dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

मंगलवार, 27 मार्च 2018

गीत @प्रभात राय भट्ट

नयन खोजए मोर पिया कए
 दुलार कि आजु करबै
हम सोलहो श्रृङ्गार ऎसगर
घर आङन रहि रहि मुह दुसैय
पिया जि के बाट तकैत बैसल छि
 द्वार नैयन खोजए मोर पिया कए
 दुलार कि आजु करबै
हम सोलहो श्रृङ्गार सेज पलङिया
सेहो दैय उलहन उपराग
विरह जिन्दगी क दुख अछी हजार
 नयन खोजए मोर पिया जि कए
दुलार कि आजु करबै
हम सोलहो श्रृङ्गार ऎना कंघि
 टीकुलि सेनुर आर चुरी कङन अछी
पिया जि कए स्न्नेहक इन्तजार
नयन खोजए मोर पिया जि कए
 दुलार कि आजु करबै
हम सोलहो श्रृङ्गार स्वपन देख्लहु
 राती पिया गाबैए पराती भोरुकबा
 किरणया कहि करैय प्यार नयन
 खोजए मोर पिया जि कए
 दुलार कि आजु करबै
हम सोलहो श्रृङ्गार
 छवि सभार :-
Awaaz Gagan Tak
जिके  बालस

कोई टिप्पणी नहीं: