dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

सोमवार, 26 फ़रवरी 2018

प्रियतम जुनि करू आब विलासे ।। रचयिता - रेवती रमण झा "रमण"

            || प्रियतम जुनि करू आब विलासे ||
                                 

प्रियतम  जुनि   करु   आब  विलासे
दीप-शिखा शशि ज्योति मलिन भेल
भानु प्रभा छथि पासे ।।  प्रियतम....

संगक  सखी   अवगत   रति  भेदहुँ
  करत           हास्य      -   परिहासे ।
  गत   रस   गंध    अंग   सब   झामर
   अरुणिम अधर उदासे ।। प्रियतम....

सगर   रैन   चैन    चित   पल   नई
वासर           धरु         सबकासे ।
पाओल      सुखद    समागम  वेला
की रवि राहु गरासे ।।  प्रियतम......

"रमण" सुमन अलि बचन श्रवण करु
   नइ      पुनि       उचित       दिलासे ।
   तृषित   मनोज  तृप्त  भय    लज्जित
     भेल चित निरस कपासे ।।  प्रियतम....

रचयिता
रेवती रमण झा"रमण"


कोई टिप्पणी नहीं: