dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

AAP SABHI DESH WASHIYO KO SWATANTRAT DIWAS KI HARDIK SHUBH KAMNAE

मंगलवार, 21 अप्रैल 2015

वाक कला पर आधारित नियमित श्रृख्लांक- 1

प्रियवर.....
सस्नेह अभिवादन..
   ई आँगुर, जे आखर सब टाइप कएलक अछि, पचास वर्ष पुरान भए चुकल अछि। मोन, जे टाइप करबाक निर्देश अँगुरीके रहल छैक से लगभग 45 वर्ष स्मृति सम्हारि कए रखने अछि। अतीत, वर्तमान भविष्यक आकलन करैक क्षमता रखै वला जे बुद्धि, से कहि रहल अछि, जे समय आब कम बाँचल अछि, जे कए सकैत छी से कए लिय नई हुसि जायब। अबैवला समयमे हुसि गेलाक बाद पछता कए कोनो लाभ नहि होयत। तँए सुदीर्घ अवधिक सोच विचारक बाद पोस्ट शक्ति आराधनाक महापर्व शारदीय नवरात्रि पर एक संकल्पक संग आई अपनेक सेवामे हाजिर अछि।
जनिका बुझल अछि एक बेर फेरसँ मोन पाड़ि लिय, जनिका नहि बुझल अछि सब जानि लिय पोस्ट पठबइ वला व्यक्ति पछिला 30 वर्षसँ रेडियो प्रसारण पचीस वर्षसँ टेलीविज़न प्रसारणसँ जुड़ल अछि। एहि अवधिमे कोनो वर्ष एहन नहि बीतल अछि जाहिमे एहि व्यक्तिक अबाज रेडियो वा टीवी पर नहि गूँजल हो। अबाजक आजीविका स्वान्तः सुखाय लिखनाइ पढ़नाइ, धर्मक विज्ञान पर ताकाहेरी सहज काज रहल अछि।  व्यक्ति पछिला 30 वर्षक अवाजक कारोबारी उपयोगक अनुभव निःशुल्क बाँटए चाहैत अछि ओहि प्रत्येक इच्छुकक संग जे अपन बजबाक कलाकेँ निखारए चाहैत छथि । एहन बच्चा जे भविष्यमे अवाजक उपयोगसँ जुड़ल प्रोफेशनमे (मार्केटिंग, कॉल सेंटर, टीचिंग, वकालत, रेडियो जॉकी, न्यूज़रीडिंग,टेलीविज़न एंकरिंग, वॉयसओवर, , ........ आदि, आदि... ) जेबाक इच्छा रखैत होथि वा कोनो आयुवर्गक स्त्री-पुरूष जे कोनो क्षेत्रमे काज कए रहल होथि अपन अवाजक प्रदर्शनसँ संतुष्ट नहि छथि अपन अवाज तथा बजबाक अंदाज सुधारिकए आरो नीक बनबए चाहैत छथि mail Id….. manubhaishow@gmail.com पर संपर्क कए सकैत छथि। प्रत्येक मेलक यथाशीघ्र जवाब देल जायत।
   अवाजसँ संबधित नवका पोस्ट क्रमिक रूपसँ प्रत्येक सप्ताह अबैत रहत। अगिला पोस्ट ठीक सातम दिन अही प्लेटफ़ॉर्म पर राखल जायत। पोस्ट अहाँ सुनि सकैत छी निर्णय कए सकैत छी जे एकर उपयोगिता अहाँक लेल अछि वा नहि। जँ उपयोगी लागय तँ एहि मेल के अधिक सँ अधिक लोकक संग शेयर करू। मुदा एहि पोस्टक रेकॉर्डिंग सुनबाक लेल अपन मेल आइ डी पठाऊ ताकि ऑडियो फाईल अहाँ तक पहुँच सकय। अहाँक परिजन वा परिचित जे कियो चाहथि से एहि सेवाक लाभ उठा सकैत छथि। एकर सहयोगसँ मैथिली हिन्दी भाषा शुद्ध शुद्ध लिखनाइ बजनाइ सहजतासँ सीखल जा सकैत अछि।
     अंग्रेज़ी भाषाक उच्चारणक ठीक ज्ञान, एहि व्यक्तिकें नहि छैक मुदा अवाज अंदाज निखारबाक लेल एहि पोस्टक उपयोग अंग्रेज़ीभाषी द्वारा सेहो कएल जा सकैत अछि कारण शुद्ध उच्चारण कोनो व्यक्तिक speech personality जतेक आवश्यक अंग छैक ओहिना , अवाजक गुणवत्ता, स्वरमे आवश्यकतानुसार उतार-चढ़ाव, भावनाक मिश्रण, शब्द प्रक्षेपणक गति समयानुकूल उचित शब्दक प्रयोगक महत्त्व छैक। तँए अंग्रेजी भाषी व्यक्ति सेहो एहि सेवाक लाभ मैथिली हिन्दी भाषीक समान उठा सकैत छथि।
     अहाँ दुनियाक कोनो कोनमे रहि रहल छी अपन वा अपन परिजनक, परिचितक वाक क्षमता नीक बनबए चाहैत छी एहि सेवाक लाभ उठाउ। समान अभिरूचिक एहन व्यक्ति जे सहयोगी बनिकए संग चलि सकथि हुनक सादर स्वागत अछि। 
  मनोज पाठक 


कोई टिप्पणी नहीं: