dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

मंगलवार, 19 मई 2015

बिहार मे होई बला एलेक्सन



 बिहार मे होई बला एलेक्सन जौ जौ नजदिक आबि रहल अछि मिथिलाबादी पार्टी सब अपन त्योरी चढा रहल छथि। "आदर्श मिथिला पार्टी  अखिल भारतीय मिथिला पार्टी और थिलाँचल मुक्ति मोमिर्चा एलेक्सन पूर्व जनता मे अपन पैठ बनबैक प्रयास क रहला अछि। इ देखि मन प्रसन्न और ब्यथित दूनू अछि। प्रसन्नता अहि बात स जे मिथिला मे मिथिलाबादी पार्टी के अस्तित्व त अछि और ब्यथित छी जे आपसी टकराव के कारण वोट केर बटबारा होयत। जाहि स गैरमिथिलाबादी दल के नुकसान कम फायदा बेसी होयत।
   
मिथिला 
आन्दोलन के पुरोधा आदरणीय डा धनाकर ठाकुर साहेब केर पार्टी "आदर्श मिथिला पार्टी" अहि बेर सेहो अपन प्रत्यासी ठाढ करत। डा. सैहैब के मिथिला आन्दोलन मे योगदान के देखैत अहि बेर समस्त मिथिलाबादी पार्टी के डा. सैहैब के संग एक भऽ चूनाव लरबाक चाही या  डा. धनाकर ठाकुर सहैब जतऽ स अपन प्रत्यासी देताह ताहि ठाम स कोनो अन्य मिथिलाबादी दल अपन प्रत्यासी नहि ठाढ करथि से सुनिस्चित हेबाक चाही। "अखिल भारतीय मिथिला पार्टी" या "मिथिलाँचल मुक्ति मोर्चा" ज आपस मे गठबंधन करैत छथि त ओहो ठीक हेतै
क। 
डा. धनाकर ठाकुर पूर्णरूप स अपना आप के मिथिला मैथिली के लेल समर्पित क देने छथि अतः डा. साहैब के सम्मान सब मिथिलाबादी पार्टी के करबाक चाही। डा. सहैब 1992 ई स मिथिला आनदोलन के अपना दम पर चला रहलाह अछि।
 
अतः सब मिथिलाबादी पार्टी स एक बेर फेर आग्रह करब जे या त "सब एक भ जाउ" या "गठबंधन" क लिय ज दूनू संभव नहि हो त डा. धनाकर ठाकुर साहैब जतऽ स अपन प्रत्यासी देताह ओहि सीट पर डा. साहैब के सम्मान मे अपन प्रत्यासी ठाढ नहि करू।

jharkhand 

कोई टिप्पणी नहीं: