dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

गुरुवार, 6 अगस्त 2015

मिथिलाक दर्द

सुनु यो बाबू सूनू यो नेता । 
सूनू यो मूखिया गाम के । । 
 मोदी जी के देश मै भैया । 
 होर लगल ऐछ दाम के । । 
 आंटाक बर हल चिनिक बरहल । 
 बरहल तेलक दाम यो । । 
 सांझ क डिबिया भूक-भूक कने ।  
अंहांर ऐछ धर दलान यो । । 
 इंटर कलू बी0 ए0 कलू ।  
 कलू ऐम0 ए0 पास यो । । 
 मिथिला मे नोकरी नय ऐछ । 
 देखू दोसर राज्य यो  । । 
 हम प्रदेशी बीरेन्र्द मंडल । 
 कहै छी इ काइन के  । । 
मोदी जी के देश मे भैया ।  
होर लगल छै दाम के   ।। 
 अपने घूमैं देश -बिदेश मे । 
 भटकि हम राजे - राज्य यो । । 
 झारू-बहारू बरतन पोछा  । 
मैला ढोबैय के काज यो । । 
 वइठांमक नेता जी कहैया  । 
 भगाव बिहारि के बाईन्हः के । । 
 मोदी जी के देश मे भैया  । । 
 तोफा मिलऽल आपमान के । । 

बिरेंदर  मंडल धानूक 
 (भाई - बंधू  , हम अप्पन दूख बैक्त करैत  कोनो नेता आ र्पाटिक मन दूखब के हमर कोनो  सोच नै )

कोई टिप्पणी नहीं: