dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

apani bhasha me dekhe / Translate

सोमवार, 25 अप्रैल 2016

मिथिला के समस्या से निदान कोना होयब ताहि पर चर्चा ( देल्ही एन सी आर )

 २४.०४.२०१  अन्तरराष्ट्रीय मैथिली परिषद तथा मिथिला राज्य संघर्ष समिति केर राष्ट्रीय अध्यक्ष शैलेन्द्र मिश्रा जी के अध्यक्षता में आ बिधान पार्षद श्री संजय झा के अगुवाई में  सेक्टर ८२ पैकेट ७ के अंतर्गत  शिव मंदिर के प्रांगण  में  बैसार  आयोजन  सम्पन्य भेल , जहि में मिथिला - मैथिलि सम्बंधित जतेक भी  देल्ही  एन सी आर में  रजिस्टर्ड  संस्था  या एंजियो  अच्छी  सब के एक जुट होयक लेल बिचार - विमर्श  भेल , 

    मिथिला  के समस्या / समाधान के नजैर धयान रखैत -  विभिन  मुदा के  चर्चा भेल , जहि में संजय झा  जी द्वार  मिथिलाक समस्या के बारे में  विशेष  रुप जानकारी  भेल  , चाहे ओ  मिथिला के यता- यात  रेल समस्या हो , मिथिला से १००० कोस दूर  अपन पेट खातिर  पलायन  हो , या शिक्षा के क्षति पुरती  हेतु कोनो   और सहर हो , मिथिला के  कल्चरल / संस्कृति  के समस्या हो , अही सब समस्या के  ध्यान में राखैत  मैथिल जन  सन  निबेदन और आग्रह केला  सब गोटे  एक जुट  होय, 

देल्ही   एनसीआर  से  लगभग  एक सौ से अधिक संस्थ से जुरल  संस्था गत अभियानि उपस्थित दर्ज करेला  ,  बैसार में श्री संजय झा जी के मिथिला गौरव से सब संस्था के पदाधिकारी दुआरा सम्मानित केल गेल एवं सब संस्था एवं सब मैथिल एक जगह आबैक लेल तैयार छैथ एक बात मुख़्य रूप सेहो उठाओल गेल जे नॉएडा में हमर जन संखया अधिकाधिक अछि तै आगामी उतर प्रदेश विधान सभा चुनाब में मिथिलाक  उम्मीदबार  होयथ  एवं सब संस्था एवं सब मैथिल एक जगह आबैक लेल तैयार  होयत   , 


   एहि  विचार - विमर्श  गोष्ठी   में मिथिला - मैथिलि से जुरल  संस्था के पदाधिकारी -:  शैलेन्द्र मिश्र , श्री संजय झा जी , डॉ सतीश झा , दीपक झा,राजकुमार जी, मदन जी ,शतीशचंद्र जी, जितेंदर पाठक जी ,रोहित यादव, रंजीत लाल दास ,बीरबल यादव , प्रसून झा ,  मोहन राज ,  श्याम नन्द झा , विजय कुमार झा , अजय श्री वास्तव , दीपक तिवारी , मदन कुमार ठाकुर,  संतोष जी , नारायण झा ,धनि राम , बलराम मिश्र ,प्रदीप ठाकुर ,मणिभूषण झा ,वीरेंदर, अमर नाथ झा  , प्रेम चन्दझा ,आशा यादव,  अनुराधा झा, दीपेन्द्र सिंह, अहमद अली, घूरन मंडल, रामभरोस पासवान, बेचन राय, सुबोध यादव तथा बदरूज्जमां अंसारी  इतियादी  लगभग २०० के आस पास मिथिला  वासी  उपस्थित भेलाह , 

शनिवार, 26 मार्च 2016

मिथिला राज्य निर्माणक लेल 26-27 मार्च 2016 दिल्लीक जंतर-मंतर पर २ दिनक उपवास

मिथिला राज्य निर्माणक लेल 26-27 मार्च 2016 दिल्लीक जंतर-मंतर पर 
२ दिनक उपवास .... 


  मिथिलाक ऐतिहासिकताक संग भेल अन्याय के प्रतिकार अछि मिथिला राज्य निर्माणक मांग...   

  छः करोड़ मिथिलावासीक सम्माऩ अछि अप्पन मिथिलाक पुनरोत्थान... गरीबी, बेकारी - बेरोजगारी, उद्योगविहीनता, बाढि-रौदी व सरकारी उदासीनताक समाधान अछि पृथक मिथिलाक स्थापना... जातिवादिताक मकड़जाल मे फसाओल गेल मिथिला समाजक एकसूत्रताक ऐलान अछि विश्वप्रसिद्ध मिथिलाक पुनर्गठन ।

अपने समस्त मिथिलावासीक
उपस्थितिक आकांक्षी .......
उपवासकर्त्ता :- मनोज झा ,
मिथिला राज्य आंदोलनकारी
8750605079

बुधवार, 16 मार्च 2016

अन्तरराष्ट्रीय मैथिली परिषद तथा मिथिला राज्य संघर्ष मांग केलनि -मधुबनी आ झंझारपुर मे केन्द्रिय विद्यालय

मंगल वार १५/०३/२०१६  के भाजपा केन्द्रिय कार्यालय मे अन्तरराष्ट्रीय मैथिली परिषद तथा मिथिला राज्य संघर्ष समितिक एकटा प्रतिनिधिमंडल मानव संसाधन विकास मंत्री श्रीमती स्मृति ईरानीजी सँ भेंट क के मिथिलाक मधुबनी आ झंझारपुर मे केन्द्रिय विद्यालय अतिशीघ्र खोलबाक मांग केलनि संगहि कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय के केन्द्रिय विश्वविद्यालय के मान्यता देबाक सेहो मांग कयल गेल।
 उपरोक्त दुनू मांगपर संज्ञान लैत माननीया मंत्रीजी कहलनि जे जँ बिहार सरकार एहि दुनू मांग पर विचार करैत अनुशंसा करत त केनद्र सरकार अतिशीघ्र एहि दुनू मांग के निश्चित पूरा करत। चूँकि ई मामला राज्य सरकारक अनुशंसापर निर्भर करैत अछि अस्तु राज्य सरकारक अनुशंसा आवश्यक अछि। आब हमर संस्था पटनामे राज्य सरकारपर एहि लेल दबाव बनायत आ एहिलेल एकटा शिष्टमंडल शीघ्रहि पटना जायत। प्रतिनिधिमंडलमे राष्ट्रीय अध्यक्ष शैलेन्द्र मिश्रा, उपाध्यक्ष डॉ सतीशचन्द्र झा, महासचिव प्रेमचन्द्र झा आ सचिव अनिल कुमार झा छला। जय मिथिला जय मैथिली।

शुक्रवार, 26 फ़रवरी 2016

सुश्री भारती स निवेदन केलनि- अन्तरराष्ट्रीय मैथिली परिषद तथा मिथिला राज्य संघर्ष समिति के राष्ट्रीय अध्यक्ष शैलेन्द्र मिश्रा

अन्तरराष्ट्रीय मैथिली परिषद तथा मिथिला राज्य संघर्ष समिति के राष्ट्रीय अध्यक्ष शैलेन्द्र मिश्रा के नेतृत्व मे बुध के भाजपा केन्द्रिय कार्यालयमे केन्द्रिय जल संसाधन तथा गंगा पुनरुद्धार मंत्री सुश्री उमा भारतीसँ भेंट केज्ञापन देल गेल। मिथिला सहित पूरा बिहारमे कोशी कमला नदीक विभीषिकासँ किसानक बर्बादी दिस ध्यान आकृष्ट करेलनि एकर समाधान अतिशीघ्र करेबाक अनुरोध केलनि संगहि मिथिलाक सभ जिला के सूखाग्रस्त क्षेत्र घोषित करबाक मांग केलनि। एकर अलावा कोशी प्रोजेक्ट के चालू करेबाक सेहो निवेदन केलनि।
सुश्री भारती उपरोक्त सभ मांगपर अतिशीघ्र कारवाइ करबाक आश्वासन देलनि।अन्तरराष्ट्रीय मैथिली परिषद तथा मिथिला राज्य संघर्ष समिति के अध्यक्ष शैलेन्द्र मिश्रा, उपाध्यक्ष डॉ सतीशचन्द्र झा महासचिव प्रेमचन्द्र झा सचिव विजय कुमार झा छला जय मिथिला जय मैथिली।
noida 

शनिवार, 20 फ़रवरी 2016

bande mataram


जरूर शेयर करे मित्रो।।ज़ी न्यूज़ और ज़ी न्यूज़ के देशभक्त पत्रकारो को नमन।सुधीर जी बिना नाम लिए देशद्रोहियो की हमदर्द पत्रकार बरखा दत्त और राजदीप सरदेसाई की पोल खोलते हुए।।

Posted by Rohit Sardana and Sudhir Chaudhary Fan Club on Friday, 19 February 2016