dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

शुक्रवार, 28 जून 2019

EE SIKHU MITHILA MAITHILÎ HETU



🙏मैथिली मे फकरा – कहावत केर कमी नहि। अहाँ सेहो एहि संकलन मे अपना तरफ सँ जोड़ि सकैत छि। आउ अपन मीठ भाषा मैथिली केर समृद्धि लेल आरो एहेन महत्वपूर्ण कहनी सब केँ संकलन करी।
१. अनेर-धुनेर के राम रखवार😃😃
२. अपना लेल लल, गोइठा बीछय चल🙂🙂
३. अन्हा गांव मे कन्हा राजा😎🤓
४. अनकर धन पाबी त अस्सी मौन तौलाबि😂😂
५. ओझा लेखे गाम बताह, गामक लेखे ओझा बताह😝😝😝😝
६. अघायल बक के पोठी तीत🐟🐟
७. कनियाँ बरक झगड़ा,👊👊 पंच भेल लबरा🙃🙃
८. कोढिया उठला त भैर घर तमला⛏⛏
९. खस्सी के जान जाय🔪🔪, खेबैया के स्वादे नय😋
१०. खीरा खा क पेनी तीत😉😉
११. घर आंगन भौजी के छलछल करै ननदो😅😅
१२. माय करै कुटान-पीसान🙍, बेटा कें नाम दुर्गादत्त😎😎
१३. चलयनय आबय त अंगना टेड़🏃🏃
१४. करनी देखियौन मरनी बेर😞😞
१५. चोरक मुंह चान सन🌝🌝🌝
१६. चालनि दूसलैन सूप के जिनका सहस्त्र टा छेद😜😜😜
१७. जखन नंगटे नहायब.😒 तय गाड़ब की😠😠
१८. जिदगर कनियां के भैंसुर लोकनिया😬😬😬😬😬
१९. पेट बिगेराय मुरही घर बिगारेय बुरही😳😳😳
२०. भोज नै भात, हर हर गीत🎼
२१. राजा दुःखी प्रजा दुःखी,जोगी के दुःख दूना😏😟😭
२२. पहिरने ओढने कनियाँ-वर, निपने-पोतने आंगन-घर😂😂
२३. तीन तिरहुतिया तेरह पाक, ककरो चुड़ा दही ककरो भात😆😆
२४. नर न झर पेटपफूला दिओर😂😂
२५. भुसकौल विद्यार्थी के गत्ता मोट🤓
२६. सरल गाय बाभन के दान😏😏
२७. सोनरा के सेवने कान दूनू सोन, बनिया के सेवने छजल भरि नून
२८. हरबरी बियाह, कनपट्टी सेनुर😂😂
२९. बहिरा नाचे अपने ताले💃
३०. हर बहय से खर खाय, बकरी खाय अचार🦄
३१. सैंया सँ छुटटी नहि, दिओर मांगे चुम्मा☺☺
३२. सब सखी झुमैर खेलै, लूल्ही कहैय हमहूं😁😁
३३. बहैय बरद आ हकमैय कुक्कुर😤
३४. धोबी के कुकुर न घर के न घाट कें🐺
३५. बियाह सं विध् भारी💅👄
३६. जेकर बड़की जिलाही तकर छोटकी भारे लागल खाय😂😂
३७. सरलौ भुन्ना त रहू के दुन्ना🐟🐋
२८. सस्ता गहूम, घर घर पूजा🙏🙏🙏
३९. माय मरइहैं ध्यिा लेल, ध्यिा मरिहहै ब्याहता सांय ले😨😨
४०. ककरो बोर-बोरे नून , ककरो रोटियो पर आपफत😁😁
४१. बाप छल पेट में, पूत गेल गया😳
४२. बाप जनमल अनड़ियाँ मे, बेटा नाम पावर हाउस😂😂
४३. बाप के नाम लत्ती फत्ती, बेटा के नाम कदीमा😉😉😉🎃🎃
४४. भुखले मुन परे कोबरक खिड़🙊🙊
४५. सभ धन बाइस पसेरी🙃
४६. नय मारि माछ ने, नय उपछी खत्ता😀😀😀
४७. मूर्खक लाठी, बिच्चे कपार😖😖
४८. पैसा नय कौड़ी आ बीच बजार मे दौड़ा-दौड़ी🏃🏃
४९. जुड़ै मियाँ के माँड नैय, माँगय मियाँ ताड़ी😝😝
५०. हम चराबी दिल्ली दिल्ली आ हमरा चरबय घरक बिल्ली🐱🐱
मैथिली भाषा ओना तऽ ७ करोड़ लोकक भाषा थीक, लेकिन अफसोस जे एतेक समृद्ध भाषाक भाषाभाषी हमरा लोकनि अपनहि भाषा केँ छोड़ि अनकर भाषा मे बेसी मस्त होइत छी। तैँ आउ, शपथ ली जे अपना भाषाक लेल एकटा काज जरुर करब।।

कोई टिप्पणी नहीं: