dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

AAP SABHI DESH WASHIYO KO SWATANTRAT DIWAS KI HARDIK SHUBH KAMNAE

शनिवार, 30 नवंबर 2019

Nipata bharahal achhi

निपत्ता भऽ रहल अछि

 निपत्ता  भऽ रहल अछि यौ
 निपत्ता  भऽ रहल अछि

  घर सऽ दलान
पोखरि सऽ मखान
खेत सऽ बासमतिक धान
बालकक मधुर जवान ।

  निपत्ता  भऽ रहल अछि -- --

दलानक लोक
ओहीठामक नोंक झोंक
कनियाक घोघ
खेनाई भरि पोख  ।

निपत्ता भऽ रहल अछि -- - -

बारी सऽ खमरूआ
थारी सऽ तरूआ
खेत सऽ  मरुआ
मेला सऽ झिली आ झरूआ ।

निपत्ता भऽ रहल अछि - - - -

  आमक अमोट
   घर सऽ सिलौट
  थी् पीस कोट
  दु टकाक नोट ।

 निपत्ता  भऽ रहल अछि - - -

ऊखरि-मुसरि आ ढेकी
बांसक कलमक सुलेखी
दालि दररबाला जांत
भोजन हेतु पुरैनिक पात ।

निपत्ता भऽ रहल अछि- - -

कंसासरक भुजाक फक्का
बारीक अरनेबाक झख्खा
घर में कोठी आ सिक्का
सवारी में टमटम आ एक्का ।

निपत्ता भऽ रहल - --- -

लालसर,चाहा आ बगेरी
कच्ची पक्की पसेरी
गुड़क बगिया
सिमरक रुई केऽ तकिया ।

निपत्ता भऽ रहल अछि - -

कुतरुमक चटनी
अमराक अंचार
सजबी दही
संझिया परिवार ।

निपत्ता भऽ रहल अछि- -

फुलही लोटा आ थाली
शुध्द दुधक मोटगर छाली
कबई, मांगूर आ इचना माछ
मेला सऽ कठपुतलीक नाच  ।

निपत्ता भऽ रहल अछि -- --- -

भोरक पराती
कोजराक जगराति
नारीक मान
पैघक सम्मान

निपत्ता भऽ रहल अछि -- - - -

🙏 *सादर समर्पित*🙏