dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

apani bhasha me dekhe / Translate

शनिवार, 7 मार्च 2026

मिथिलावासी जागू, नहिं त देर भ' जायत। सम्पूर्ण मिथिला राज्य लेल संघर्ष के बिगुल बजाऊ।

 बिहार संग साजिश 


मिथिला के फेर दू फाङ करबाक केन्द्रक कुचक्र 

बिहार सँ मिथिला आ' मैथिली विरोधी नीतीश कुमार राज्य सभा जा रहल छथि। मुदा जावत बीजेपी आ' जदयू के तलाक नहिं हएत तावत मिथिला राज्य बननाय सपना रहत।

एम्हर केन्द्र सरकार बिहार आ' बंगाल के राज्यपाल एहेन शख्स के बना रहल अछि जकरा राजनीति सँ कम मतलब।  एडमिनिस्ट्रेशन आ' खुफिया विभागक गठजोङ मिथिला सँ अलग " सीमांचल " राज्य बनबय चाहैत अछि, जे केन्द्र शासित राज्य रहत।एहि राज्य मे बिहार आ' बंगाल सँ किछु किछु हिस्सा काटि कय बनायल जाइत। मतलब बिहार के 3 टुकड़ी मे बाँटल जाइत, सीमांचल, मिथिला आ' मगध।

सीमांचल सबसँ पहिने बनत । सीमांचल आ' मिथिला क्षेत्र के घोर विरोध आ' संघर्ष के कारण टूटल-फूटल मिथिला राज्य बनत। बचल हिस्सा मगध बनि के रहि जायत।

         बीजेपी आ' आर एस एस चिकेन नेक कोरिडोर के डर देखा ई कुकृत्य करय जा रहल अछि।

हमरा सम्पूर्ण मिथिला चाही, विभाजित नहिं।

       ई भनक त हमरा 2022-23 मे लागि गेल रहय जखन गृहमंत्री अमित शाह  एहि इलाका आबि सभा मे सीमांचल शब्द के महिमामंडन केने रहथि। यएह कारण छल जे अखिल भारतीय मिथिला राज्य  संघर्ष समिति के संकल्प मिथिला राज्य पदयात्रा-2023 जे दरभंगा सँ शुरू होय वाला छल ओकरा हम ( एहि पदयात्राक संयोजक ) आ' प्रो० अमरेन्द्र झा सहमति बना किशनगंज के छोट सनक गाम " करूआमणि " सँ शुरू केने रही।दरभंगा सँ शुरू होयवाला पदयात्रा नेपाल, भारत आ' बंगलादेश सँ सटल गाम करूआमणि सँ शुरू भेल। हमरा आ' हमरा पदयात्री दल के उत्साहवर्धन लेल डा० बैद्यनाथ चौधरी  बैजू, मित्र प्रो० उदय शंकर मिश्र, पं० विनोद झा दरभंगा सँ हमरा सब संग करूआमणि( जिला-किशनगंज ) आयल रहथि।एतय रात्रि विश्राम कय एहि गाम के सैकङों स्त्री-पुरुष आ' युवा संग पदयात्राक साक्षी रहथि। एहि पदयात्राक दौरान एकोटा मैथिल एहेन नहिं भेटला जे मिथिला राज्य विरोधी होइथ, अपितु हुनका ह्रदय मे दरभंगा-मधुबनी के मैथिल  सँ बेसी मिथिला आ' मैथिली बसल अछि।

      मिथिलावासी जागू, नहिं त देर भ' जायत। सम्पूर्ण मिथिला राज्य लेल संघर्ष के बिगुल बजाऊ।

"एकहिं संकल्प अछि ध्यान मे,

मिथिला राज्य हो संविधान  मे।".                                                                                                                     @Shishir Kumar Jha 

कोई टिप्पणी नहीं: