dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

AAP SABHI DESH WASHIYO KO SWATANTRAT DIWAS KI HARDIK SHUBH KAMNAE

मंगलवार, 9 मई 2017

|| दहेज़ आगिलगुआ ||


हेज़ आगिलगुआ  , कहू  जायत कहिया 
जे     नै     कराबय    दहेजक     रुपैया   | 
हमर  घरे  बिलटिगेल  , दैया  गए   दैया  ||
दहेज़ आगिलगुआ -------- हमर  घरे  ---   
बेटा       खरीदने      छी ,  दैया    उल्हना  | 
देखबैया    या    गाड़ी ,  देखबैया   गहना ||  
नाच     नचौने    अइ  ,  यौ   बाबू   भैया   | 
हमर    घरे   बिलटिगेल  , दैया  गए दैया  ||
दहेज़  आगिलगुआ -------- हमर घरे  ---    
तिल  भरि  के लूरि  नञि,अछी अप ढंगही | 
हम्मर त  हम्मर , नञि सइंयो  के सगही  || 
कयने    कलमुँहीं  , कमाल   छै  गे   मैया  | 
हमर   घरे   बिलटिगेल  , दैया   गए  दैया  ||
  दहेज़     आगिलगुआ -------- हमर  घरे  ---
 देलैन    नञि   कान   बात , बेचनाक   बाबू |
"रमण "    दुख    अते , कते   हम     सुनाबू
चारु   कात   ताकी  , नञि   एको  सहैया  |
हमर   घरे   बिलटिगेल  , दैया   गए  दैया  ||
 दहेज़     आगिलगुआ -------- हमर  घरे  ---
रचित 
रेवती रमण झा " रमण "
ग्राम - पोस्ट - जोगियारा पतोर
आनन्दपुर , दरभंगा  ,मिथिला
मो 09997313751

कोई टिप्पणी नहीं: