dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

मंगलवार, 3 मार्च 2015

दहेज मुक्त मिथिलाक पाँचम वर्ष केर लक्ष्य

दहेज मुक्त मिथिलाक पाँचम वर्ष केर लक्ष्य
शिकायत केन्द्र केर स्थापना  विषय पर विचार आमंत्रित

भूमिका:
मार्च ३ तारीख दहेज मुक्त मिथिलाक चारिम वर्ष पूरा होमय जा रहल अछि। एहि बीच ई अभियान अपन तीन वर्ष पूरा करबाक यात्रा वृतान्तक संग जगह-जगह समाज बीच पहुँचल अछि, कतेको ठाम पहुँचय लेल बाकिये अछि। हर समाज संग सहकार्य मे एक विशेष बातक जिक्र होइत देखलहुँ जे विवाह हेतु वर व कन्या पक्ष बीच मध्यस्थकर्ताक भूमिका मे सेहो ई संस्था काज करय। कोनो पक्षक शिकायत पर सुनबाई करय। आवश्यक हो तऽ कानूनी कार्रबाई सेहो चलाबय। तखनहि एहि अभियानक समुचित प्रभाव जमीन पर नजरि आयत।
लक्ष्य-विवरण:
कोनो पीड़ित पक्ष बिना कोनो प्रकारक पूर्वाग्रह रखने - बिना कोनो सेल्फ-फेब्रिकेटेड स्टोरी (मनगढंत कहानी) बनेने विवाह पूर्व 'माँगल गेल दहेज'क आ कथा-वार्ता कोना शुरुआत केलहुँ, कोन स्तरक वरक इच्छा/माँग अहाँक छल, के मध्यस्थकर्ता छलाह, कथा-वार्ता मिलेबाक लेल कि सब शर्त राखल गेल, पैसा-कौड़ी या गर-गहना आ वर-वरियातीक स्वागतार्थ तथा बियाह-विदाई लेल खर्च करबाक लेल माँग कि सब कैल गेल, अहाँक स्वेच्छापूर्ण खर्च सँ बेसी कि सब जबरदस्ती लादबाक कूचेष्टा भेल, आदि समस्त व्योरा उपलब्ध कराउ, दहेज मुक्त मिथिला समुचित मध्यस्थकर्ताक भूमिका निर्वाह कय सकैत अछि।
सुझाव आमंत्रित:
दहेज मुक्त मिथिला सँ जुड़ल हरेक सदस्य सँ निवेदन जे एहि विन्दु पर अपन विचार प्रकट करैथ।
निवेदक:
प्रवीण ना. चौधरी
अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक,
दहेज मुक्त मिथिला
पंजीकृत कार्यालय:
ई-७५, सोम बाजार,
नन्हे पार्क, उत्तम नगर,
नई दिल्ली - ५९.

कोई टिप्पणी नहीं: