dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

गुरुवार, 7 फ़रवरी 2019

एक कॉल पिया के नाम ।। गीतकार - रेवती रमण झा "रमण"

                        एक कॉल पिया के नाम
                                       
एकटा बात कहै छी प्रियतम
देबैटा   कने     ध्यान   यौ ।

जौ फगुआ  में  नै आयब त
हम   कहब   बैमान   यौ ।।

हर साल आबै अगिलगुआ
विरह व्यथा तड़पाबै फगुआ

मोने   बाँटि  कतेको  राखी
     जरय सब अरमान यौ ।। जौ...

       ओहि दिन आहाँक बाट हम ताकब
रंगक बाटी घोरि कय राखब

अबितहि लाल अविरक हाथे
        आहाँक करब सम्मान यौ ।। जौ...

अकर बाद  की  कहू स्वामी
आहाँ त छी  खुद अंतर्यामी

"रमण" करू राध पथ हेरय
          लटकल अही पे प्राण यौ ।। जौ..

गीतकार
रेवती रमण झा "रमण"

कोई टिप्पणी नहीं: