dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

रविवार, 3 अप्रैल 2022

मैथिलि भाषा के लेल दिल्ली सरकार से मांग केएल जायत जे दिल्ली के स्कूल में मैथिलि भाषा के पढाई चालू कइल जय



      पूर्व निर्धारित समय के अनुसार  दिनांक 03 .04 .2022 के अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद के वैसार ए-581 /3 बी न्यू अशोक नगर दिल्ली में , श्री रवि सिंह महासचिव के सञ्चालन में एवं श्री रामचंद्र झा जी के अधक्ष्यता में आयोजन भेल   ,                              जाहि में निम्लिखित विन्दु पर चर्चा भेल जाहि में आय साल बाबा विद्यापति पर्व समाहरोह के आयोजन केएल जायत एवं मैथिलि भाषा के लेल दिल्ली सरकार से  मांग केएल जायत जे दिल्ली के स्कूल में मैथिलि भाषा के पढाई चालू कइल जय एवं दिल्ली एनसीआर के सव मैथिल के एक जुट केनाई एवं संस्था के पदाधिकारी के विस्तार पर चर्चा भेल जाहि में संस्था के अध्यक्ष शैलेन्द्र मिश्रा जी अपन बात रखलैत जे 2022 में बाबा विद्यापति स्मृत पर्व समाहरोह के आयोजन होयत , अगला वैसार में जगह एवं समय के घोषणा होयत एवं मैथिलि भाषा के दिल्ली स्कूल में लागु के लेल बहुत जल्द एक संस्था के पदाधिकरी दिल्ली के मुख्य मंत्री एवं उपमुख्य मंत्री से मुलाकात करत और मांग करत जे मैथिलि भाषा के जल्द दिल्ली स्कूल में पढाई चालू कइल जय अगर बात नै बनत  त बहुत जल्द दिल्ली सचिवालय के घेराव क धरना देल जायत ,                                                     दिल्ली एनसीआर के सव मैथिल के एक जुट होय के लेल आवाहन कइल गेल और सव संस्था के सेहो एक साथ आबै के लेल आवाहन सेहो भेल  , काफी संस्था एक जगह आवि गेल छैथ और सव के एक साथ लके अपन मैथिलि के हर मांग के लेल संघर्ष कइल जायत एवं दिल्ली सरकार से मांग कइल जायत जे अशोक नगर मेट्रो स्टेशन के नाम बाबा विद्यापति जी के नाम पर कइल जय एवं अध्यक्ष शैलेन्द्र मिश्रा जी कहलैत जे अपन मैथिलि भाषा के बचबैक लेल श्री चंद्र मोहन झा के माध्यम से नोएडा में मैथिलि आबाज अख़बार एवं मिथिला मिलन प्रत्रिका के सुरुवात मैथिलि में भेल एनसीआर में जतेक मैथिल रहै छैथ हर के पास पहुचक चाही जय से हर मैथिल अपन भाषा के बारे में जानकारी रहत एकर अभियान सुरु अछि सव अपन अपन विचार रखलैत एवं संस्था के विस्तार सेहो भेल ,                                                                                          महिला कार्यकारणी के सेहो गठन  भेल जाहि में श्री मति रागिनी सिंह के राष्ट्रीय अध्यक्ष श्री मति रागिनी तिवारी को महासचिव श्री मति बिभा मिश्रा दिल्ली प्रदेश अध्यक्ष श्री मति सुधा मिश्रा को उत्तराखंड के अध्यक्ष श्री मति अणु कुमारी को महाराष्ट्र के अध्यक्ष श्री मति संजू झा को उतर प्रदेश श्री मति संतोष सिंह ,रेखा ,रानी देवी के कार्यकारणी में राखल गेल एवं एवं श्री मति रागिनी सिंह के महिला टीम के विस्तार के लेल जिम्मेदारी देल गेल ,                                                                   कार्यकारणी के विस्तार कैल गेल जाहि में शैलेन्द्र मिश्रा अध्यक्ष  रवि सिंह महासचिव एवं निशांत झा  जी के मिडिया प्रभारी श्री रामचंद्र झा ,धर्मेंद्र झा ,विजय झा आज़ाद ,सचिन्द्र चौधरी ,अमरनाथ झा ,पंकज कुमार झा विनय कुमार झा ,अमोद चौधरी के उपाध्यक्ष एवं दीपक कुमार मिश्रा ,मोहन जी झा ,धीरज झा ,विद्यानंद चौधरी ,मुन्ना झा ,मनोहर चौधरी ,त्रिपुरी झा ,के सचिव एवं प्रेमचंद्र झा एवं डॉ प्रशून कुमार झा को राष्ट्रीय प्रवक्ता बनायल गेल एवं प्रेम शंकर झा के संपादक बनायल गेल कृष्ण गोपाल के कोषाध्यक्ष और विस्तार के लेल अध्यक्ष शैलेन्द्र मिश्रा जी के अधिकृत कैल गेल सव नया पदाधिकारी के अध्यक्ष जी फूल के माला से स्वागत केलैथ  

जय मिथिला जय मैथिलि

कोई टिप्पणी नहीं: