dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

AAP SABHI DESH WASHIYO KO SWATANTRAT DIWAS KI HARDIK SHUBH KAMNAE

सोमवार, 23 मई 2016

आम का आम और गुठली के दाम , से किया आउ देखु


आर्युर्वैदिक मतानुसार आम के पंचांग (पाँच अंग) काज अबैत अछि। एही वृक्षक अंतर्छाल केर क्वाथ प्रदर, खूनी बवासीर आ फेफड़ा वा आँत सँ रक्तस्राव भेला पर देल जाइछ। खाल, जैड़ आ पातक कसैल, मलरोधक, वात, पित्त आ कफ के नाश करय वाला होइत छैक। पात बिच्छू के कटला पर आ एकर धुआँ कंठ केर किछु व्याधि आ हिचकी में लाभदायक होइछ। आमक बौर शीतल, वातकारक, मलरोधक, अग्निदीपक, रुचिवर्धक आ कफ, पित्त, प्रमेह, प्रदर आ अतिसार कें नष्ट करय वाला होइछ। काँच आम कसैला, खट्टा, वात पित्त के उत्पन्न करयवाला, आँतक सिकुडब्, कंठक व्याधि के दूर करय वाला आ अतिसार, मूत्रव्याधि और योनिरोग में लाभदायक बताओल गेल अछि। ‪#‎पाकल‬ फल मधुर, स्निग्ध, वीर्यवर्धक, वातनाशक, शीतल, प्रमेहनाशक आ रुधिर के रोग सब के दूर करयवाला होईत अछि। ई श्वास, अम्लपित्त, यकृतवृद्धि आ क्षय में सेहो लाभदायक होइछ।
      आधुनिक अनुसंधानक अनुसार आम के फल में विटामिन ए आ सी पाओल जाइछ। अनेक वैद्य केवल आम के रस आ दूध पर रोगी के राखि क्षय, संग्रहणी, श्वास, रक्तविकार, दुर्बलता सन रोगक निवारण में सफलता प्राप्त कयलनि अछि। फलक खोईंचा गर्भाशय के रक्तस्राव, रक्तमय कारी दस्त में तथा मुँह सँ बलगम के संग रक्त जेबा में उपयोगी होइत छैक। आँठी के गरी केर चूर्ण श्वास, अतिसार आ प्रदर में लाभदायक हेबाक अलावा कृमिनाशक सेहो होइत अछि।
पाकल आम बहुत स्वास्थ्यवर्धक, पोषक, शक्तिवर्धक आ चरबी बढ़बै वाला होईत अछि। आमक मुख्य घटक शर्करा छै, जे विभिन्न फल सब में में ११ सँ २० प्रतिशत तक विद्यमान रहैत छैक। शर्करा में मुख्यतया इक्षु शर्करा होइत अछि, जे कि आम के खेबाक योग्य हिस्सा के ६.७८ सँ १६.९९ प्रतिशत छै। ग्लूकोज़ वा अन्य शर्करा १.५३ से ६.१४ प्रतिशत तक रहैत छै। अम्ल में टार्टरिक अम्ल वा मेलिक अम्ल पाओल जाइछ, एकरा संगहि संग साइट्रिक अम्ल सेहो अल्प मात्रा में पाओल जाइछ।

       आम के अन्य घटकएहि प्रकार अछि - प्रोटीन ९.६, वसा ०.१, खनिज पदार्थ ०.३ रेशा, १.१ फॉसफोरस ०.०२ आ लौह पदार्थ ०.३ प्रतिशत। नमी के मात्रा ८६ प्रतिशत होइछ। आमक औसत ऊर्जा मूल्य प्रति १०० ग्राम में लगभग ५० कैलोरी रहैत छैक।

संकलन आ अनुवाद :  Niraj Mishra Munnu

गुरुवार, 19 मई 2016

सकरी ,लोहट एवं रैयाम चीनी मील जे बंद अइछ ओकरा जीर्णोद्धार करैक लेल मंत्री जी के देल आबेदन पत्र

Shailendra Mishra

लोहट एवं रैयाम चीनी मील जे बंद अइछ ओकरा जीर्णोद्धार  करैक लेल  मंत्री जी के देल आबेदन  पत्र 

 -दिनक  १७.०५.२०१६ के अन्तरराष्ट्रीय मैथिली परिषद सह मिथिला राज्य संघर्ष समिति केर राष्ट्रीय अध्यक्ष शैलेन्द्र मिश्रा तथा माननीय कृषि मंत्री(Mos ) श्री मोहन भाई कल्लियान जी भाई कुंदरिया जी के साथ भाजपा केन्द्रिय कार्यालयमे काफी देर तक आमने सामने  वैसार  सम्पन्य  भेल जहि में  मिथिला क्षेत्रमे वर्षों सँ बन्द परल चीनी मिल सकरी, लोहट एवं रैयाम चीनी मील जे बंद अइछ ओकरा तुरंत चालू करबै  के लेल कहल गेल संगे ज्ञापन देल गइल मिथिला में बंद चीनी मील स कृषि उद्योग एवं बेरोजगारी, बुखमरी, पलायन के रोकेय  के लेल मंत्री जी के ध्यान आकृष्ट करेलनि आ एकर समाधान अतिशीघ्र करेबाक अनुरोध केलनि , 

     सबके अतिशीघ्र चालू करेबाक मांग पर सरकार अतिशीघ्र राज्य सरकारपर दबाव बनायत। एवं नया मिल के स्थापना करैक आश्वासन देलनि। एवं मिथिलाक सभ जिला के सूखाग्रस्त क्षेत्र घोषित करबाक मांग केलनि।जाहि में अररि‍या, बांका, बेगुसराय, भागलपुर, दरभंगा, पूर्वी चम्पारण, जमुई, कटिहार, खगड़ि‍या, किशनगंज, लखीसराय, मधेपुरा, मधुबनी, मुंगेर, मुज्जफरपुर, पुर्णि‍या, सहरसा, समस्तीपुर, शेखपुरा, शि‍वहर, सीतामढ़ी, सुपौल, वैशाली और पश्चिमी चम्पारण) में ई सब  जिला अछि खास क मिथिला में बन्द परल सभ उद्योग के चालू करबाक मांग केलक संगहि खादी भंडार के पुनर्जीवित क एकर जीर्णोद्धार करैत मिथिलाक एहि प्राचीन उद्योग के राष्ट्रीय स्तरपर विस्तार करबाक मांग कयल गेल। मिथिलाक विश्व प्रसिद्ध मिथिला पेंटिंग के उद्योग में सम्मिलित क एकर चातुर्दिक विकास पर जोर देल गेल। माननीय मंत्रीजी सब  मांगपर गम्भीरतापूर्वक विचार करबाक आश्वासन देलनि। खास क मिथिला में बन्द परल सभ उद्योग के चालू करबाक मांग केलक संगहि खादी भंडार के पुनर्जीवित क एकर जीर्णोद्धार करैत मिथिलाक एहि प्राचीन उद्योग के राष्ट्रीय स्तरपर विस्तार करबाक मांग कयल गेल। माननीय मंत्रीजी सब  मांगपर गम्भीरतापूर्वक विचार करबाक आश्वासन देलनि। 
जय मिथिला जय मैथिली --

सोमवार, 9 मई 2016

आ तु आब फरिझाइयै ले
















 Ranjeet Kumar Jha -

सत्ताक जोर अजमाइये ले, मिथिला मोह मोलाइयै ले
तोहर लाठी हमर पीठ, आ तु आब फरिझाइयै ले..
वोट काल में गप्पक झटहा, चीनी मील भेल फुसि फटका
नै छलौ जबाब त' माफी मंगितै, हमरा रोकत पुलीसक सटका
आब हमहुँ छी मुरहेट्ठे बन्हने, तु हुँ सप्पत खाइयै ले.
तोहर लाठी हमर पीठ, आ तु आब फरिझाइयै ले.
मोन परै छौ अपने बेरी, नै त' मिथिला सँ भतबरी
मिथिलांचल के जत्तेक नेता, सब के तु सुंघेलैं ज'री
अहिबेर वोट मांग' जे एथुन, खापरि चान उराइयै ले
तोहर लाठी हमर पीठ, आ तु आब फरिझाइयै ले.
छोइर क' गामक घर-घरारी, नीक लगैत अछि सुनैत बीहारी
एक बेर मिल सब करू तैयारी, मिथिला में व्यवसाय पसारी
क्रांती के नव संखनाद छै, सबटा ओइल सधाइयै ले.
तोहर लाठी हमर पीठ, आ तु आब फरिझाइयै ले.
सत्ताक जोर अजमाइये ले, मिथिला मोह मोलाइयै ले
तोहर लाठी हमर पीठ, आ तु आब फरिझाइयै ले..
"रंजीत कुमार झा"
०८/०५/२०१६

शुक्रवार, 6 मई 2016

नव निर्माणक सेनानी: मिथिला स्टूडेंट यूनियन

    जॉर्ज वाशिंगटन संयुक्त राष्ट्र अमेरिका केर पहिल राष्ट्रपति छलाह. हुनकर ख्याति प्रबुद्ध रोमांचकारी वक्ता के रूप में छलनि. अमेरिका केर स्वतंत्रता संग्राम केर समय में अपन एक पैघ जनसभा के सम्बोधित करैत वो बजला: “ दुनिया में अगर सब अधिक बलिप्रदान कुनो देवी लैत छथि थिकी स्वतंत्रता केर देवी.” दरभंगा में MSU के सेनानी लोकनि संग जे मई २०१६ में घटना घटित भेल अछि अतए केर शांतिप्रिय लोकनि के क्रांतिसिनेही बनेबाक लेल जोरन जरुर बनि चुकल अछि. गाछ भले नही भेल हो बीयाक रोपण चुकल अछि. धरती सदरिकाल बीयाके सम्पूर्ण बनबैत आयलि छथि. अहू क्षण में करती.

हम बिहार पुलिस, स्थानीय प्रशासन अन्ततः मुख्यमंत्री श्री नितीश कुमार केर व्यवहार छुब्ध छी. सब अपन अमानवीय व्यवहार छूछ अहंकार केर प्रदर्शन केलनि अछि.

     एक बहुत पैघ कार्यक प्रारंभ चुकल अछि. युवा सब आब अति उत्साहित छथि. मरबा, मिटबा लेल तत्पर छथि. सब क्रन्तिकारी खास सागर नवदिया, बिमल मैथिल, अमित सिंह, नीरज शेखर, नितीश कश्यप, एवं एक महाविरंगना निकिता गुप्ता आब हमरा लोकनिक जन नायक छथि. रोल मॉडल छथि. घनघोर अन्हार में सुरुज केर इजोत छथि. घटना मिथिला केर विकास लेल करू वा मरू केर मूल मन्त्र केर निर्माण केलक अछि. मन्त्र सिद्ध चुकल अछि.

      घटना एक आरो कृतिमान लेल जानल जायत. एहि घटना के तमाम ग्रुप व्यक्ति निंदा केलनि अछि. एहि प्रकारे घटना सब के जोड़े केर कार्य केलक अछि. मिथिला स्टूडेंट यूनियन केर सेनानी के सब ग्रुप के प्रति अपन कृतज्ञता अवश्य व्यक्त करक चाही. तमाम योद्धा के हमर विनम्र नमन.

   
 हम अति प्रसन्न छी. बल्कि आन्दतिरेक में छी. कारण आज़ादी के बाद मिथिला के इतिहास में प्रथम घटना अछि जाहि में मिथिलाक युवा अपन हिम्मत, शौर्य, प्रतिबद्धता एवं उद्देश्य केर प्रदर्शन क्षेत्र केर जनताक लेल, क्षेत्रीय विकास लेल, बंद पडल चीनी मिल के पुनः चालू करेबाक लेल जाति, वर्ग, आर्थिक छोट पैघ के दायरा, धर्म, क्षेत्र आदिक संकीर्ण भावना उपर उठि केलनि अछि. मारि खेला मुदा हिम्मत नहि हारला