dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

apani bhasha me dekhe / Translate

मनीष झा बौआभाइ लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
मनीष झा बौआभाइ लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं

शुक्रवार, 25 मई 2018

किसलय कृष्ण निर्देशित मैथिली लघु फिल्म 'इतिहास (द प्राइड ऑफ मिथिला)' केर स्क्रीनिंग शो दीनदयाल उपाध्याय मार्ग,दिल्ली स्थित राजेन्द्र भवन मे संपन्न

मन टेलीमीडिया प्रस्तुत वीर लोरिकक कथांश पर आधारित अनिल मिश्रा, जानबी झा, मुन्ना चमन,अतुल आदि अभिनीत आ किसलय कृष्ण निर्देशित मैथिली लघु फिल्म 'इतिहास (द प्राइड ऑफ मिथिला)' केर स्क्रीनिंग शो दीनदयाल उपाध्याय मार्ग,दिल्ली स्थित राजेन्द्र भवन मे संपन्न भेल। 
        समारोहक प्रारम्भ गोसाओनिक गीत जय-जय भैरवि सँ भेल आ तदुपरान्त अतिथि लोकनिकेँ स्मृति चिन्हक रूपमे इतिहासक प्रिंटेड कप दय सम्मानित कएल गेल।  स्वागत भाषण इतिहास फिल्मक अभिनेत्री जानबी झा द्वारा कएल गेल। फिल्मक निर्देशक किसलय कृष्ण एहि फिल्मक निर्देशकीय अनुभव विस्तृत रूपमे साझा केलनि।  
           मुख्य अतिथि डॉ. शेफालिका वर्मा, विशिष्ट अतिथि नीरज पाठक (उपाध्यक्ष मैथिली-भोजपुरी अकादमी), उद्घाटनकर्ता विनोद कुमार झा आ सत्रक अध्यक्षता वरिष्ठ अभिनेता शुभ नारायण झा केर संगहि दिल्ली एनसीआर मे मिथिला-मैथिली सेवार्थ सदैव तत्पर शरत झा, तपन झा, हेमंत झा,संजीव सिन्हा, रामबाबू सिंह,कुमकुम झा,अरुणाभ सौरभ,केशव झा,आदित्य भूषण मिश्र, बसन्त झा वत्स,राजीव झा, गिरिधारी मिश्र,विनोद झा, प्रभंजन झा,इंदिरा दास,अजय झा, विनय ठाकुर आदि लोकनिक उपस्थिति मे २८ मिनटक फ़िल्म प्रदर्शनक उपरान्त परिचर्चाक क्रममे किछु त्वरित आ महत्त्वपूर्ण प्रतिक्रिया सेहो भेटल।  
        वक्ता लोकनि नीक-बेजाए कएक टा पक्ष पर अपन-अपन दृष्टिकोण रखलनि। जानबी झा आ अतुल दू गोट कलाकार शूटिंग मे भेल अपन अनुभव सेहो साझा केलनि। सञ्चालनक जिम्मा मनीष झा बौआभाइ केँ देल गेल छल आ अंत मे शुभनारायण झाक अध्यक्षीय वक्तव्य उपरान्त फ़िल्म निर्देशक आ एहि समारोहक आयोजक किसलय कृष्ण द्वारा धन्यवाद ज्ञापित कएल गेल। ए. के. दास आ रामबाबू सिंह मधेपुरक संयोजनमे आयोजित समारोह सफलतापूर्वक संपन्न भेल।
जय मैथिल - जय मिथिला 
बौआभाइ 

गुरुवार, 8 मार्च 2018

स्त्री दिवसक कामना

  स्त्री दिवसक  कामना 



































मनीष झा बौआभाइ


बहिन!
तोहर भाग्योदय
कोनो मनुक्खक हाथ नहि
तोरा अपनहि हाथक रेघा मे दकचल छह
नहि खटबह त' पेट कोना भरतह
माँटि कोड़ि खेबह सेहो सामर्थ्य कहाँ देने छथुन भगवान
जकरा तोरा आउर पँचबर्खा विधाता बुझलह
से फेर सँ किछु फुसिये गछि गेलह
जे गछैत रहल छह तोहर सासु-ससुर आ स्वामी केँ
तोरो चाउर-गहूम आ मटिया तेल सँ बेसी बेगरते कोन छह
अपन मजूरीक जोगाएल रुपैया सँ
दुर्गापूजा आ ईद मे नबका लत्ता पहिरबाक सौख सेहो पूर भइए' जाइत हेतह
तोहर मजूरी करब आब नहि अखरैत अछि
आ ने हृदय द्रवित होइत अछि तोहर माँथ पर चेकल पजेबा उघाइत देखि
बोल-भरोस देनिहार सेहो बेसी तेहने भेटतह
जे अपनहि अखादारुण पेट भरबा लै ततेक अपसियांत रहैछ
जे बिर्त रहैत छह तोहर घेंट कटबा लै,पेट कटबा लै
अभिमान होइत अछि तोहर ओहि स्त्रीत्व पर
जे गिद्ध सँ मासु नोचेबाक दोकान सँ अनभिज्ञ
स्वाभिमानक पसेना सँ सानल
बालु-गिट्टी-सीमेंट मिश्रित मसल्ला केँ तगाड़ नेने
महलक-महल चढ़ि जाइछ ओएह सीढ़ी
जे सीढ़ी कहियो अगिलग्गीक समय प्रयोग हेतैक
अन्यथा लिफ्ट महत्त्वहीन भ' जेतैक
सभ किछु सामान्य रहलाक बादो
एक बेर मोन फेर सशंकित भ' जाइत अछि,
कोरामे स्तनपान करैत तोहर बुचिया
इसकूलक मूँह देखतै आ कि
तोरे सन सासु-ससुर-स्वामी आ गिरहतक हाथे..