।। मिथिला वर्णन ।।
जहिया सँ हम एलौं मीता, छोड़ि के अपन गाम यौ ।
रहि-रहि कअ मोन पड़ैय, पावन मिथिला धाम यौ ।।
जहिया सँ हम एलौं...................।।
जेहि धरती पर बीतल बचपन, छै वो स्वर्ग समान यौ।
दुलकि-दुलकि के मारी ठेहुनिया,मायक मुख मुस्कान यौ।
धूल धूसरित तन कोरा लए,बाबा चुमैत मुँह कान यौ ।।
रहि-रहि कअ मोन पड़ैय,पावन मिथिला धाम यौ ।
जहिया सँ हम एलौं.................।।
छुटल बाग बगैचा सँगमें , कलकतिया मालदह आम यौ।
मिठगर-मिठगर जामुन महुआ, सोहरल गाछ लताम यौ ।
अखरा नून सँग टिकुला मीता, बैस बाग मचान यौ ।।
रहि रहि कअ मोन पड़ैय, पावन मिथिला धाम यौ ।
जहिया सँ हम एलौं मीता............।।
लुक्का छिप्पी चोरा नूक्की , खेलै छलियै खेल यौ ।
मचै हुड़दंग मितक सँग , अापस में छल मेल यौ ।
बूढबा बाबा छड़ी घुमाबैथ, दौड़ी सगरो दलान यौ ।

जहिया सँ हम एलौं मीता.............।।
घर-घर ललना पहिर के गहना , गाबै हिलमिल गान यौ।
सोहर , झुमर, लगनी, झरनी , बटगवनी केर तान यौ ।
मधुरी बोली चानन टीका, " माधव" मुख में पान यौ ।
रहि रहि कअ मोन पड़ैय, पावन मिथिला धाम यौ ।।
जहिया सँ हम एलौं मीता............।।
-
------दिनेश कुमार झा " माधव "
सझुआर,बेनीपुर,दरभंगा ,मिथिला .
8369384585

कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें