dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

सोमवार, 20 जून 2011

सभके लेल सौराठ सभागाछीमें आबय लेल आमंत्रण



२० जून सँ शुरु भऽ रहल अछि - उद्‌घाटन ४ बजे अपराह्न बिहारके गणमान्य नेतागण द्वारा होयत। अपने एहि समारोहमें २० जून सँ २९ जून धरि कहियो अवश्य सहभागी बनी। दहेज मुक्त मिथिला अपन सत्याग्रह मिथिलाके दहेजक द...ानवसँ मुक्ति दिलावयलेल केवल जनमानसमें जागृति फैला के जे कोनाके दहेज आइ एक कुप्रथा बनि गेल अछि, क...ोना एकर मारि गरीबी रेखा सँ नीचां रहनिहार लोकके जान लऽ रहल छैक, कोना बेमेल शादी भऽ रहल छैक, कोना लोक पाइ के बलपर दूल्हा खरीद कय रहल अछि, दहेजमें पाओल धन-संपत्तिके कोना दुरूपयोग कैल जैछ आर कोना समाज पाछू छूटि रहल अछि एहि भ्रष्ट सामाजिक-पारंपरिक-व्यवहारसँ। समय आबि गेल अछि जे एहि बदतर परंपराक स्वरूपके बदलल जाय आर एकर शुद्ध-सात्त्विक अर्थके सकारल जाउ - स्वेच्छा आ बिन-दबावपूर्ण-माँगके देल उपहार जे कन्यापक्षके द्वारा वरपक्षके देल जैछ। एहि समाजके अनावश्यक देखावटी आ आडंबरपूर्ण खर्चके बरबादी करयबाक कोनो आवश्यकता नहि अछि। इ सभ केवल आम अपील अछि दहेज मुक्त मिथिलाक - केकरो ऊपर कोनो जबरदस्ती दबाव वा कारबाही नहि जे केकरो आत्म-स्वायत्तताके विरुद्ध होय। एकर अलावे, हम सभ पंजीकरणके विधिके कंप्युटरीकृत करैके प्रोत्साहित करब आर पंजियनके महत्त्वपूर्ण परंपराके बचेबाक लेल प्रयास सेहो। अहाँ सभके आमंत्रित करैत छी एहि आबयवाला कार्यक्रम जे प्रतिदिन १० बजे विहान सँ अपराह्न ५ बजेतक सभाकालमें होयत। आउ आ जुड़ू दहेज मुक्त मिथिलाके एहि मंचपर आर संगहि हजारों लोकके भीड़-भरल मिथिलाके सुन्दर समारोहके आनन्द लियऽ। सौराठ एहि दस दिनक लेल पर्यटनके स्थल बनैक - अपन मित्र आ स्वजन लोकनिके सेहो बजाउ, संगहि अपन विचार आ दृष्टिकोण उपरोक्त समग्र तन्त्र ऊपर बेहतरी के लेल हमरा लोकनि संग बाँटू। यदि मानी तऽ, हमरा लोकनि एहि प्रयासके आनो-आनो ठाम विस्तार दी जाहिमें दहेज मुक्त मिथिला अपने लोकनिकेँ संग-सघेबाक लेल सदैव प्रतिबद्ध अछि।

दहेज मुक्त मिथिलापंजी भवन, सौराठ सभा,
मधुबनी।
 

कोई टिप्पणी नहीं: