dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

AAP SABHI DESH WASHIYO KO SWATANTRAT DIWAS KI HARDIK SHUBH KAMNAE

सोमवार, 11 अक्तूबर 2010

कि हमहूँ रहबै बेरोजगार?


                                               





 खिचरी  खायते- खायते  समय  गमेलो
 नही   भेटल   शिक्षा  केर   अधिकार ,
 बौवा नेना  कही घर से  प्यार  भेटल
 नहीं  भेटल आँगन  बारि केर  केंद अधिकार ,,
      आब  कहू यो  एस  डी ओ  साहिब
      कि  हमहूँ   रहबै   बेरोजगार ?   
 
  डिग्री  लेने   गाम   सहर  सं
  भैया  हमरो  सब  कतेक  हजार  ,
  शिक्षक पद के  आश  में सदिखन
  घुमैत  फिरैत  छैथ हाट बाज  ,,
           आब कहू यो  नितीश  सरकार  
            कि हमहूँ  रहबै  बेरोजगार ?             

 दौरते - दौरते  राईत  दिन  हम
दरभंगा , मधुबनी  लोकसभा केर दुवार ,
हारल थाकल घर  आबि हम बैसलों 
नै मिलल पंचसमिति केर अधिकार ,,
    आब  कहू यो  नेता - मुखिया
    की  हमहूँ  रहबै बेरोजगार  ?

 दिल्ली में  किछ इज्जत  अछि बाचल 
माहाराष्ट्र  सरकार  केलक  बहार ,
देश  दुनिया  के खोज खबरी सुनी 
मन  कहैत अछि,  नै  छोरू  घरदुवार ,, 
       आब  कहू यो  बिहार सरकार        
       कि हमहूँ  रहबै  बेरोजगार ?

             the end



            
मदन  कुमार ठाकुर
ग्राम/पोस्ट- कोठिया पट्टीटोल
 झंझारपुर , मधुबनी  ,
     बिहार ( 847404)
mo -91-9312460150

कोई टिप्पणी नहीं: