dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

शुक्रवार, 5 फ़रवरी 2016

मैथिली साहित्य महासभा 21 फरबरी 2016 मे समस्त मैथिल समाज के सब जाना हकार संग स्वागत अछि।




  मैथिली साहित्य महासभा, दिल्ली केर आगामी कार्यक्रम २१ फरबरी अन्तर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवस केर उपलक्ष्य विभिन्न लक्ष्यक संग हो ताहि लेल एकटा पूर्व लक्षित प्रस्तावना अपने सभक समक्ष राखि रहल छी। खासकय तखन जखन एहि वास्ते पैछला रवि दिन संपन्न मिटींग मे उपस्थित सदस्य लोकनिक ध्यान भरिसक ओहि दिशा मे नहि गेल हम अनुभव केलहुँ।
  सर्वप्रथम, जाहि उद्देश्यक संग मैथिली साहित्य महासभा, दिल्लीक स्थापना भेल फेर सँ बुझल जाय, मनन कैल जाय आर पैछला समय मे कैल वादा केँ जरुर सँ जरुर पूरा कैल जाय। एहि वास्ते एकटा वृहत् विचार-गोष्ठी तथा समीक्षात्मक वार्ता करैत दृढसंकल्पित कार्यसमितिक चयन करब जरुरी अछि।
हमरा नजरि सँ - कार्य करबाक लेल विचारल बातः

. प्रकाशनक दिशा मे डेग
. पुस्तक खरीद-बिक्री वितरण लेल केन्द्र
. लेखन पुरस्कार - सम्मान केर वितरण
. स्मारिका प्रकाशन
. व्याख्यानमाला कवि-गोष्ठीक संग अन्य गतिविधि सँ सामूहिक सहकार्य बढेबाक आवश्यकता
. पंजियन करेबाक कोष निर्माण करबाक आवश्यकता
. देश भरि मे कार्यरत विभिन्न साहित्यिक-सांस्कृतिक तथा मैथिल विशिष्ट पहिचान पर आधारित विभिन्न संस्था सामूहिक प्रयास सँ परिचय तथा समन्वय करैत छाता संगठनक निर्माण, राजधानी मे प्रतिनिधित्व
. मैथिली अकादमी पटना अन्यान्य अकादमीक वर्तमान पर विचार - सुधार लेल समन्वयात्मक प्रयास
. दिल्ली मे उपलब्ध विभिन्न तह (छात्र, शिक्षक, पेशाकर्मी, कलाकार, रंगकर्मी, पत्रकार अन्य) मे सदस्यता अभियान
१०. साहित्य अकादमी मे प्रतिनिधित्व ग्रहण करबाक समुचित प्रयास


   भवदीय --
संस्थापक सदस्य - संजय झा नागदह 
(Sanjay Jha )
8010218022
संस्थापक सदस्य - विजय झा  
9810099451

कोई टिप्पणी नहीं: