dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

AAP SABHI DESH WASHIYO KO SWATANTRAT DIWAS KI HARDIK SHUBH KAMNAE

सोमवार, 25 अक्तूबर 2021

हमर पट्टीटोल गाम

 हमर पट्टीटोल  गाम  -  HAMAR PATITOL GAAM


हमर पट्टीटोल गाम  यो , 

हमरो  अच्छी  अभिमान यो ---२ 
बरका - बरका लोक जतय  अच्छी -२ 
नेता और विद्वान यो  --- 
हमर पट्टीटोल  -  हमरो  अच्छी  -२  

 डॉक्टर -इंजिनयर  C  A  डिग्री ,
धने रहल   पर देश  यो  - २ 
गोनू  भैया  नाम कमेलथि  , 
बैस के   अप्पन दलान यो  --२  
हमर पट्टीटोल --   हमरो  अच्छी  -२   

लुल्हा - नगरा  , बोका  अन्हरा -
ओकरो  अच्छी  गुमान यो  -- २ 
लेटर  काका के बात की कहु  --२ 
गामक छैथि   ई  शान यो -
हमर पट्टीटोल --  -  हमरो  अच्छी  -२  

अनन्त  भगवन क ज्योतिष चर्चा  ,
शिव नंदन  गुणगान  यो -२ 
लालू ठाकुरक टाका के  चर्चा , 
मुसाय  बाबा ,  गामे - गामे  -दलान  यो 
हमर पट्टीटोल --  -  हमरो  अच्छी  -२  

नेता - मुखिया , पंच - समिती ,
सब भीख मंगाय  दलान  यो  --२ 
वृद्धा - पेंशन , इंद्रा आवास  ले 
मदन भेला  बदनाम यो   ----
हमर पट्टीटोल --  -  हमरो  अच्छी  -२ 

छपन   शक्ति पीठक  भ्रमण  ,
51  वर्ष  शिव धाम यो  - २  
बारह  ज्योतिर लिंगक  दर्शन ,
अठारहो  पुराण  एक ठाम  यो -२ 
जिनक नगेंदर नाम यो -  -  हमरो  अच्छी  -२  

रोग - ब्याधि  से  सब के निपटाबैत  ,
दूर - दूर आन  गाम यो  -२ 
M B B S  सब घबराबैथी  ,
सुनी प्रभुजी  नाम यो  ---२ 
हमर पट्टीटोल --  -  हमरो  अच्छी  -२  

रंग - विरंगी  ऑडियो - विडियो , 
भक्ति- भजन   गुणगान  यो  -२ 
घरे - घरे  गीत  बजैया -२ 
एम् - एम्   पी  के ,  मधुर  तान यो 
हमर पट्टीटोल --   हमरो  अच्छी  -२ 

बाबा  भैरव के नगरी  कहबैत  
कमरथुवा  के मुख नाम यो   -२ 
दक्षिण  कोन  में  बाबा  विराजैथी -२ 
माँ दुर्गा  बिच  ठाम  यो 
हमर पट्टीटोल --   हमरो  अच्छी  -२ 

 मदन कुमार ठाकुर 
पट्टीटोल , भैरव स्थान 
झंझारपुर , मधुबनी , मिथिला ,
बिहार -847404 
मो -9312460150