dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

शनिवार, 22 अप्रैल 2017

मोर वयस नादान यौ

||  मोर वयस नादान  यौ  || 

गीत 
साठी  वरष  के छथि मोर प्रियतम  
 मोर        वयस        नादान      यौ | 
हमरा  सनक  अभागलि   जग   में 
             दोसर  नञि   भगवान  यौ  || 
                      हमरा सनक ----
बाबू     यदि   एहन   वर   लयलनि 
कोना  पसन्द  माय  वर कयलनि  | 
आँखि     नोरायले  पाथर  पसिझल 
देखि    कय    कन्या - दान   यौ  || 
                       हमरा सनक ----
जखन   साजि   कोवर घर  गेलौं   
हुनका   देखि   ओतय  मुरझयलों | 
बाबूक    वयस   रहैत  त   की छल 
बाबा  के    कटलनि   कान    यौ  || 
                         हमरा सनक ----
हँसि   कय  उठ  लनि  अंग  लगौलनि 
अपन   प्रेम    सबटा      दरसौलनि  | 
"रमण "  हुनक  आलिङ्गन   परसब  
बिना     सुपारिक     पान       यौ  || 
                       हमरा सनक ---- 
रचना कार - 
रेवती रमण झा " रमण "
ग्राम - पोस्ट - जोगियारा पतोर
आनन्दपुर , दरभंगा  ,मिथिला
मो 09997313751

कोई टिप्पणी नहीं: