई करैत अछि से त आहाँ सभ लोकनि ज्यादा समझदार/जानकार छी). 

अंत में - उपरोक्त विचार किछु ग्रामीण जनमानस और हमर अपन अछि हमर विचार स अगर किनको तकलीफ या ठेस पहुँचनि त हैम क्षमाप्रार्थी छी। —