dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

मंगलवार, 19 जनवरी 2016

अन्तरराष्ट्रिय मैथिली परिषद तथा मिथिला राज्य संघर्ष समिति- मंत्री जी से राखला मांग


न्तरराष्ट्रिय मैथिली परिषद तथा मिथिला राज्य संघर्ष समिति के राष्ट्रीय अध्यक्ष शैलेन्द्र मिश्रा केर नेतृत्वमे एकटा प्रतिनिधिमण्डल  के केन्द्रिय संस्कृति आ  पर्यटन तथा नागरिक उड्डयन मंत्री माननीय डा महेश शर्मा जी सँ भेंट क नोएडा मे एकटा भव्य मिथिला भवन केर निर्माण हेतु  आ  एकटा मुख्य मार्ग , महाकवि विद्यापति मार्ग के नाम  करबाक माङ तथा दरभंगा एयरपोर्ट के राष्ट्रीय मान्यता सङ नियमित हवाइ सेवा शुरु करबाक घोषणा करबाक माङ केलनि। 
      पूरा ज्ञापन पढलाक बाद माननीय मंत्रीजी आश्वासन देलनि जे उपरोक्त सभ माङपर हमर मंत्रालय अतिशीघ्र कारवाइ करत। मंत्रीजी कहलनि जे नोएडामे अतिशीघ्र एकटा भव्य मिथिला भवन केर निर्माण काज शुरु कएल जायत जे कि बहुद्देशीय भवन होयत। प्रतिनिधिमण्डलमे शैलेन्द्र मिश्रा, संग डा सतीशचन्द्र झा, चन्दन कुमार झा, धीरेन्द्र त्रिपाठी, कमलेश चौधरी आ सौरभ कुमार चौधरी आ अनेको ब्यक्ति उपस्थति  छला।  जय मिथिला जय मैथिली।


शैलेन्द्र मिश्रा- 
Shailendra Mishra

नॉएडा 

कोई टिप्पणी नहीं: