विद्यापति गौरव मंच युवा कार्य कर्ता के तत्वाधान में सम्पन्य भेल सरस्वति पूजा एक नजर देखल जाओ
सोमवार, 22 जनवरी 2018
शनिवार, 6 जनवरी 2018
बीस गो रुपैया ,सुइद बयाजक संग
मंगलवार, 19 दिसंबर 2017
जे छल सपना - रेवती रमन झा " रमण "
|| जे छल सपना ||
सुन - सुन उगना ,
कंठ सुखल मोर जलक बिना |
सुन - सुन उगना ||
कंठ सुखल -----
नञि अच्छी घर कतौ !
नञि अंगना
नञि अछि पोखैर कतौ
नञि झरना |
सुन - सुन उगना ||
कंठ सुखल -----
अतबे सुनैत जे
चलल उगना
झट दय जटा सँ
लेलक झरना |
सुन - सुन उगना ||
कंठ सुखल -----
निर्मल सुरसरि के
केलनि वर्णा |
कह - कह कतय सँ
लय लें उगना ||
सुन - सुन उगना ||
कंठ सुखल --
अतबे सुनैत फँसी गेल उगना
"रमण " दिगम्बर जे
त्रिभुवनमा -
सुन - सुन उगना ||
कंठ सुखल -----
गुरुवार, 14 दिसंबर 2017
हमहू पढ़बै (बाल कविता)
😊हमहू पढ़बै (बाल कविता)
हमहू पढ़बै
जानू ने
पाटी कीनि के
आनू ने
पैसा नै अइछ
कानू नै
हमहुँ पढ़बै
जानू ने।
सब बच्चा
गेलै स्कूल
ई सभ ते
पुरना छै "रूल"।
हमहुँ पढ़बै
आगू बढ़बै
बाबू आब नै
करबै भूल।
गरमीक
मौसम छै बाबू
छाता कीनि के
आनू ने
हमहुँ पढ़बै
जानू ने।
खेल खेल में
पढ़बै बाबू
छुट्टी में हम
खेलवै बाबू
अहाँक कोरा
कान्हा चढ़ि के
मेला देख'
चलबै बाबू।
रंग -बिरंगक
फुकना किनबै
हमर बात
अकानू ने
हमहुँ पढ़बै
जानू ने।
✍
✍
स्वाती शाकम्भरी
सहरसा
बुधवार, 13 दिसंबर 2017
श्रधेय राजकमल के प्रति काव्यांजलि
|| श्रधेय राजकमल के प्रति काव्यांजलि ||
धरती सँ
मुक्त आकाश धरि
अहाँक साहित्यिक उच्चता
समुद्र सन
तकर गंभीरता
जीवन सन सत्यता
मृत्यु सन यथार्थता
अहाँक साहित्यिक
इएह मूलभूत
उत्स थीक
अहाँक शब्द में
विशाल भावक
परिकल्पना
इएह तें
दर्शन थीक।
छान्हि नै
बान्हि नै
प्रवहमान भाव अछि
छाँटल नै
काढल नै
परम्पराक साँच पर
गढल नै
थाहि थाहि
चढल नै।
जिनक सहजहिं
स्वभाव अछि
दल दल मे
जे नै धँसल
सएह भेलखिन
राजकमल।
✍
✍
स्वाती शाकम्भरी
(Swati Shakambhari)
सहरसा।
धरती सँ
मुक्त आकाश धरि
अहाँक साहित्यिक उच्चता
समुद्र सन
तकर गंभीरता
जीवन सन सत्यता
मृत्यु सन यथार्थता
अहाँक साहित्यिक
इएह मूलभूत
उत्स थीक
अहाँक शब्द में
विशाल भावक
परिकल्पना
इएह तें
दर्शन थीक।
छान्हि नै
बान्हि नै
प्रवहमान भाव अछि
छाँटल नै
काढल नै
परम्पराक साँच पर
गढल नै
थाहि थाहि
चढल नै।
जिनक सहजहिं
स्वभाव अछि
दल दल मे
जे नै धँसल
सएह भेलखिन
राजकमल।
✍
स्वाती शाकम्भरी
(Swati Shakambhari)
सहरसा।
सदस्यता लें
संदेश (Atom)


