dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

AAP SABHI DESH WASHIYO KO SWATANTRAT DIWAS KI HARDIK SHUBH KAMNAE

शुक्रवार, 17 फ़रवरी 2012

हिला दही सौंसे दुनियां के, उखरल खुट्टा गैर क


बरका बरका बात करइ सब  ,छोटका के के पुछतयी
सब परेलई छोरी छारी क ,मिथिला ले के सोचतयी
सुन  रऊ बुआ सुन गे बुच्ची ,करही किछ विचैर क 
हिला दही सौंसे दुनियां के, उखरल  खुट्टा गैर क 
हिला दही सौंसे दुनियां के..................................
अपने पेट भरई के खातिर , नगरी नगरी भटकई छें   
मात्री भूमि के काज नै एलें, तहि दुआरे तरसय छें
अप्पन मिथिला राज्य बना ले, मिलतौ छप्पर फाड़ी क 
हिला दही सौंसे .....................................................
अपने भाय  के टांग जं  घिचबें, कोना क आगा बढ्बें रऊ
अनका खातिर खैधि खुनई छें, ओही खैधि में खसबें रऊ
कदम बढा तों हाथ मिला क चल ने फेर सम्हारी क 
हिला दही सौंसे ..................................................
मिथला में जं जनम लेलौं आ , काज एकर जं  नै एलौं 
जीवन सुख  पिपासा में, नै जानि कत हम फसी गेलौं 
देख इ दुनियां कोना बैसल छौ मिथिला के उजारी क 
हिला दही सौंसे ....................................................
जनक भूमि  सीता के धरती , कनई छौ कोना तरपी तरपी  
तू बैसल छे रइ बौरह्बा दोसर लेलकौ संस्कार  हरपी 
जाग युवा आ जागय बहिना , सोच नै तों उचारी क 
हिला दही सौसे .................................................
एम्हर उम्हर नै तों तकई  बस मिथिला के बात करइ
अप्पन भाषा मैथिलि भाषा जत जायी छें ओतय बजय
एक दिन "आनंद" के पेंबे मिथिला में तो जाय क 
हिला दही सौंसे ..........................आनंद ..................

   
इ रचना  आनंद झा द्वारा लिखल गेल अछि यदि अपने एकर कोनो ता अंश या पूरा कविता के उपयोग कराय चाही त बिना हरा स पूछने नै करी :

2 टिप्‍पणियां:

Vaibhav Raman ने कहा…

bhai bardast karo , duniya ko mat hilao waise hi bhukamp bahut hi jayda hota hai , agr es me aur teji aagai to mat puchho , bahut achh laga app ka ye lek dhanywad anand ji , apane matrbhumi ke parati atam samarpan , es liy aap ko koti koti naman

virendra sharma ने कहा…

सुन्दर मनोहर अच्छी पोस्ट सार्थक विचार .