dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

सोमवार, 30 जनवरी 2023

रचनाकार - श्री बद्रीनाथ राय जी


की कहियौ बहिना हम,ससुरा के हाल गे।

साउस हमर सूर्पनखा,ससुर हमर काल गे। ।


गोतनी छै गोर मुदा, गौरवे  छै आन्हर।

ढेकरइए साढ सन, नह जेना नाहर ।।

ननदी नटिनिया बड़ बजबै छै गाल गे।

साउस हमर ..... ...            

देवर छै गोबर सन,कोयला सन काया।

भैंसुर छै भैंसा सन निर्लज बेहाया।।

कंठी पहिरी करै कौआ हलाल गे।

साउस हमर ..................

बाबू दहेज देलनि किनला अनारी।

बुझए नञि बात बरद अवगुण छै भारी।।

कोठी छै ढन ढन होय भूख हड़ताल गे।

साउस हमर .....    ..        ........

घर मे नञि चिक्कस,नञि कोठी मे चाउर छै।

बारी मे ओल बहुत, उपजल खम्हाउर छै।।

नोरे  मे तरुआ तरै छी लाल लाल गे।

साउस हमर .......

सरपंचो सासुर के,मौगा छै मुखिया।

पेटु प्रमुख आओर  डीलर छै दुखिया। ।

मेम्बर  के पेट जेना,टंकी विशाल गे।

साउस हमर ...     ....    .......... 

वर हमर बुरिबक सन, फर महकारी।

भेलै विवाह देख,कोठा अटारी।।

बिगरल व्यवहार हुनक,तेकरे मलाल गे।

साउस हमर .............       ............

रचनाकार - श्री बद्रीनाथ राय जी

कोई टिप्पणी नहीं: