dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

मंगलवार, 20 फ़रवरी 2018

|| होली में चलते गोली रंगरसिया ||

               || होली में चलते गोली रंगरसिया ||
                           

होली में चली गेले गोली रंगरसिया
होली में------------------------------

बहलै   पछवा     ठीके   दुपहरिया
निकसलि  घर  सँ  वसंती  बहुरिया

   होली के हुड़दंग में सर  र  र र  र र र
     फाटि गेलै गोरिया के चोली रंगरसिया
                    होली में.............

भंग   तरंग   अंग   अछि    जागल
बुढ़बो  फागुन    में  देवरा   लागल

डम्फा   ताल   पे    गाबै   जोगीरा
अंगना  में चले  टिटौली  रंगरसिया
                      होली में-------------

सतरंगी   भरी  -  भरी   पिचकारी
होली     खेलथि     कृष्ण    मुरारी

भेद   भाव   नई    रंग   महल।  में
" रमण" बनल हम जोली रंगरसिया
  होली   में   चली   गेलै   गोली  ।।
                
रचयिता
रेवती रमण झा"रमण"
mo-9997313751 


कोई टिप्पणी नहीं: