dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

AAP SABHI DESH WASHIYO KO SWATANTRAT DIWAS KI HARDIK SHUBH KAMNAE

बुधवार, 22 अप्रैल 2015

वाक कला पर आधारित नियमित श्रृख्लांक - 4

वाजमे दम यानि Energy level of voice-

   अवाजक हार्डवेयर सॉफ्टवेयर पर विचार क्रममे आइ हमरा लोकनि अवाजमे दम अवाजक गुणवत्ता पर विचार करब। अवाजमे दम यानि Energy level of voice हमर अहाँक बजबाक अभ्यास, स्वर यंत्रक बनावटि, उच्चारणमे सहायक अंग ( कंठ, जीह, दाँत, ठोढ़) केर कुशलतापूर्वक उपयोग पर निर्भर करैत अछि जखन कि अनुगूंज, अनुनाद, सुर-तान सहित अवाजक गुणवत्ता Voice quality, including resonance, timbre and tone मुख्य रूपसँ Larynx स्वर यंत्र Pharynx ग्रसनीमे वायुक प्रवाह तथा अहाँक Breathing Technique सांस लेबाक तकनीक पर निर्भर करैत अछि।
   स्वर यंत्र तथा अवाज निर्माण प्रक्रियासँ अहाँ परिचित चुकल छी, जे एखनि धरि अपरिचित छथि विगत करी सांख्य -२  वला पोस्ट पढ़थि ऑडियो फाइल सुनथि। Pharynx यानि ग्रसनीमे वायु प्रवाहक महत्व बुझबाक लेल ग्रसनीसँ परिचित भेनाई जरूरी अछि। ग्रसनी लोचगर मांसल ट्यूब होइत अछि। ग्रसनी कंठ मे अवस्थित दुबटिया अछि जतसँ आहार नाल esophagus श्वांस मार्ग trachea फराक होइत अछि। श्वांस मार्ग trachea सबसँ ऊपरी छोड़ पर स्वर यंत्र Larynx होइत छैक नाकसँ लेल गेल वा छोड़ल गेल वायु एतहिसँ भए अबैत वा जाइत अछि।
   ध्वनि स्वर यंत्रमे बनैत अछि आगाँ बढ़ैत अछि। ध्वनि निर्माणक लेल वायु फेफड़ासँ ऊपर उठैत अछि
स्वर यंत्रक स्वर तंतु सबके हिलबैत छैक जाहिसँ ध्वनि बनैत अछि।  एहि तरहें ग्रसनी, ठी सं धि स्थ , दु बटिया गुहा समान अछि, जतय स्वर यंत्रमे निर्मित ध्वनि उच्चारणक लेल आगाँ बढ़बासँ पहिने खाली स्थानमे गूंजैत अछि। हम अहाँ एकर उपयोग सहज भावमे अनायास करैत छी।
   अप वाज मे अनुगूँज दमक लेल हुत कम लोक एकर उपयोग बुझबाक प्रयास करैत छथि। बुझि गेलाक बादो एकर ठीकठीक नीक जकाँ प्रयोगक सामर्थ्य कमे लोक अर्जित कए पबैत छथि कारण लगातार अभ्यास विविध प्रयोग केलाक बादे गुण सहजता सं विकसित पबैत छैक कोनो व्यक्ति अपन इच्छा आवश्यकतानुसार एकर उपयोग पबैत छथि। एहि तथ्यकें नीक जकाँ तखने अहाँ बुझि पायब जखन कियो सामर्थ्यवान व्यक्ति एकर प्रयोग अहाँक सोझां करथि।
   ओना एहि गुणसँ संपन्न टा हु नीक उदाहरण प्रसिद्ध गायक मोहम्मद रफी छथि जनिक कतेको गीतमे अवाजमे अनुगूंज सहज प्राकृतिक रूपमे सु नल जा कै छि। 
विशेष रूपसँ जँ अहाँ हु नक गाओल गीत दु नियाके रखवाले ध्यान , , पूरा सुनी तँ, एकरा आसानीसँ चिन्ह पकड़ि सकैत छी।
केओ व्यक्ति संगीतसँ जुड़ल होथि वा नहि मुदा जँ पन आवाजक कुश उपयोग करय चाहैत छथि तँ हु नका अपन अवाजक एहि सब गुणक जनतब हेबाक चाहियनि कारण विभिन्न परिस्थितिमे मात्र अपन अवाजक प्रभावशाली उपयोगसँ अपन इच्छित लक्ष्य प्राप्त सकैत छथि।
एक समान आयु, काया-धुआ, बनावटि, गढ़नि, रंग-रूप, बल- बुद्धि, शि क्षा रि वेश अछैतो दू टा वक्ताक अवाज एकदम अलग रहैत अछि ओकर मूल कारण अवाजमे इएह दम गुणवत्ता सब होइत अछि।
वाजमे दम अन बामे साँस ले बाक अभ्यासक बहुत बेसी योगदान रहैत अछि। किशोरावस्थासँ जुआन भेलाक बाद एक बेर स्वर यंत्रक स्वर तंतु सभक पूर्ण विकास भेलाक बाद ओहिमे कोनो बदलाव नहि होइत छैक मुदा साँस लेबाक अभ्यास आयुक कोनो पड़ाव पर बदलल जा सकैत अछि अपन आवाजके आरो बेसी दमगर, गंभीर ओजपूर्ण बनाओल जा सकैत अछि।
एहन कतेको व्यक्ति होइत छथि जे अपन अवाजमे दम हि भेलासँ दु खी रहैत छथि। एहन व्यक्तिकें अपन साँस लेबाक तकनीक पर ध्यान देबाक चाही। अपन अनुभवसँ हम सहजतासँ कहि सकैत छी एहन व्यक्तिक साँस हल्लुक होइत छनि। Deep Breathing यानि धीरे- धीरे देर तक साँस लेबाक धीरे धीरे साँस छोड़बाक अभ्यास केलासँ एहि प्रकारक व्यक्तिक अवाजमे दम स्वाभाविक रूपे बढ़ि सकैत छनि।Deep Breathing Technique सं ने केवल अवाजक दम बढ़ैत अछि अपितु दिमागक कार्यक्षमता सेहो बढ़ैत छैक। एहिसँ फेफड़ाक क्षमता सेहो अप्रत्याशित रूपसँ बढ़ैत छैक। खन री मे र्याप्त रूपमे प्राणवायु हुँचैत अछि , प्रत्येक अंगक कार्यक्षमता सेहो बढ़ि जाइत छैक।
 (Deep Breathing Technique पर अपना लोकनि अगिला पोस्टमे विस्तारसँ चर्च करब। एखनि , अवाजमे दम गुणवत्ता पर अपन ध्यान केन्द्रित राखी।)
अपन बजबाक क्रममे जीह, स्वर यंत्र ग्रसनीक उपयोगसँ परिचित रहिक, अवाजक गुणवत्ता सुधारल जा सकैत अछि। जँ अहाँक वाक ध्वनिमे दम नहि अछि, अपन अवाजक गुणवत्ता कमजोर लगैत अछि तँ तीन टा तथ्य पर ध्यान दिय
1. की अहाँ हुत जल्दी जल्दी बजैत छी अहाँक Pitch High अछि यानी अवाज पातर अछि। एकरा आर नीक जकाँ बुझि सकैत जखन अहाँ कोनो तमसायल व्यक्तिकें चिकरैत सुनू वा अपने जोर-जोरसँ जल्दी-जल्दी बाजिकए देखू।
2. की हाँ हु जल्दी जल्दी साँस लैत छोडैत छी ,
3. की अहाँ बजबाक क्रममे अपन जीह, स्वर यंत्र ग्रसनीक उपयोग ठीकसँ , रहल छी
एहि तीनू तथ्य पर ध्यान , , एकर जवाब ताकि , अहाँ अपन समस्याक निदान सकैत छी।
हाँ आयु चा हे जे कि छु हो जँ अहाँ अपन पिचक सबसँ नीक स्तर ताकी एहि संग प्रयोग करी वर्तमानसँ बेसी नीक वाक कला अहाँक भए सकैत अछि ताहिमे कोनो संदेह नहि। Low Pitch यानि आराम -आरामसँ धीरे- धीरे, एक- एक शब्दके फरिछाक बजबाक अभ्यास केलासँ तथा एकर ठीक विपरीत तरीकासँ बाजिकए अपन सबसँ नीक पिचके अहाँ प्राप्त कए सकैत छी। बानगी तौर पर एहि पूरा पोस्टक मात्र एहि अंशके ठीकसँ सुनिक अहाँ एकर अनुभव एखने कए सकैत छी।
  जे सब अपन ईमेल आइ डी पठा चुकल छी अपन मेल बाक्स चेक करू एखने सुनिक, बुझू जे एहि पोस्टक ऑडियो फाइल चाहैत छी से अपन ईमेल आइ डी पठाबी से आग्रह।
मात्र संगीतसं जुड़ल व्यक्तिएकें नहि अपितु मार्केटिंग, वकालत, शिक्षा सहित अवाजक विविध उपयोगसं जुड़ल प्रत्येक व्यक्तिकें अपन उपलब्ध पिचक जानकारी रखबाक चाही अवसरक अनुकूल बदलि-बदलि कए एकर उपयोग करबाक चाही।
    ई बात हम पछिला पोस्टमे सेहो कहने रही आइ एक बेर फेर अहाँ के या रैल हुँ अछि।
जँ अहाँ हुत जल्दी जल्दी साँस लैत छोड़ैत छी तँ Deep Breathing Technique सीख लिय। अहाँ एखन हमर बातक भरोस करी वा नहि अहाँक भाग्य पर निर्भर करैत अछि मुदा जँ अहाँ हमर एहि सुझाव पर गंभीरतासँ विचार करी Deep Breathing अहाँक आदतिमे बदलि जाय , अपार लाभ मात्र एक सप्ताहक स्वयं बुझबामे आब लागत।
    जँ मात्र पढ़िकए सोचैत विचार करैत रहब तँ कोनो लाभ नहि होयत कारण जे स्वतः करबाक तथ्य छैक ओकर गुण दोख कएलेसँ बुझल जा सकैत अछि, सोच विचार वा बहससँ नहि। Deep Breathing कए , देखू, लाभ निश्चित रूपसँ होयत एकर गारंटी हमरासँ एखने लिखबा  लिय।बस एहि पोस्टमे एतबे। 
  नोट - ध्यानदेब जँ अहाँ एहि विषयमे आर सहयोग जनतब चाहैत छी विस्तारसँ अपन समस्या manubhaishow@gmail.com पर अपन voice sample के संग मेल करू अपना दिससँ हम हरसंभव सहयोग देब से भरोस राखू। सहयोग अपन समाजक सेवाभावसँ पूर्णतः निःशुल्क रूपमे उपलब्ध अछि। तँए जँ पोस्ट अहाँके उपयोगी लगैत अछि , एकरा आगाँ अपन परिचित लोकनिक बीच फॉरवॉर्ड करू ताकि एकर लाभ ओहो उठा सकथि जनिका एकर सबसँ बेसी आवश्यकता छनि। 
अवाजक हार्डवेयर सॉफ्टवेयर पर जनतब आगुओ जारी रहत अगिला पोस्टमे Deep Breathing Technique पर विस्तार सँ चर्चा करब।

शुभकामनाक संग
मनोज पाठक

1 टिप्पणी:

Manoj Pathak ने कहा…

Dear Madanji good efforts. keep it up.