dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

सोमवार, 24 अप्रैल 2017

तिलक के हटाबू ,एही मिथिला सँ नाम

 || दहेज़ || 
गीत 
सुनू   यौ   बरागत  हमर   अच्छी   प्रणाम  | 
 तिलक  के हटाबू  ,एही  मिथिला सँ  नाम  ||  
                     सुनू  यौ --- तिलक  के ---
कानय   कुमारि  कन्या ,  सीथे  उघारि क | 
 सिन्दूरक छी  भुखलि , कहल   पुकारि क ||  
हम    निर्धन   के  बेटी , छी धर्मक गुलाम | 
तिलक  के  हटाबू,  एही  मिथिला सँ  नाम  || 
                    सुनू  यौ --- तिलक  के ---
मिथिला में जन्म बेटिक,अभिशाप भेलआइ | 
कतेको   प्राण   हत्याक , पाप   भेल   आइ  || 
आई कतय गेल  कृष्ण ,आ कतय गेल  राम |  
तिलक   के  हटाबू, एही  मिथिला सँ  नाम  || 
                        सुनू  यौ --- तिलक  के ---
तिलक  प्रथा  मिथिला  में , जाधरि  रहत  | 
अहाँ  सभक  आँखि ,  सतत   नोरे  बहत  || 
सुख   नञि  भेटत , निन्द   होयत   हराम  | 
तिलक  के  हटाबू ,एही मिथिला सँ  नाम  || 
                       सुनू  यौ --- तिलक  के ---
 "रमण " कहैत अछि , सब सँ  सुनि  लिय  | 
एक   प्रश्न  - उत्तर  बिचारि  कउ   दिय  || 
सोन   सनक    बेटा   के , बेचै  छी    चाम  | 
तिलक  के  हटाबू ,एही मिथिला सँ  नाम  || 
                      सुनू  यौ --- तिलक  के ---
रचना कार - 
रेवती रमण झा " रमण "
ग्राम - पोस्ट - जोगियारा पतोर
आनन्दपुर , दरभंगा  ,मिथिला
मो 09997313751

कोई टिप्पणी नहीं: