dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

सोमवार, 9 जनवरी 2023

एकटा आग्रह- अपन अगल बगलक परिवारक जनगणनाक समय ध्यान दऽ मातृभाषामे "मैथिली" अवश्य लिखाबी।



सरकारक विभिन्न स्रोतसँ जनतब देल जा रहल अछि जे एहि दसकक जनगणना आरम्भ भऽ गेल अछि।बिहारमे एहिबेर जातिक सूचना सेहो गणना होयत।कोनो बात नहि।जकर जे जाति आ धर्म छै से लिखेबे करता ,मुदा एहि फेरमे हमरा लोकनि पड़ि अपन भाषाकेँ नहि बिसरि जाइ। कृपया 

1•अपन आ अपन अगल बगलक परिवारक जनगणनाक समय ध्यान दऽ मातृभाषामे "मैथिली" अवश्य लिखाबी।

2• अपना गामक जनगणना 

कर्मचारीसँ सम्पर्क कऽ हुनकासँ मातृभाषाक कोष्ठमे  मैथिलीकेँ भरबाक आग्रह करी।

3• सम्प्रति मिथिलाक आधा लोक प्रवासमे रहैत अछि ,तेँ कृपया शहरी आ महानगरी क्षेत्रमे रहनिहार अपन परिवारक लोककेँ मातृभाषामे मैथिली लिखेबाक लेल मोबाइलपर स्मरण आ तगादा करैत रहियनि।

4•ध्यान रहय वर्तमानमे जँ प्रवासी लोकनि मैथिलीकेँ मातृभाषा नहि लिखौता तँ मैथिलीक वास्तविक आँकड़ा बहुत कमजोर आ निराशाजनक भऽ जायत।

5• गामसँ लऽ कऽ महानगर धरि पाठशालामे पढ़बला छात्रकेँ विशेष रूपसँ मातृभाषा मैथिली हेबाक भावना जागृत कराबी।

ध्यान रहय "जँ एखन नहि तऽ फेर कहियो नहि"।

अपन मातृभाषाक लेल एहिबेर कनेक सतर्क होउ आ प्रयास करू।

*जय मिथिला जय मैथिली ।*

कोई टिप्पणी नहीं: