dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

AAP SABHI DESH WASHIYO KO SWATANTRAT DIWAS KI HARDIK SHUBH KAMNAE

मंगलवार, 24 दिसंबर 2013

बधाई व अपील

बधाई व अपील


  दिन ब दिन बढैत समस्यासँ निजात पबैक निमित्ते एकजुटता बढा रहल छथि। एक तरफ जेना दिल्लीक हर कोणमे महाकवि विद्यापतिजीकेर स्मृति संग-संग मिथिलाक एक पर एक विभूति - दीना-भद्री, राजा सलहेश, लोरिक समान लोकदेवता सहितकेँ स्मृतिमे अनैत फेरसँ सुदृढ मिथिला निर्माण लेल संकल्प लऽ रहल छथि, तहिना दोसर दिशि राजनीतिक-सामाजिक-सांस्कृतिक लडाई लेल सेहो विभिन्न समूह अपन-अपन काज करबा दिशि ध्यान देबय लागल छथि।

यैह क्रममे दहेज मुक्त मिथिला अभियानक प्रसार सेहो मिथिला, दिल्ली, महाराष्ट्रसँ आब हैदराबाद (आँध्र प्रदेश) तक पसैर गेल। हालहि संपन्न विद्यापति समारोहक सुअवसरपर हैदराबाद प्रभारी श्री संतोष मिश्रा एहि अभियानक बैनर टाँगि आ एकर उद्देश्यसँ जनमानसकेँ परिचित करौलनि। तहिना मुंबईक नालसोपारामे आयोजित काल्हिक बैठकसँ एहि पवित्र मुहिमकेर प्रशंसा युग निर्माण योजना, मथुरा (गायत्री परिवार) द्वारा करैत समस्त देशमे जतय-जतय ई अभियान संचालित भऽ रहल अछि ताहि सब ठाम ओ सब एकरा पूर्ण सहयोग देता से वचन देलैन। जनजागरण लेल दुनू संस्था आपसी सहयोग करत ताहि लेल प्रतिबद्धता प्रकट केलैन। आब ई दायित्व हमरे लोकनिक बनैत अछि जे जतय कतहु मैथिल कनेकबो सक्रिय छी से भारग्रहण करैत एहि अभियानकेँ अपन शहर वा गाम वा जगहपर प्रसार करैत युग निर्माण योजना समान देशक प्रतिष्ठित अभियानसंग सेहो जुडी। एहि लेल इच्छूक सदस्य संपर्क करी: १. श्री मदन ठाकुर - ९३१२४६०१५०, २. श्री राम नरेश शर्मा - ९२२१०७४१४१, ३. संतोष चौधरी - ९९१०६०७७२० वा दहेज मुक्त मिथिला सँ जुडल कोनो अभियानी सँ। दहेज मुक्त मिथिलाक हरेक शाखा पूर्ण स्वायत्तता संग कार्य कय सकैत अछि। पूर्ण आर्थिक स्वतंत्रता सेहो हासिल कय सकैत अछि, सिवाये आवश्यक सदस्यता कोरम संस्थाक विधान अनुरूप पूरा करबाक काज छोडि केन्द्रीय समिति संग कोनो तरहक घीचातीरी नहि रहबाक स्वच्छ परंपराक पालन हम सब करैत छी। शाखा लेल अधिकार वा अन्य कोनो भी विन्दुपर अपन जिज्ञासा जँ हो तँ इमेल पठा सकैत छी: pravin112@hotmail.com पर। कतहु सामूहिक विवाह, दहेज मुक्त विवाह लेल परिचय सभा, दहेज कूप्रथा विरुद्ध जागरण कार्यक्रम, गरीब वा मजदूर वर्ग बेटी सब लेल पूर्ण मुफ्त शिक्षाक व्यवस्थापन - एहि सबहक संग मिथिलाक हर तरहक धरोहरक संरक्षण लेल ई संस्था अपने लोकनि संग हर स्तरपर सहयोग करबाक लेल तत्पर रहत।

कोई टिप्पणी नहीं: