dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

रविवार, 9 अक्तूबर 2011

गाडीक पहिया नर आर नारी



गाडीक पहिया नर आर नारी@प्रभात राय भट्ट

गाडीक पहिया नर आर नारी--------1
एक पहियामे हवा भरल 
दोसर पहिया पंचर परल 
जाधैर पंचर नै टलबैय   
कहू कोना गाड़ी चल्तैय

गाडीक पहिया नर आर नारी--------2  
सब कहैछी बेट्टाबेट्टी एक सामान
फेर बेट्टी किये होईय अपमान
बेट्टा इंग्लिश स्कुल में पढैय
बेट्टी किये बकरी पठरु चरबैय

गाडीक पहिया नर आर नारी---------३
बेट्टा पेन्हैय सुट सफारी
बदेल बदेल चढैय मोटर गाड़ी
बेट्टी पेन्हैय फाटल अंगी साड़ी
बारीमे उब्जबैय तिमन तरकारी

गाडीक पहिया नर आर नारी-----------४
बेट्टा खैय मिट मछली खुआ मलाई
आ घुटुर घुटुर दूध पिबैय
बेट्टी खैय सुखल रोटी पैर नून मिरचाई
आ टुकुर टुकुर माएक मुह ताकैय

गाडीक पहिया नर आर नारी------------५
बेट्टा सुतैय पलंग माएक छाती संग
बेट्टी सुतैय बिछाक पटिया बकरीपठरु संग
बेट्टा पैर लुटबैय माए बाबु अपन ममता
माए बाबु संग सूती बेट्टी के लागल सेहनता

गाडीक पहिया नर आर नारी------------६
दलानमें बैठ बेट्टा खेलैय जुआ तास
एसगर चौरीचांचरमें बेट्टी कटैय घास
भोरे सूती उठी बेट्टी बनाबैय भानस
खानामे  देर हुए ते सब देख्बैय तामस
रचनाकार:-प्रभात राय भट्ट

कोई टिप्पणी नहीं: