dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

AAP SABHI DESH WASHIYO KO SWATANTRAT DIWAS KI HARDIK SHUBH KAMNAE

शनिवार, 30 जनवरी 2016

मैथिली साहित्य महासभाक स्थापना दिवस - २१ फ़रवरी २०१६ कय

समस्त मैथिल मैथिली साहित्यप्रेमीजन कें नमस्कार!

पनेक  सबहक सहयोग आशीर्वाद ' मैथिली साहित्य महासभा दिल्ली अपन स्थापनाक पहिल वर्ष पूर्ण करय जा रहल अछि..२१ फ़रवरी २०१६ कय.
२१ फरवरी अंतर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवसक रूपमें मनाओल जैत अछि...संगहि दिन आब मैथिली साहित्य महासभाक स्थापना दिवसक रूपमें सेहो जानल जायत...किएक ' अही दिन स्थापना भेल छल मैथिली साहित्य महासभाक.
दिल्ली में मैथिली साहित्यकेर उन्नयन संवर्धन हेतु बनल संस्था अपन पहिल वर्ष में व्याख्यानमालाक आरम्भ सेहो कयलक. संगहि अपन स्थापना दिवस पर एकबेर फेर अपने सबहक समक्ष "द्वितीय वार्षिक संगोष्ठी : मैथिली साहित्यक वर्तमान परिदृश्य" ' ' प्रस्तुत अछि...
२१ फ़रवरी २०१६, दिन रवि संध्याकाल ३बजे एकबेर फेर प्रतीक्षा रहत अपने समस्त साहित्य प्रेमी केर नई दिल्ली केर रफ़ीमार्ग स्थित कन्स्तीच्युशन क्लबमें...
अपने सबहक सिनेह सदिखन मैथिली साहित्य महासभा के भेटैत रहत एहि विश्वासक संग...

अपनेक

अमर नाथ झा (Amar Nath Jha
अध्यक्ष
मैथिली साहित्य महासभा, दिल्ली

सोमवार, 25 जनवरी 2016

jai maithil - ek ber abasy suni


"#रसनचौकी" मिथिलाक शान जे विलुप्त होव' के कगार पर अइछ। #संगीत_नाटक_अकादमी केर सौजन्य स' दिल्ली में #जय_जय_भैरवी गीत पर देखबाक/सुनबाक सौभाग्य प्राप्त भेल। हम्मर मोन बड्ड आनंदित भेल। अप्पन अप्पन राय अवश्य दी।

Posted by Manoj Pandey on Sunday, 17 January 2016

गुरुवार, 21 जनवरी 2016

गजल

कखनो सुखक भोर लिखै छी
कखनो खसल नोर लिखै छी
मिठगर रसक बात कहै छी
संगे करू झोर लिखै छी
कारी करेजक कहबै की
बिहुँसैत ई ठोर लिखै छी
सोनक हिरण देखि क' दौड़ल
लोकक अजब होड़ लिखै छी
"ओम"क गजल की सुनबै यौ
खटगर बनल घोर लिखै छी
2-2-1-2, 2-1, 1-2-2 प्रत्येक पाँतिमे एक बेर

मंगलवार, 19 जनवरी 2016

अन्तरराष्ट्रिय मैथिली परिषद तथा मिथिला राज्य संघर्ष समिति- मंत्री जी से राखला मांग


न्तरराष्ट्रिय मैथिली परिषद तथा मिथिला राज्य संघर्ष समिति के राष्ट्रीय अध्यक्ष शैलेन्द्र मिश्रा केर नेतृत्वमे एकटा प्रतिनिधिमण्डल  के केन्द्रिय संस्कृति आ  पर्यटन तथा नागरिक उड्डयन मंत्री माननीय डा महेश शर्मा जी सँ भेंट क नोएडा मे एकटा भव्य मिथिला भवन केर निर्माण हेतु  आ  एकटा मुख्य मार्ग , महाकवि विद्यापति मार्ग के नाम  करबाक माङ तथा दरभंगा एयरपोर्ट के राष्ट्रीय मान्यता सङ नियमित हवाइ सेवा शुरु करबाक घोषणा करबाक माङ केलनि। 
      पूरा ज्ञापन पढलाक बाद माननीय मंत्रीजी आश्वासन देलनि जे उपरोक्त सभ माङपर हमर मंत्रालय अतिशीघ्र कारवाइ करत। मंत्रीजी कहलनि जे नोएडामे अतिशीघ्र एकटा भव्य मिथिला भवन केर निर्माण काज शुरु कएल जायत जे कि बहुद्देशीय भवन होयत। प्रतिनिधिमण्डलमे शैलेन्द्र मिश्रा, संग डा सतीशचन्द्र झा, चन्दन कुमार झा, धीरेन्द्र त्रिपाठी, कमलेश चौधरी आ सौरभ कुमार चौधरी आ अनेको ब्यक्ति उपस्थति  छला।  जय मिथिला जय मैथिली।


शैलेन्द्र मिश्रा- 
Shailendra Mishra

नॉएडा 

शुक्रवार, 1 जनवरी 2016

AUDIO & VIDEO- M M PRODUCTION


एम एम प्रोडक्शन प्रेजेंट्स २०१६ में लेक अनलक मस्ती विडिओ सोंग एक नजर देल जाओ