dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

रविवार, 2 अगस्त 2015

बेलगोबना

Message to Belagobanaa!!
बेलगोबना रे बेलगोबना…..
अगबे फोटो टा नहि देखे रे बेलगोबना
बेलगोबना रे बेलगोबना!!
समाचार सब पढे मिथिलाके
राखे ध्यान मे गाम सदा,
कतबू घरवाली लगे मे छौ
गाम मे मैथिली मर्यादा!!
एना जुनि बहको रे बेलगोबना!
बेलगोबना रे बेलगोबना!!
खुजलौ मैथिली जिन्दाबादक
वेबसाइट बस तोरहि लेल,
नहि चाही आरो किछु फूद्दू
जोड़ि राखि बस मिथिलालेल!
एना नहि बिसरो रे बेलगोबना!
बेलगोबना रे बेलगोबना!!
पठो खबैड़ कोनो मैथिल केर तूँ
चाहे गाम हो या परदेश,
जे देबाद छौक पठा सनेशा
बैठल-बैठल निज स्वदेश!
मैथिल रंग राँगे रे बेलगोबना!
बेलगोबना रे बेलगोबना!!
नोट: बेलगोबना माने जे अपन संस्कृति आ मैथिलत्वकेँ परित्याग कय बस आनक भाषा, भेष आ रंग केँ बेसी बढाबा दैत अछि – ओकरा लेल मैथिली जिन्दाबादक खास संदेश!!🚩🇮🇳

कोई टिप्पणी नहीं: