dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

सोमवार, 4 जुलाई 2016

दहेज मुक्त मिथिलाक मासिक बैसार - महाराष्ट्र

 दिनांक 03, रविवार, 
हेज मुक्त मिथिलाक महाराष्ट्र इकाई केर मासिक बैसार सम्माननीय अध्यक्ष श्री विजय मिश्रा जीक विरार स्थित जी एवेन्यू, ग्लोबल सिटी आवास पर सम्पन्न भेल जाहि में दमुमि केर वेबसाईट, कोष व्यवस्थापन, आगामी जनसंपर्क अभियान केर गति कोना देल जाय ताहि ऊपर सघन चिंतन कएल गेल। 
  दहेज मुक्त मिथिलाक वेबसाईट जे निष्क्रिय छल ओ आय सँ पुनः शुरू भए गेल जाहि केर ऑनलाइन लिंक www.dahejmuktmithila.org अछि। एखन इ वेबसाईट पूर्णतया तैयार नहि भेल अछि। बैसार में वेबसाईट कंटेंट तैयार करबाक लेल दमुमि केर अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक श्री प्रवीण नारायण चौधरी जी, राष्ट्रीय संरक्षक श्री पंडित धर्मानंद झा ( गुरु जी) महाराष्ट्र संरक्षक श्री कुणाल ठाकुर जी, महाराष्ट्र प्रवक्ता श्री प्रकाश कमती केर भार देल गेलनि। दमुमि महाराष्ट्र केर पुर्वायोजित योजना मासिक न्यूनतम 100 टका आ अधिकतम स्वेच्छानुसार अनुदान देबाक कार्य केर श्री गणेश सेहो भए गेल।  
        दमुमि महाराष्ट्र आब हरेक मास केर दोसर सप्ताह केर रविदिन बैसार केर आयोजन करत संगहि समय समय पर अपन कएल कार्यक समीक्षा सेहो करत। बैसार में श्री धर्मानंद झा गुरूजी, श्री कुणाल ठाकुर जी (संरक्षक), श्री सुबोध मिश्रा जी (उपाध्यक्ष, महाराष्ट्र इकाई), श्री विजय मिश्रा जी (अध्यक्ष), श्री रामनरेश शर्मा जी (उपाध्यक्ष), श्री धनञ्जय झा जी (महाराष्ट्र मैथिल समाज), सचिव श्री रोशन मिश्रा, सहसचिव श्री सगुण मिश्रा जी, सहसचिव श्री आशुतोष ठाकुर जी, प्रवक्ता श्री प्रकाश कमती जी, श्री देवेन्द्र झा जी उपस्थित छलाह।
निवेदक
दहेज मुक्त मिथिला
महाराष्ट्र इकाई

कोई टिप्पणी नहीं: