dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

बुधवार, 8 अप्रैल 2015

मिथिला धाम ,अमरनाथ मिश्र भटसिमरि

मिथिला धाम

सुन्दर मिथिला धाम छइ
मैथिली के मुस्कान छइ ।  

भोरे साँझे कोयली कुहकय  
पपीहरा गीत सुनाबैत छइ 

सुरूज पराते तिमिर भगावथि  
लालहि लाल विहान छइ ॥  

ठाँव महादेव घंटीक टन टन  
पौतीमें सालिग्राम छइ  

तुलसीदल सँ तिरपित होइ छइ
महिमा हिनक महान छइ ॥ 

आनन चानन कुसुमक कानन 
गेना आओर गुलाब छइ 

फुल लोढ़य लेल देखल व्याकुल 
मिथिला के सन्तान छइ ॥ 

कोशी कमला चरण पखारथि  
घरहि घर भगवान छइ 

मैथिली के सुन्दर बगिया में 
सुन्दर मिथिला धाम छइ ॥

बाग बगीचा लीच्ची जामुन  
गमगम आम लताम छइ

ठकुआ पुरी बगिया भुसबा  
घरहि में पकवान छइ ॥  

पोखरि झाँखरि बारी झारी 
माछ मखान आओर पान छइ 

लत्ती लतरल चतरल देखल 
कोनचर पर तिलकोर छइ ॥  

अमरनाथ मिश्र (भटसिमरि) 
मधुबनी मिथिला 


जय मिथिला जयति मैथिली जय श्री हरि:

कोई टिप्पणी नहीं: