dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

apani bhasha me dekhe / Translate

Mahadev Mandal लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
Mahadev Mandal लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं

सोमवार, 11 दिसंबर 2017

भगवान

हे "भगवान", करू कल्याण
नाम'क जल्दी हो समाधान


'मिथिला' पेंटिंग हमर शान
'मधुबनी' सँ अछि पहचान
दुनु अछि मैथिल केर आन
फेर किया भेल छि परेशान
हे "भगवान", करू कल्याण

जँ इच्छा बढि जाय सम्मान
त'अ एतबे राखै जाऊ ध्यान
हरेक बाजार में होई 'दुकान'
"पेंटिंग" भेटए जाहि 'स्थान'
हे "भगवान", करू कल्याण

मुदा छोरि क ओकर ध्यान
नाम के ल करि खींचातान
सब अपने छी कोई नै आन
मिल बढाबि 'मिथिला' मान
हे "भगवान", करू कल्याण

"देव"क अछि अनुपम बरदान
'पेंटिंग' केर विश्व स्तर पहचान
हमरा सबहक अछि अरमान
सबके घर में ई होइ बिद्यमान
हे "भगवान", करू 'कल्याण'
रचनाकार -

Mahadev Mandal
11/12/2017