dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

AAP SABHI DESH WASHIYO KO SWATANTRAT DIWAS KI HARDIK SHUBH KAMNAE

बुधवार, 9 फ़रवरी 2011

भगवती के गीत (By Abhay Deepraaj)


अभय कान्त झा दीपराज के मैथिली गीत

               भगवती के गीत

जय  माँ  अम्बे ,  जय  जगदम्बे , हमरा  पर  उपकार  करू |
हम  बालक  भटकल - बौआयल  ,  जीवन  के  उद्धार  करू ||

हम   कामी ,  लोलुप   और   पापी ,  अपराधी   संसार   के |
शरण   अहाँ   के   अयलों   माता   आशा  ल  क   प्यार  के ||
चाहे   दण्डित    करू   हे  जननी ,  चाहे   बेड़ा   पार   करू |
जय  माँ  अम्बे ,  जय  जगदम्बे ,  हमरा  पर  उपकार  करू || १ 

माता  अंश  अहीं  के  हम सब  , अहीं  क  रूप  अनेक अछि |
हम   कपूत त दोष  अहीं  के ,  अहीं  क  देल  विवेक अछि ||
अब   चाहे   अहाँ   करू   तामश  ,  चाहे   हमरा  प्यार  करू |
हम  बालक  भटकल  -  बौआयल  , जीवन  के  उद्धार   करू || २

नेहक  आशा  ल   क   जननी ,  शरण  अहाँ   के  आयल  छी |
अहीं   उबारब त हम   उबरब  ,  अहीं   के  भटकायल   छी ||
अहीं   बनेलौं   मूरख    हमरा ,   अहीं    बुद्धि   आगार    करू |
जय   माँ  अम्बे ,  जय  जगदम्बे, हमरा  पर  उपकार  करू || ३ 

जग    में    हे     जगदम्बे     अहीं    स्नेहक     भण्डार    छी |
बुद्धि,  ज्ञान,  बल,  विद्या  के  अहाँ, सागर  छी ,   संसार   छी ||
हाथ   कृपा  के  राखि  माथ   पर , हमरो   नीक   कपार  करू |
हम   बालक   भटकल - बौआयल , जीवन  के  उद्धार  करू  || ४

स्वस्थ,  सुखी,  संपन्न,  धर्म - युत  जीवन  के  आशीष  दिअ |
परमारथ और पर सेवा में झुकल रहय ओ रहय ओ शीश दिअ||
बसि  क   हमर  आत्मा  में   माँ ,  पापक  अहाँ   संहार   करू |
जय  माँ  अम्बे, जय   जगदम्बे, हमरा   पर   उपकार  करू ||५ || 

                         रचनाकार - अभय दीपराज

4 टिप्‍पणियां:

raksesh ने कहा…

स्वस्थ, सुखी, संपन्न, धर्म - युत जीवन के आशीष दिअ |
परमारथ और पर सेवा में झुकल रहय ओ रहय ओ शीश दिअ||
bhaut nik

BN ने कहा…

abhay babu ahank bhagbati geet bahut sundar lagal aur hum okra gabi rahal chi.ahan s nivedan achi je maithili mai aur geet likh k tarj ke sath humra mail karu.
bhagyanarayan jha b.s.f jalandhar.

prabhanjan ने कहा…

bahut badhiya achi....

Chetan Prakash Jha ने कहा…

ehi Bhagwatee geet ke saundaryaa aatmaa ke bhaktiras san saraabore kay delak. Jon kyon maithil artist ekraa gabikay ekar casset nikaalathi ta maithil samaaj par hunkar e bahut badkaa upkaar hetanhin. Chetan......