मिथिलाक गाम घर :
हमारा लग रहब : ८
मिथिल्लक गाम घर : बिबाहक बाद लाज दाख केर एकदम ताख पर राखी देलकैक माला । बात घाट भेट भेला पर तेना मूस्किया उठैक , ततेक आक्रामक मुद्रा में झाप्तैक जे प्रणव के पहिने स बेशी डर भ जैक ? गाम में अधिक काल बौआइते रहित छलैक माला आ ओकर छाह स छिह काटैत रहित छल प्रणव । नहीं जानी कतेक डर पीसी गेलिक ओकरा मों में ।
मुदा शिला स्कूल जाइते रह्ल्कैक । कहूना पास करैत मेट्रिक धरी पहूची गेलिक , बीच में माला एक बेर द्विरागमन में नाम लेल सासुर गेलिक आ नवे दिन में घुरी क जे आय्लैक से फेर सासुर जयबाक नाम नहीं लेलकैक । बहूत रास खिस्सा पसरी गेलिक ओकरा बारे म । प्रणव के दोस्त महिम , सभ टा गाम के छुरा सभ , छुरे नहीं जूआँ को - बूध्बो सभ खिस्सा में रस लेब लाग्लैक । खिस्सा नम्रित गेलिक ।
मुदा शिल्ला दोसरे रंगक बहरेलैक । प्रणव स 2 बर्षक छोट छलैक ओ । माला ओकरे बतारी रहैक । मुदा देह स दुब्बरी पातरी भ ओ के शिला अपन ब्यास स पिघ लागेक । एकदम गंभीर आ शांत । पिंद्दसयाम मुदा चमकैत रंग । पातर लाल थोर , कनेक उथल सन छोट नाक । पिघ पिघ दब दब करैत आखी । हासिक टी एकदम छोट नेना सन भ जैक आकृति मुदा , अधिक काल थोर स थोर सटल । सलवार फ्रोक्क बदला में हाई स्कूल आबैत देरी साड़ी पहीर लागल रहैक , से आर पैघ लागेक ।
प्रणव के ओही स बेसी नीक त वैह शिला लागैत छलैक जे ओकरा पीठ पर बेत लागला स खिल खिला क हसित छलैक । ओही शिला स ओतेक दर नहीं होइत छलैक ओकरा । मुदा अई शांत गूम शुम शिल्ला स ओकरा ब़र दर होइत छलैक । क्लास में ओकरा दिश तकबाक साहसे नहीं होइत छलैक ।
ओना कखनो काल धोका धाखी स यदि ओम्हर दृष्टी चल जैक त किक बेर लागेक जेना ओ ओकरे देखि रहल छलैक आ ओकर सटल ठोर पर कने मुस्की छलैक । मुदा फेर नीक स dekh laa पर लागेक जेना ओकर bharam छलैक । ओ त ohinaa गंभीर आ शांत छलैक आ ठोर parr ठोर saataal छलैक
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें