dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

AAP SABHI DESH WASHIYO KO SWATANTRAT DIWAS KI HARDIK SHUBH KAMNAE

गुरुवार, 9 अप्रैल 2015

अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन-२०१५: सहभागिताक ताजा अपडेट - विराट नगर

अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन-२०१५:  सहभागिताक ताजा 

अपडेट - विराट नगर

भारत सँ मुख्य अतिथि सुप्रसिद्ध गीतकार सियाराम झा सरस राँची सँ, जमशेदपुर सँ श्यामल सुमन आबि रहला अछि। संग मे १ गोट कवि आरो अयबाक जानकारी करौलनि अछि।
दरभंगा सँ परम आदरणीय कवि व अभियानी शिरोमणि डा. बुचरु पासवान, डा. मंजर सुलेमान, प्रो. उदय शंकर मिश्र, रामकुमार झा, चन्द्रेश, चन्द्रमोहन झा परबा, चन्द्रशेखर झा बुढाभाइ सेहो आबि रहला अछि।
एहि सँ पहिनहि महान हास्य कविसम्राट जयप्रकाश जनक आ महाभियानी कवि मणिकान्त झा संग अशोक मेहता आदि सेहो आबि रहला अछि।
सहरसा सँ अरविन्द मिश्र निरज, स्वाति शाकम्भरी, रामचैतन्य धीरज, भोगेन्द्र शर्मा निर्मल, सुभाषचन्द्र झा, किसलय कृष्ण, शैलेन्द्र शैली पहिनहि पुष्टि कैल सूची मे छथि।
पटना विश्वविद्यालय, मैथिली विभागक शोधार्थी - नरेश कुमार, विनीत कुमार लाल, रमण कान्त चौधरी, सरोज मंडल, पुरुषोत्तम चौधरी, रश्मि कुमारी, संजीब कुमार, संजय कुमार पासवान, श्याम रूप चौधरी आबि रहला अछि।
भागलपुर विश्वविद्यालय, मैथिली विभागक शोधार्थी - पंकज कुमार आ निक्की प्रियदर्शिनी आबि रहला अछि।
मिथिला विश्वविद्यालय, मैथिली विभागक शोधार्थी - सुरेश पासवानक नेतृत्व मे आबि रहला अछि, पूर्ण सूची प्रतिक्षीत...!
सुपौल सँ कवि अरविन्द ठाकुर आबि रहला अछि।
पटना सँ कमल मोहन चुन्नूक संग पंकज जी आबि रहला अछि।
मधुबनी सँ दीप नारायण विद्यार्थी आबि रहला अछि।
राजविराज सँ करुणा झा, मीना ठाकुर, साधना झा, श्याम सुन्दर यादव पथिक, देवेन्द्र मिश्र, शुभचन्द्र झा, विद्यानन्द बेदर्दी, निराजन झा, सत्येन्द्र नाथ चौधरी अयबाक पुष्टि केलनि अछि।
लहान सँ अर्जुन प्रसाद गुप्ता दर्दीला, नारायण मधुशाला, जीबछ यादव उदासी, प्रिन्स मेहता आबि रहला अछि।
जनकपुर सँ विजय दत्त मणि, काशीकान्त झा, प्रेम विदेह ललन, दिगम्बर झा दिनमणि सहित अपुष्ट आरो कवि लोकनि आबि रहला अछि।
रौतहट सँ श्याम शेखर झा आबि रहला अछि।
काठमांडु सँ धीरेन्द्र प्रेमर्षि स्वयं आयोजक ११ तारीख समय सँ पहुँचबाक पुष्टि कएलनि अछि। मुख्य अतिथि प्राज्ञ परिषद् सदस्य, नेपाल संगीत तथा नाट्य प्रज्ञा प्रतिष्ठान - श्री रमेश रंजन - मिथिलाक चेतन भगत छथिये।
दुबइ सँ प्रभात राय भट्ट नेपाल आबि कार्यक्रम मे सहभागी बनता। अनलाइन कतार सँ विन्देश्वर ठाकुर आ अशरफ राइन, दुबइ सँ भोगेन्द्र राज साह आदि केर प्रस्तुति संभव होयत। तहिना आरो किछु भारत तथा नेपाल सहित अन्य देश सँ अनलाइन प्रस्तुति हेबाक संभावना अछि। कार्यक्रम लाइव स्ट्रीमिंग मार्फत सब देश मे अनलाइन देखल जा सकत।
विराटनगर सँ दयानन्द दिग्पाल यदुवंशी, अजित झा, कर्ण संजय, राम नारायण सुधाकर, आदि रहबे करता।
झापा सँ कन्दर्प नारायण लाल सेहो औता। मुदा हिनकर फोन कतेको बेर लगेलाक बादो लागि नहि रहल अछि। मैसेज द्वारा जानकारी देल गेल छनि।
कविक अतिरिक्त अभियानी लोकनिक सहभागिता:
पुर्णियाँ सँ गिरिन्द्रनाथजी आ चिन्मयजी औता। आरो अपुष्ट सहभागिताक अपेक्षा अछि।सहरसा सँ कन्हैयाजी, कुमार आशीष, सुभाषचन्द्र झा, महिषी (सहरसा) सँ अमित आनन्द, आदरणीय अभिमन्यु खाँ, कुन्दन मिश्र, विजय महापात्रा, सुमन समाज, दिलीप कुमार चौधरी, दरभंगा सँ श्याम सुन्दर झा, वैद्य ओ. पी. महतो, मुजफ्फरपुर सँ ९९% संभावनाक संग संजय मिश्रा जी....
कानपुर सँ मिथिलाँचल महासभाक प्रतिनिधि आदरणीय रवि नाथ बाबु, अनिल भाइ व अमित भाइ आबि रहला अछि।
दिल्ली सँ कवि विमलजी मिश्र, अखिलेशजी, अमर नाथ बाबु, संजीव सिन्हा जी आ कौशल कुमार जी - तहिना सहरसा-दिल्ली संयुक्त केर प्रतिनिधित्व करैत आदरणीय विमल कान्त बाबु सेहो दिल्ली सँ आबि रहला अछि।
मधुबनी सँ पवन नारायण, शुभ नारायण झा, संगीत टोलीक संग आबि रहला अछि।
साईंचरण फिल्म्स केर प्रतिनिधि आ अभियानी भाइ रमानाथ झा मैथिली फिल्म्स केर विषय पर प्रस्तुतिक संग आबि रहला अछि।
एकर अतिरिक्त अहाँ सब कियो आबिये रहल छी, मुदा पुष्टि अवश्य करू जे व्यवस्था मे कोनो त्रुटि नहि हो। 

विशेष - संपर्क नंबर -
प्रवीण नारायण चौधरी - ९८५२०२२९८१, 
डा. सुरेन्द्र नारायण मिश्र - ९८४२०७७५५५,
 डा. एस. एन. झा - ९८४२०२३७३८

कोई टिप्पणी नहीं: