dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

AAP SABHI DESH WASHIYO KO SWATANTRAT DIWAS KI HARDIK SHUBH KAMNAE

बुधवार, 29 जनवरी 2020

!!बजाकS बीणा हे शारदे !! गीतकार - निशान्त झा "रमण"


   !! बजाकS बीणा हे शारदे !!




 
 करू इजोर अइ दास के जिनगी
 बजाकs  बीणा  हे  शारदे ।
 काटैत अहुरिया बयस बीत गेल
 आबो सुने हमर पुकार गे ।।
                               करू इजोर अइ ......
 तोरे महिमा ऋषी  मुनी गाबैत
 भेल अलंकृत वेदक सार गे ।
 सेवलउ सदिखन द्वार तोहर माँ
 हमरा ने दोसर कियो आर गे ।
                                 करू इजोर अइ ......
 जरबियो एकबेर ज्ञानक बाती
 माँ चहुंदिश भेल अन्हार गे ।
 बेटा फसल अइ बीच भवसागर
 सम्हार हमर आब पतवार गे ।।
                                  करू इजोर अइ ......

 गीतकार -
 निशान्त झा "रमण"

मंगलवार, 21 जनवरी 2020

हेरबरी वियाह कनपटी सिंदूर ।। रचना - कविता झा



    Date : १९,०१,२०२०
( हेरबरी वियाह कनपटी सिंदूर)
स्नेही एक शिक्षित आ
गुणी महिला छलाथी एक दिन हुनकर पुत्र एक सुंदर आ किमती जुता अनलखिन आ कहला
मां आहां लेल अनालाहू, जार छैक। मां पुछलखिन कतेके अछी बेटा बजलाह ५०००
अरे एते क महग जुता के हमरा कोन प्रयोजन
अच्छी। बेस, एक दिन हुनका अपना भाई के
बर्थडे में जायिके छल सोचलिह आई नीक दिन
अच्छी नबके जुता पहिर लैत छी। ओ पहीर ओढ़ी
भाई घर पहुंच लिह।दिन भरी खूब रमन_चमन भेल सांझ में दोसराक संगे बिदा भेलिह हरबर में
दोसर जुता जे सामने भेटलनी बिना देखने पाहिर
लेली। जखन रास्ता में रहथी त हूनका बुझायाल
जे जुता कनि dhil अच्छी, सोचलीह जे ओकर
फिता खियिल गेल हेताई।घर पहुंच स पहिने जखन ओ फीता बनहलेल पैर दिस तकैत छैथ त
जा ई त हुनाकर ओ जूते नहि जे बेटा अनिक देने
छलखिन। बहुत आश्चर्य भेलनी मुदा एखन केना
किछु बजतिह संग में दोसर कियो छलाह। घर आबि सब स पही ने जुता नुकाक रखालिह फेर
भाभी के फोन केली। भाभी हिनकर जुता के ओरिया क रखलिह आ जीनकर जुता रहनी हुनाका अपन सैंडिल दय राजस्थान बिदा केलिह
 एकरे कहैत अछी हरबरी बियाह कनपटी सिंदूर।
                            कविता झा।🙏

शनिवार, 18 जनवरी 2020

अंतर्मन ।। रचना - कविता झा



              !! अंतर्मन !!


 
                (अंतर्मन)
बनि दिया के ज्योति,
तिमिर के आउ भगाबी।
पथ के करि स्वच्छ झार सँ,
जौं अशोक के गाछ लगाबी।।
          रंग-मंच अछि सजी चुकल,
          करु भूमिका तय पर्दा उठाबि।
         साक्ष्य अछि दर्शक मूक हेताह,
         मुदा,किछुओ त संज्ञान लेता।।
नकारत्मक सोच स भरल छि त,
कहु कोना सुख चैन भेटत।
सगर घरा ज सुरा भरल हो,
अमृत कोना सहेज सकत।।
          स्वयं के गाथा,स्वयं ही अर्पण
          परहित के ने  जानी।
          सुखी जीवन के सार वैह थिक,
          रहलहुँ हरपल बनि अज्ञानी।।
ज्ञान-विज्ञान के युग मे देखु,
केहन ओझरायल नेना।
अपन चैन के त्यागी सदतिखन,
रुपिया अर्जये सुखलय।।
                कविता झा

शुक्रवार, 17 जनवरी 2020

कने सुनु श्रीमान ।। रचनाकार - बद्रीनाथ राय "अमात्य"

              !! कने सुनु श्रीमान !!


मैथिली ज्ञान आऔर शिक्षा-साहित्य आई भेला अछि हरियर घास
   साढ़े मात्र चरईए जिनका दुर भेल छथि मैथिल खास
   मैथिली-मिथिला केर सपूत सभ फाँकी रहल छथि घूरा,
   सम्मानित होइ छथि ओ - बेसी जे छथि लोक बेलुरा
   विद्यापति जी भेला खेलौना किछु मैथिल छथि बेचनिहार ।
   माँ मैथिली के बेटा देखू माएयक चीर हरण केनिहार ।।
   पुरष्कार साकार होइत अछि ऊँच हवेली राज निवाश
   माईट-पानि छोरि पुष्पित अछि किछु मैथिल के कुल आकाश
   अक्षर के है ज्ञान ने कनिऔ ओकरे झण्डा छइ फरराइत
   लात सँ लत खुरदईन होइ छथि ठाढ़ भेल जे शिष्ट पछाइत
   महा मदारी बजा रहल अछि डमरू ओ झुन-झुन्ना
   आगि में ऐइठल जरा रहल अछि दुष्ट शिरोमणि जुन्ना
मैथिली-मिथिला अछि अपियारी सभ दिन फ़सलेई रोहु-बुआरी
   मुदा आब सभ जागि गेल अछि सभ के चाही माछ-बुआरी
   महा-महत्व अछि पान-मखानक उत्पादक के की स्थान
   झनु-झुन्ना जे-बाजि रहल अछि तेकरो कने सुनु श्रीमान ।।।

   रचनाकार-
   बद्रीनाथ राय "अमात्य"
   गाम - करमोली "बिहार"

शनिवार, 11 जनवरी 2020

देखब हम सासुर केर भाड़....।। रचनाकार - बद्रीनाथ राय "अमात्य"

                                            !! सासुर कै भाड़ !!
                         
           

     देखब हम नौआ , कुचरै छल कौआ
     तपन  बुझायब  नयन  जरै  छल ।
     नौआ    संग    के      देवर    बौआ
     केहेन     पालकी     केहेन    कहार ।।
                      देखब हम सासुर केर भाड़....
    दिन  बितै  छल      युग  सन  सजनी
    काल समान छल दिन आओर रजनी
    भेल    बलाय    छल    यौवन   भाड़
                       देखब हम सासुर केर भाड़....
    कञ्चन नुपुर नव वस्त्र पहिरब देख पहुँ केs नयन जुराईव
    छल प्रतिक्षा बहुँत दिन सँ मन मे सोचने छलौ से पाइव,
    हृदय बहै छल गर्म वयार ।।
                        देखब हम सासुर केर भाड़....
    मन छल विकल नयन छल पियासल
    नञि   कs   सकै   छलौ   हरिबासल
    विष बढै छल बेसुमार ।।
                        देखब हम सासुर केर भाड़....
    प्रियतम  भेल   छला   सम   द्वितिया
    प्यासल  मन  छल  आयल  सेवतिया
    जीवन   मे   नञि   छल   किछु  सार
                        देखब हम सासुर केर भाड़....
    देह   जरै   छल   विरहानल  में
    अस्य  पीड़ छल मर्म स्थल में
     हृदय  सूखै  छल  जेना  पथार
                        देखब हम सासुर केर भाड़....
    मन भयभित रहै छल, सदखन आँगन में,आओर भीतर-बाहर
    नित मंजन करैत छलौ हम,कटि कs दँतमनि भाँटी आओर साहर
    नञि भावै छल वादय सितार ।।
                         देखब हम सासुर केर भाड़....
    कमल सदृग तारुण्य कोमल,छल वेश भेल छल कुसुम समान
    मारि रहल छला युवकगण सब,बाट धाट  में नयन कै बाण
    नञि कs सकै छलौ प्रतिकार ।।
                          देखब हम सासुर केर भाड़....
    भैया - भौजी देखवैत छला, हरदम हमरा अपन गुमान
    हम सोचैत छलौ कहिया आओत हमरा जीवन मे नव विहान
    पिता करै छला , वचन प्रहार ।।
                          देखब हम सासुर केर भाड़....
    परसब हम अपना टोल - परोस में,खीर मिष्ठान आओर पकमान
    हृदय करै छनि स्वागत हुनकर पहिरब हम नव - नव परिधान
    तुकि  लेबs  बाजs  कहार ।।
                          देखब हम सासुर केर भाड़....
     रंग विरंग तरकारी तरि कs ,करबनि हुनक खतिरमान
     छत्तीस व्यंजन सजा देवनि हम, कते खेता अतिरिक्त मेहमान
     मंगल गावि रहल अछि मनुआ हृदय भेल अछि जेना पहाड़ ।।
                           देखब हम सासुर केर भाड़....
     शास्त्र पुरानक उक्ति कहै छथि, पहुँ होइय परमेश्वर
     हमरा नञि चाही अलस्कारे ओ स्वयं छथि रत्नेश्वर
     आँचर स हुनक डगर बहारब, रचि रचि सोलह श्रृंगार
                              देखब हम सासुर केर भाड़....
     मन - वीणा केर तार टूटल छल, गरमी में लागै छल जाड़
     बेली पुष्प सँ सेज सजायब, आँजू पहुँ संग करब विहार ।।
                               देखब हम सासुर केर भाड़....

     लेखक - बद्री नाथ राय "अमात्य"
      ग्राo +  पो0 - करमोली
     भाया - कलुआही
     जिला - मधुबनी
        ( बिहार )




             

                

शुक्रवार, 10 जनवरी 2020

एकटा प्रश्न ।। बद्रीनाथ राय "अमात्य"


                                                                                     किछु मैथिल विद्वानक कथन छनि जे माछ , मखान आओर पानक बिना
मैथिल - मिथिलाक परिकल्पना परिपूर्ण नञि भए सकैत अछि बात पूर्णरूपेण सत्य आओर तथ्य पूर्ण अछि मुदा पान,
मखान माधक उत्पादक लोकनि कें सेहो मैथिली मिथिला समाज द्वारा सामाजिक सम्मान भेटवाक चाही की नञि ,सेहो
एकटा गंभीर प्रश्न अछि ! यदि प्रश्नक उत्तर नकारात्मक अछि तँ किएक ? यदि सकारात्मक अछि तँ एखन धरि हुनका
लोकनि कें कोनो मैथिली - मिथिलाक मंच सँ की सम्मान भेटलनि ? ओना कोनो मैथिली - मिथिलाक मंच जाहि पर शब्द
- सागर में धोल पखारल आओर खराजल विचार प्रस्तुत केनिहार मैथिली - मिथिलाक सपूत ,मैथिलीक प्रेमचन्द वर्तमान
बाबा विद्यापति , श्री जगदीश प्रसाद मंडल प्रात स्मरणीय श्री रेवती रमण झा "रमण" जी , नन्दविलाश राय , दुर्गानन्द
मंडल , राजदेव मंडल , कपिलेश्वर राउत , नारायण यादव जी नञि रहता ओहि मंच के हम अधुरा मानैत छी आओर
ओ मंच मंच नञि प्रपंच मात्र थीक ! बातो वास्तविक अछि ! देखल जाईत अछि जे बेसी मैथिल मंच पर प्रपंच षड्यंत्र
पुष्पित - पल्लवित भए रहल अछि ! मैथिली - मिथिलाक विकासक नाम पर मैथिली - मिथिलाक मात्र चीर - हरण
कएल जाईत अछि ।।
- बद्रीनाथ राय " अमा

मंगलवार, 7 जनवरी 2020

हे हंस वाहिनी माँ शारदे ।। गीतकार - निशान्त झा "रमण"



         !! हे हंस वाहिनी माँ शारदे !!


       
        हे हंस वाहिनी श्वेत वर्णी माँ शारदे
        कर कृपा माँ ज्ञान का अधिकार दे ।
        हे हंस वाहिनी श्वेत वर्णी माँ शारदे ।।

        बहती तुमसे ही स्वर काव्य की धारा
        उठती तुमसे ही गीतों की झनकार माँ ।
        हे शारदे संगीत तुमसे हर शब्द तुमसे
        तुम ही साधक साधना का आधार माँ ।।

        हे वीणा धारिणी कमल आसन भारती
        अज्ञानता पर डाल दृष्टि माँ मुझे प्यार दे ।
        हे हंस वाहिनी........2

        अलंकृत छवि मुख शारदे तेज विराजे
        हाथ मे पुस्तक शोभित सिर मुकुट साजे ।
        कितने मूर्ख अधम पर तुमने कृपा बरसाई
        क्यों फेरा मुख तुमने जब मेरी बारी आई ।।

        ह  दास अब शरण , चरण में जा लिपटा
        अज्ञानता के अन्धकार से अब माँ तार दे ।।
        हे हंस वाहिनी.......2

        गीतकार-
        निशान्त झा "रमण"


शुक्रवार, 3 जनवरी 2020

देशी बिलाड़ ।। कहानीकार - श्री बद्रीनाथ राय जी

                         



            देशी बिलाड़
मिथिलाञ्चल मे आयल छलाह एक नव अंचल अधिकारी। वितरण केने छलाह गरीबमे, बहुतोँ धोती सारी। किछु जमीन श्रीमानक श्रेयसँ एक भूमिहीनकेँ भेटल छल। खाकऽ दीनताक धऽल बेचारे, छलाह समाजक कृषक सफल।
श्री मान् अंचल अधिकारी एक कट्ठा जमीन दू भूमिहीन मे वितरण कएने छलाह, परञ्च दुनू भूमिहीनकेँ ओतबँहि जमीन मे दस-दस कट्ठा कऽ देने छलाह। ई भूल नञि, महा भूल भेल छल। भूमिहीन केँ नाम राम परीक्षण, राम लोचनन छलनि।
राम लोचन बेचारे भूमिहीन और प्रचण्ड दीन छलाह, परञ्च राम परीक्षण बेटा सबहक प्रसादे भूमिहीन रहितँहु दीन नञि छला। अंचल कार्यालयसँ दुनू जन केँ जमीनक पर्चा (दान पत्र) भेटल छलनि। दुनू जन पर्चा लए घर जा रहल छलाह। राम परीक्षण तीव्र चालिमे चलैत घर एलाह, परञ्च राम लोचन शरीरसँ कमजोर छलाह। हुनक चालि तेज नञि छलन्हि। ओ नहुँ-नहुँ चलैत अपन वार्षिक योजना दिमागमे तैयार करैत आबि रहल छलाह। बाटमे रामलोचन अपन कल्पनाकेँ स्वर बद्ध करैत चलि रहल छलाह।
हुनक स्वर-
लय कऽ पर्चा गीत गबैत,
गृह नगर कयलनि प्रस्थ्ज्ञान।
आबो कि हम रहब अनारी,
देत समाज पंचक स्थान।
तामि कोरि कऽ मरूआ रोपब,
करब गरीबी मे गुजरान।
पाकत मरूआ काटब तकरा
रोपब हम पुनि ओतिमे धान।
घर मे किछुओ खर्चा नञि छल,
नञि तँ करितौँ कन्या दान।
आगा साल ई भार उतारब,
जँ किछुओ भेल मरूआ धान।
कथाकारक स्वर-
बान्हैत वेश मनोरथक पुल,
निज गृह नगर मे एलाह।
हाल सुना सब प्राण प्रिया केँ,
अबितँहि ओ अलसयलाह।
कछ-मछ करैत राति बितौलन्हि,
भोरे लेलन्हि कोदारि।
हमरा लेल किछु जलखई आनब,
घरक काज सम्हारि।
भोरे रामलोचन कोदारि लऽ खेत दिश बिदाह भेलाह तखन हुनक स्वर छलन्हि-
बेचब बकरी छोड़ब नोकरी,
महुँ होयब सफल किसान।
बेटज्ञ केँ इसकूल भेजब हम,
घर मे जे छल महा अकान।
राम लोचन अपन कल्पना केँ स्वर बद्ध करैत खेतपर एलाह। खेत केँ तमनाय आरम्भ केलन्हि। राम परीक्षण हुनका दूरेँ सँ देखि, खेत दिश दौड़लाह आओर बजलाह- ई खेत तँ हमर अछि, सरकार हमर पर्चा देने अछि। तोरा की नञि बुझल छऽ? सङे तँ गेल रहऽ।
राम लोचन बजलाह- एहि खेतक पर्चा हमरो भेटल अछि।
राम परीक्षण गरजि उठलाह- नञि खेत पर तोहर कोनो अधिकार नञि छऽ।
राम लोचन आ राम परीक्षण दुनू केँ कहब यर्थाथ छल, परञ्च झगड़ा तँ अंचल अधिकारी लगौने छलाह। राम लोचन बेचारे घर चलि एलाह। खेत पर घटल घटना अपन प्राण प्रिया केँ सुनौलन्हि। हुनक प्राण प्रिया खेत परहक घटना सुनि कँ बहुत दु:खी भेलीह, परञ्च एकर तत्-काल कोनो उपाय नञि छल। राम लोचन पर्चा लय विदाह भेलाह अंचल कार्यालय। अंचल कार्यालय आबि अंचल अधिकारी सँ कहलनि-
अपने ऋृण सँ ऋृणि रहब
हम यौ अंचल अधिाकरी।
अपनेक द्वारा वितरित पर्चा मे
हम एक पर्चाधारी।
एकहिं जमीन के दू टा पर्चा
दू गरीब केँ देलहुँ।
हमरा सब तँ मुर्ख कहाबी
अपने ई की केलहुँ।
पुनि-पुनि करब एकहि हम विनती,
दीनक काज सुधारू।
दीर्घ भुल अपने कोना केलहुँ,
तकरो कनि विचारू।
अंचल अधिकारी राम लोचन दिश तकैत बजलाह- “तुम कल आओ।”
राम लोचन काल्हि पुन: एलाह, हाकिम सँ भेंट केलन्हि।
हाकिम पुन: वैह बात- “कल आना।”
राम लोचन काल्हियो एलाह, हुनका देखि कऽ हाकिम बजलाह- “तुम फिर आ गए। आज कुछ जरूरी काम में लगें हैं, कल आओ।”
“कम आना, कल आओ।” केँ पर्दा मे रहस्य छल। अंचल अधिकारी किछु द्रव्य चाहि रहल छलाह। हाकिम राम लोचन सँ काग भाषा मे द्रव्य याचना करै छलथिन्ह, परञ्च राम लोचन नञि बुझि पबैत छलथिन्ह। हाकिम केँ अपन आंतरिक ध्येय छलन्हि- “अगर राम लोचन अपने बॉंहु बल से जमीन खरीदता तो कम-से-कम पन्द्रह-बीस हजार व्यय करना पड़ता, लेकिन हमें क्या दिया है?”
“कम-से-कम दस कट्ठा जमीन के लिए प्रतिकट्ठा एक सौ रूपया दें।”
रम लोचन काल्हि अंचल कार्यालय एलाह, परञ्च कार्यालय सँ हाकम नदारद छलाह। राम लोचन दु:खी भेल घर गेलाह।
काल्हि पुन: राम लोचन एक बेरि फेरि अंचल कार्यालय एलाह। संयोग बस हाकिम कार्यालय मे छलाह, किछु सफेद पोश संगे लेन-देन केँ हिसाब मे लीन छलथि। राम लोचन हाकिम सँ आबि कहलथि-
मरि-कटि जायब हम दुनू जन,
केँ जमीन उपजायत।
मरि-कटि जाय जँ परम धाम,
उपजा सब केँ खायत।
आशय अपनेक अछि महान,
कहबैत अंचल अधिकारी।
बोनि छोरि प्रतिदिन आबी तँ,
बेचब लोटा थारी।
हाकिम बजलाह “मुझे न फुर्सत, कल को फिर तुम आना। कार्यालय प्रथम प्रवेश शुल्क मे, लाना कुछ नजराना। ”
राम लोचन केँ आब कनि आशा भेलनि, काल्हि आबि कार्यालय मे प्रवेश केलथि। हिनका देख हाकिम बिगड़ि कऽ बजलाह, “जाओ बाहर बैठो मुझे फुर्सत नहीं है।”
एहि आबा जाही मे कार्यालयकेँ निर्जज्ज लिपिक गण किछु पाइ ऐंठ लेलथि। राम लोचन लिपिक समक्ष गेलाह, अपन दु:खनामा सुनौलन्हि।
एक लिपिक बजलाह, हाकिम काज नञि करतऽ, चलि जाह मधुबनी, डी.सी.एल.आर. सँ भेंट करऽ (भूमि सुधार पदाधिकारी)।
दोसर लिपिक सेहो बात केँ सम्पुष्टि करकैत कहलथिन्ह-
डी.सी.एल.आर. छथि हाकिम एकटा मधुबनी मे बैठल।
दु:खिया सबकेँ दु:ख सुनै छथि,
नञि छथि कनियो ऐंठल।
राम लोचन अंचल अधिकारी केँ अवाच्य कथा कहैत मधुबनी प्रस्थान केलथि।
बिनोवा परिवहन मे भ्य सवार,
ओ आबि गेलाह मधुबनी।
भुख सँ देह भेल छल जर्जर,
सङ मे नञि चौबन्नी।
राम लोचन पद यात्रा करैत मधुबनी पहुँचलाह। लिपिक केँ सिखाओल बात, डी.सी.एल.आर. शब्द बेचारे बिसरि गेलाह। तामसे अपन केस नोंचलन्हि, नाक पर हाथ देलाह, परञ्च लिपिक केँ सिखाओल बात पुन: स्मरण मे नञि आनि सकलाह। थकमका कऽ बैसि गेलाह, बहुत पछतावा भेलन्हि। बहुत दिमाग मे मन्थन केलाक बाद हुनका मनमे भेलन्हि, सायद ओ हमरा देशी विलाड़ कहने छलाह। मन खुब हरिअर भऽ गेलन्हि। पुर्ण आस्वस्त भेलाह, जे ओ हमरा निश्चित रूपें देशी विलाड़े कहने छलथि। राम लोचन मने मन पुन: कहलनि- ठीक! ठीक! हँ-हँ देशी विलाड़।
एक ब्रासलेट धोती वाला सँ राम लोचन अपन दीन स्वर मे पुछलनि, हाकिम देशी विलाड़ साहिब केँ ऑपिस कतऽ छन्हि?
ओ ब्रासलेट धोती वाला हिनका दिश ताकि मने-मन किछु कहि चलि देलथि।
आगा जाय दोसरो सँ पुछलन्हि केओ देशी विलाड़क ऑफिस नञि बता सकलथि। वास्तव मे भेटबोक नञि चाही।
किछु आगु बढ़ि समाहरनालय समक्ष आबि ठाढ़ भेलाह, देखै छथि जे एक अपचेष्ट नेता पान लगठैत, ढेकरैत, गॉंधी वस्त्र लगौने समाहरनालय द्वार सँ वाहर आबि रहल छथि जिनक वेश-भूषा साक्षात गॉंधी जी सदृश, परञ्च धोती कुर्ता पर ठाम-ठाम पानक पीक पड़ल छलन्हि।
पहिर कऽ कारी चश्मा नेता,
दिन केँ राति बनौने।
द्वार सँ बाहर आबि रहल छलाह,
अपन ऑंखि अन्हरौने।
राम लोचन नेता सँ करूण स्वर मे गरीबी राखि कहलन्हि, सरकार हम नञि देशी विलाड़ साहिब केँ ऑफिस जाय चाहैत छी, कने कष्ट कऽ केँ देखा देल जाय।
नेता जी ऑंखि गुम्हरैत बजलाह-
“कहॉं जाना है?”
राम लोचन कहलथि- सरकार देशी विलाड़ हाकिम सँ किछु काज अछि। नेता- “अरे यार क्या बकता है। सही-सही बोलो।”
राम लोचन ओहि शब्द केँ दोहरा कऽ बजलाह।
नेता आब महान धनचक्कर मे पड़ि गेलाह, आओर राम लोचन सँ कहलन्हि-
देशी विलाड़! देशी विलाड़! कहॉं छन्हि हुनक ऑपिस।
नेता एहि बेर आओर फेर मे पड़ि गेलाह, आओर तामसे ऑंखि लाल करैत बजलाह- “कहॉं जाना है? एस.पी. साहब के पास?”
राम लोचन- नञि सरकार।
नेता- “डी.एम. के पास जाओगे क्या?”
राम लोचन- नञि यौ सरकार।
नेता- “तब कहॉं जाओगे एस.डी.ओ. के पास?”
राम लोचन-  नञि हाकिम।
नेता- “आखिर तुम्हें काम क्या है?”
राम लोचन सबटा कहि सुनौलन्हि।
नेता-
परम अनारी महा मुर्ख हो,
पढ़ना लिखना सीखो।
दुनिया विकास किया है कितना,
विश्व क्षितीज पर देखो।
नेता- तुम्हारा कम डी.सी.एल.आर. करेंगे।
राम लोचन- ठीक! ठीक! अपने जे बजलहुँ अछि हाकिम, सैह तँ हमरो कहब थीक। मुँहक दॉंत टुटल अछि सबटा, दीनक बाजब नञि अछि नीक।
नेता-देखते हो, वह जो गेट पर एक आदमी बैठा है, उसी के भीतर डी.सी.एल.आर....।
राम लोचन कार्यालय द्वारा समक्ष गेलाह। द्वारपाल सँ पुछलन्हि, हाकिम हमरा बाजऽ नञि अबैत अछि, देशी विलाड़ साहिब एहि मे छथि।
द्वारपाल- भागो यहॉं से बेहुदा नहीं तो...।
हाकिम भीतर बैठल छलाह, किछु कागजात पर ध्यान छलन्हि परञ्च अपन द्वारपाल केँ कड़कल आवाज सुनि गेलाह, द्वारापाल केँ बजा कऽ पुछलन्हि-
“कौन आया था, क्यों भगा दिया?”
द्वारपाल- “सर देहाती आदमी थ्ज्ञा, बोलने नहीं आता है।”
डी.सी.एल.आर.- “इसका क्या मतलब? पढ़ा लिखा नहीं होगा, बोलने नहीं आता होगा। बुलाओ उसे कोई काम होगा।”
द्वारापाल राम लोचन केँ जोर सँ कहलन्हि- “ए जी सुनो इधर।”
राम लोचन डेराइत एलाह द्वारपाल केँ प्रणाम केलथिन्ह। द्वारपाल- “भीतर जाओ साहब बुलाते हैं।”
राम लोचन भीतर गेलाह, हाकिम केँ प्रणाम केलथि।
हाकिम- “कहॉं आया था?”
राम लोचन- हाकिम देशी विलाड़ साहिब सँ भेंट करबाक छल, किछु काज अछि, अपने थिकहुँ- देशी विलाड़ साहिब?
डी.सी.एल.आर.- “देखें कागजात क्या काम है?”
हाकिम कागज केँ तजबीज केलन्हि, एहि बीच राम लोचन अपन सब दु:खरा हाकिम केँ सुना देलथि।
राम लेाचनक कार्य केँ देखि हाकिम बजलाह- “काम तुम्हारा हम कर देते हैं। थोड़ा देर बाहर बैठो।”
राम लोचन बाहर आबि बैठ गेलाह। कार्य भेलाक बाद हाकिम पुन: राम लोचन केँ बजौलथिन्ह। राम लोचन भीतर गेलाह।
हाकिम- “तुम्हरा सभी काम हम कर दिये हैं, अब यहॉं आने कि जरूरत नहीं है बॉंकि सब कार्य तुम्हारा अंचल अधिकारी कर देंगे। यहॉं कभी मत आना।”
राम लोचन केँ हाकिम किछु कागजात देलथि। राम लोचन कागजात लऽ अंचल कार्यालय एलाह आओर सबटा कागजात अंचल अधिकारी समक्ष पसारि देलन्हि। डी.सी.एल.आर. केँ हस्ताक्षर आओर अनुसंशा देखि अंचल अधिकारी भय सँ सब कार्य शीघ्रहि सम्पादन कऽ देलथि। राम लेाचन कागज लऽ घर एलाह आओर जीमन दखल केलन्हि। 
कथाकार
बद्री नाथ राय ‘अमात्य’
ग्रा.+पो. – करमौली
जिला- मधुबनी।
(बिहार)