dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

apani bhasha me dekhe / Translate

मंगलवार, 16 अगस्त 2011

पायरेसी सँ त्रस्त मैथिली फिल्म आ संगीत उद्योग ---

किसलय कृष्ण---
ओना त’ विश्वक आन भाषाक फिल्म उद्योग आ संगीत उद्योग सेहो पायरेसी सँ प्रभावित भेल अछि मुदा आन देशक कानून एहि मामला में बेसी प्रभावी अछि , जकर फलस्वरूप ओई देश सभ में पायरेसीक कम-सँ-कम संभावना रहैत अछि | भारतक स्थिति एहि मामला मे हास्यास्पद अछि | कतेक बेर देखबा मे अबैत अछि जे फिल्म रिलीज होइते ओकर अनाधिकृत सीडी बाज़ार मे बिकाय लागैत अछि | पुनः मेमोरी कार्ड , पेन ड्राइव आदि पर अनधिकृत रूप सँ डाउनलाउड कयल जैत अछि ,जाहि सँ उद्योगक स्थिति दिनानुदिन ख़राब भेल जैत अछि |
एहि सन्दर्भ मे मैथिलीक स्थिति बहुत बेसी चिंता जनक अछि | एक त’ मैथिली मे बड्ड परेशानी सँ केओ मैथिली फिल्म निर्माणक जोगार करैत अछि , छोट बाज़ार रहबाक कारणे बजट वापसीक लेल बड्ड मेहनति लागैत अछि एहि भाषाई क्षेत्र मे | ताहि पर पायरेसी घातक सिद्ध भ’ रहल अछि मैथिली फिल्म आ संगीत उद्योग लेल जकर कारण कैकटा महत्वपूर्ण कंपनी सभ मैथिलीक रेकोर्डिंग बंद क’ देने अछि | एहि सन्दर्भ मे फिल्म निर्देशक मुरलीधर सेहो मैथिल बन्धु सँ पायरेसी त्यागबाक आग्रह केलनि अछि | मैथिली फिल्म निर्माण सँ जुडल अमित अविचल आश्चर्य व्यक्त करैत छथि जे नेटवर्किंग साईट सभ पर जे मैथिल बुद्धिजीवी सभ छथि , जे मिथिला विकास लेल आफन तोरैत छैथ सेहो सभ बड्ड निर्दयतापूर्वक यु ट्यूब आ ब्लॉग सभ पर मैथिली गीत आ फिल्म सभकें डाउन लाउड क’ रहल छथि जे ठाढ़ हेबाक प्रयास मे लागल मैथिली मनोरंजन उद्योग कें विकलांगता धरि पहुंचा रहल अछि | टॉप म्यूजिक कं. ‘क मालिक रणधीर मिश्र कहैत छथि जे जखन पढ़ल-लिखल लोक सभ ऐना क’ रहल छथि , त’ अनपढ़ लोक सभ जे मोबाईल आ मेमोरी मे गीतक पायरेसी क’ रहल छथि ,त’ कोण आश्चर्यक गप्प | एहि सन्दर्भ मे भारत सरकारक गृह आ सुचना जनसंपर्क मंत्रालय कें पत्र लिखी हस्तक्षेपक मांग कयल गेल अछि |
निश्चिते समस्त मिथिलावासीक कर्तव्य बनैत अछि जे ओ पायरेसी आ अनाधिकृत डाऊनलोड सँ अपन भाषाक एहि महत्वपूर्ण पक्ष कें बचाबी, अन्यथा ई उद्योग दिनानुदिन निचा मुहें ससरल जायत |

नई दिल्ली |

रविवार, 14 अगस्त 2011

आब ने कियो दहेज मंगइए।

राठी के सभा लगइए,
घर घर हर्षक दीप जरईए,
बेटी बापक मुन हर्ष्ये
आब ने कियो दहेज मंगइए।

बेटी के आब सब पढ्बइए,
धी मे सिया के रूप पबईये ,
रामक सब कामना करईय'
आब ने कियो दहेज मंगयिए।

ई डॉक्टर ते ओ इंजीनियर,
मायक हृदय बर हर्षित होइए ,
बहिन बेटी केर मान बढहिए ,
आब ने कियो दहेज मंगइए।

माथाक पाग आब माथे रहतइ,
अप्पन भाग्य अपनहि से लिखतई ,
जय मिथिला उद्घोष करईए,
आब ने कियो दहेज मंगइए ।

"अमित" क सेहो आब मुन करईछैन्ह,
सभा गाछी दिस कदम बढ़इ छैन ,
आंखिक पट आब सब खोलईये
आब ने कियो दहेज मंगइएI

अमित मोहन झा
ग्राम- भंडारिसम, मनीगाछी, दरभंगा, बिहार, भारत।
नोट..... महाशय एवं महाशया से हमर ई विनम्र निवेदन अछि जे हमर कुनो भी रचना व हमर रचना के कुनो भी अंश के प्रकाशित नहि कैल जाय।

शनिवार, 13 अगस्त 2011


रक्षाबंधन@प्रभात राय भट्ट

जगमें अनमोल अछि भाई बोहिनक प्यार
रक्षाबंधन अछि भाई बोहिनक बड़का त्यौहार
जुग जुग जीवु रन बन सं जीतक आबू
सुख समृधि शांति भैया अबिरल अहां पाबू

जगमें अनमोल अछि भाई बोहिनक प्यार
लौनेछी बोहिन अहांलेल रक्षाबंधनक उपहार  
भेटत कतय बोहिन सन निश्च्छल स्नेहक अनुराग
बिचरण करय जगमें बोहिनक निस्वार्थ प्रेमक प्राग

जगमें अनमोल अछि भाई बोहिनक प्यार भैया
सैद्खन पावि हम अहींक प्रगाढ़ प्रेमक दुलार भैया
मुह मिठाई  माथ फाग सोभैय ललाट पैर चन्दन 
बिसरब  नै बोहिन  केर भैया बन्हैछी रक्षाबंधन 


रचनाकार:-प्रभात राय भट्ट

मंगलवार, 9 अगस्त 2011


बम बम महादेव@प्रभात राय भट्ट

बोलू यौ भैया बोल बम
बोलू ए बहिना बोल बम
मन सं बोलू बोल बम
तन सं बोलू बोल बम
सैद्खन बोलू बोल बम
बम बम महादेव बम बम बम २

बाबा रहैय भुत पिशाचक संग
बजैय डमरू आर मृदंग
पिबैय घोईर घोईर भंग
रहैय बाबा सैद्खन मतंग
नचैय भुत बैतालक संग
बम बम महादेव बम बम बम  २

गलामें बाबा केर सर्पक हार
छोडैय नाग फुफकार 
खोलू न बैद्नाथ अपन केबार 
भक्त आएल अहांक द्वार
करू न  दानी हमरो उधार
बम बम महादेव बम बम बम २

सभक नाथ बाबा पशुपतिनाथ
हमरा केने छि किये अनाथ
कल्पी कल्पी विनती करैछी जोड़ी हाथ
दर्शन दिय मोर दुखियाके हे जलेस्वरनाथ
शरणमें आएल छि अहिंके हे कप्लेस्वरनाथ
बम बम महादेव बम बम बम २

रचनाकार:-प्रभात राय भट्ट

मंगलवार, 2 अगस्त 2011

हम बजैतछि मैथिलि@प्रभात राय भट्ट

माथमें किछु घुसए नै
बात किछु बुझय नै
मुदा झुठमुठमें
या या यप यप करैत जाईछी
हम बजैतछि मैथिलि
अहां इंग्लिश किये बतियईतछि
मिथिला अछि एकटा
सुन्दर दुलहिन
मथिली भाषा अछि
एकर माथक बिंदी
हम बजैतछि मैथिलि 
अहां बजैछी किये हिंदी
माएक बोली अहां गेलौं बिसरी
आनक भाषा  लगैय मिसरी
अहां भेलौं केहन परचट
आनक भाषा बजैतछी फटाफट
हम बजैतछी मैथिलि
अहां नेपाली किये बतियाईत्छी
माएक बोली तित लगैय
आनक भाषा मीठ लगैय
मिथिलाक जन जन छि मैथिल 
भारत बसु चाहे नेपालमें रही
सैद्खन अपन माएक बोली 
मैथिलि भाषाक समान करी  
रचनाकार:-प्रभात राय भट्ट