dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

शुक्रवार, 14 अक्तूबर 2011

जागेला बादो नै हम


 
बहुत बिलम्ब भेल मुदा आब हम जाग गेल छि ।
दहेज़ नै लेब आ नै देब इ हम प्रण कऽ रहल छि ॥
सत -सत नमन करैत छि DMM के संथापक आहा के,
सत -सत नमन करैत छि मैथिल युवा आहा के,

सत -सत नमन करैत छि ,
 जे आहा हमरा जगा रहल छि
... आबो नै हम जागब त की हम ,
जागू-जागू यो ललना के पिताजी,
 कियक आहा कशाई बनल छि
बेटी बाला के जिन्दगी भर के कमाई,
कियक आहा दो दिन के पार्टी में उड़ा रहा छि ?

जागू-जागू यो युवा कियक आहा बिक रहल छि ?
शिक्षा लेल पढू, कियक आहा सर्टीफिकेट लेल पढ़ रहल छि ?

सत -सत नमन करैत छि DMM के संथापक आहा के ,
जागेला बादो नै हम जागब त की ,
 हम अपने आप के जिन्दा मानि रहल छि ?

जागू -जागू यो बेटी के पिताजी ,
कियक नै बेटी के शिक्षा द रहल छि
दू- दू टा कुल के उद्धार करत से ने कियक जानि रहल छि ?

जागू - जागू गे बेटी ,
जागू-जागू गे बहिना ,
कियक आहा भयभीत भेल छि
कानून भी आहा के साथ अछि ,
DMM भी आहा के साथ अछि ,
से ने कियक आहा जानि रहल छि ?

सत -सत नमन करैत छि DMM के संथापक आहा के
सत -सत नमन करैत छि ,
 जे आहा हमरा जगा रहल छि

आबो नै हम जागब त की हम अपने आप के जिन्दा मानि रहल छि ?

राजनारायण झा (समस्तीपुर बिहार )

कोई टिप्पणी नहीं: