dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

AAP SABHI DESH WASHIYO KO SWATANTRAT DIWAS KI HARDIK SHUBH KAMNAE

सोमवार, 31 मार्च 2014

सगर राति दीप जरयक इतिहास- कथाक कथा

सगर राति दीप जरयक इतिहास जे रमण द्वारा परसल जा रहल अछि, ओइमे एकर प्रारम्भ केना भेलसँ ल' ' अखन धरिक इतिहास मे बहुत रास विसंगति अछि । एकर प्रारम्भ केना भेलसँ ल' ' अखन धरिक इतिहासमे बहुत गोटेक योगदान बढ़ा क', बहुत गोटेक घंटा क', बहुत गोटेक परिवर्तित क' ' प्रस्तुत काल गेल तँ बहुत गोटे निपत्ता क' जेल गेला। कहल गेल जे ई स्वायत्त संस्था अछि मुदा चेतना समितिक दिससँ रमण आ अजित आजाद सम्मिलित होइत रहला आ जत' कियो माला नै उठेलक ओत' ई लोकनि चेतना समिति दिससँ माला उठेलन्हि आ संयोजकमे चेतना समितिक नाम नै आन नाम इतिहास बनबै लेल गेल गेल। चेतना समिति ( गौरीनाथक सूचनाक अनुसार) जखन गौरीनाथ, अग्निपुष्प आ प्रदीप बिहारी पर लिखित प्रतिबन्ध लगेलक तकरार बाद बिहारी द्वारा लिखित माफी ऐ मैरेज हॅाल ( चेतना समिति) सँ माँगल गेल, फेर हुनका रचना लेल नै, वरन ऐ कृत्य लेल अकादमी पुरस्कार देल गेल आ ओ सेहो ऐ मैरेज हॅालक प्रतिनिधि भ' गेला। फेर ई तिकड़ी श्याम देवघरे संग मिलि क' सगर रातिमे की सभ केलक से रमणक जातिवादी इतिहासमे नै भेटत।
की छल ओइ सगर रातिक रजिस्टरमे जकरा रमण कहि रहल छथि जे विभारानी हेरा देलन्हि। की ई रजिस्टर हेरा गेल बा हेरा जाइ देल गेल। मुदा किछु गप जे नै रमणकेँ बुझा छन्हि ने विभा । रानीकेँ से अछि जे आरती कुमारी अपन मृत्युसँ २-३ दिन पहिने ओकर फोटो स्टेट उमेश मण्डलकेँ पठा देलखिन्ह। ओ चाहितथि तँ कोने झारे झाकेँ सेहो पठा सकैत रहथि, मुदा हुनका झारेझा सभपर विश्वास नै छलन्हि, किए नै छलन्हि? कहल गेल छे जे शोनित अपन निशान छोड़ते अछि। शीघ्र सगर रातिक असली इतिहास।
दरभंगा बला गोष्ठी , जे ३१ म इ २०१४ केँ दरिहरे- रमण- बिहारी द्वारा साहित्य अकादेमी आ ऒकरा द्वारा मान्यता प्राप्त फर्जी मैथिली संस्था सभक संग रमण-दरिहरे-बिहारी सन - सन जातिवादी ब्राहमणवादी-कायस्थवादी तथाकथित साहित्यकार सभ द्वारा प्रायोजित रहत, आ अो एे तरहक (दिल्लीक बाद) दोसर गोष्ठी रहत जकरा रमण-दरिहरे-बिहारी ८३म गोष्ठी सेहो कहता। अोतए "राडक़ सुख बलाय " आदि कथाक वाचन हएत। मेहथ बला गोष्ठी मे रमण-दरिहरे-बिहारी सन जातिवादी ब्राहमणवादी-कायस्थवादी प्रतिबन्धित छथि।
कहल जाइ छै जे सगर राति दीप जरय नव कथाकारक लेल ट्रेनिंग सदृश अछि। नव कथाकार कलमाएल जाइ छथि! मुदा सत्य की अछि? की एंकर प्रवृत्ति साहित्य अकादेमीसँ भिन्न अछि? की ऐपर कब्जा लेल साहित्ये अकादमी सन छल प्रपंच नै होइ छल!
आ ७९म सगर रातिक हीरन्द्र झा आदि द्वारा बहिष्कार आ रमणक ओतै जातिवादी उद्घोष उमेश पासवानक नै, मैथिलीक विरोध छल, कब्जाक राजनीतिक प्रारम्भ ७९म सगर रातिसँ पहिनहियो छल। ७४म सगर राति -हज़ारीबागमे प्रदीप बिहारी माला उठेबाक प्रस्ताव केलन्हि आ से छल मात्र दोसराक प्रस्ताव खसेबा लेल। अपन ग्रुपक क़ब्जा लेल मात्र ई प्रस्ताव छल। ओ अपन प्रस्ताव अपन ग्रुपक पक्षमे आपिस ल' लेलन्हि। ओ ई नाटक ७५म सगर रातिमे सेहो केलन्हि। तँ की ऐ ब्लैकमेलिंगक धंधामे हुनकर उपयोग कएल जा रहल छन्हि आकि ओ ऐ ब्लैकमेलिंगक धंधाक मुख्य कलाकार छथि?हुनकर रचनामे जान नै छन्हि मुदा घृणित राजनीतिमे जान छन्हि। आ साहित्य अकादेमी पुरस्कार एहने गुणपर देल जाइ छै, से चेतना समितिसँ माफी मांगि पएर पकड़ि ओ निर्लज्जतापूर्वक लेलन्हि। से ओ ऐ ब्लैकमेलिंग धंधाक मुख्य कलाकार छथि जकरा बुझल छै जे नीक रचना लिखबापर ध्यान देनाइ मूर्खता छै, ओइसँ प्राइज नै भेटै छै, साहित्य अकादेमी लेल जोड़-तोड़ चाही आ ओइमे ओ मास्टर छथि, मैथिली गेल तेलहण्डामे।
आ ऐ परिस्थिति मे नव कथाकारक ट्रेनिंग नै भेलै, जतेक लोक सगर रातिसँ जुड़ला ओइसँ बेसी हतोत्साहित क' मैथिली साहित्यसँ दूर क' देल गेला, नेट रिजल्ट माइनसमे रहल!
बहिष्कारक राजनीतिसँ सुपौल, देवघर आ नरहनक गोष्ठी प्रभावित रहल तँ कब्जाक राजनीतिक अन्तर्गत काठमाण्डूक सगर रातिमे कोनो स्थानीय साहित्यकारकेँ धीरेन्द्र प्रेम र्षि हवा नै लाग' देलखिन्ह जे एहन कोनो गोष्ठी हुअएबला अछि, मनोज मुक्ति ई सूचित करै छथि।
अशोक अविचल, श्याम दरिहरे, रमण आदि देवघरक आयोजक ओमप्रकाश झापर साहित्य अकादेमीक गोष्ठी केँ सगर रातिक मान्यता देबा लेल ब्लैकमेलिंगक क' ई शर्त रखलन्हि जे तखने ओ संभ ऐमे सम्मिलित हेता आ नै तँ बहिष्कार करता।मुदा आरती कुमारीक हत्याक बाद ई पहिल मौका छल बलैकमेलर सभकेँ हरदा बजेबाक ; आ समीक्षा-प्रतिसमीक्षासँ बढ़ैत ई गोष्ठी अभूतपूर्व सफलता प्राप्त केलक, बलैकमेलर सभक बहिष्कार ओकरा आर सबल बनेलकै। दरिहरे आयोजककेँ कहलन्हि जे साहित्य अकादेमीक गोष्ठी केँ मान्यता सगर रातिक रूपये भेटए, तइ लेल मैथिली लेखक संघ,पटनाक बैसकीमे रमणक कहलासँ ओ ऐलेल फ़ोन केलखिन्ह। अविचल सेहो आयोजककेँ सएह कहलखिन्ह।
देवघर गोष्ठी ट्रेनिंग स्कूल सिद्ध भेल, रमण, दरिहरे आ बिहारी अबितथि तँ सिखितथि जे केना रचनामे ओ क्वालिटी आनि सकै छथि, मुदा ओ सभ प्रैकटिकल छथि, बुझल छन्हि प्राइज़ टा लेल लिखल जाइ छै आ से जोड़-तोड़सँ भेटै छै, क्वालिटीसँ नै, अविचल मे प्रतिभा लेशो मात्र नै छन्हि, हुनका कोनो ट्रेनिंग किछु नै द' सकतन्हि, से ओ नै आबि अपन टाइम बचेलथि आ से नीके केलथि।
सगर राति दीप जरयमे कव्ालिटी आबि जाएत तँ बिहारी-दरिहरे-रमण सन मेडियोकरकेँ के पूछत, से ओ सभ राड़केँ सुख बलायक लेखकक संग दोसर साहित्य अकादेमी गोष्ठी करता जत' ब्राह्मण युवा सभकेँ राड़केँ सुख बलाय सन् नीक कथा केना लिखल जाए तकर ट्रेनिंग रमण-बिहारी-दरिहरे द्वारा देल जाएत। नीके अछि, मूर्ख सभक प्रवेश सगर रातिमे थम्हत। आ परोक्ष रूपेँ ऐ लेल मैथिली साहित्य रमण-बिहारी-दरिहरेक आभारी रहत।
दरिहरे-बिहारी-रमणक बहिष्कारक रणनीति द्वारा सगर रातिपर कब्जाक राजनीति आरती कुमारीक संग भागलपुरमे चलि सकल मुदा वएह राजनीति २ सालक बाद देवघरमे तेनाकेँ फ़ेल भेल जे ओ सभ पहिने सगर रातिसँ पलायन केलन्हि आ फेर निकालि देल गेला। ब्राहम्णवादी भाषाक रूपमे विश्वमे ख्यात ऐ साहित्यमे कोन प्रक्रिया चलि रहल अछि जे ई संभव केलक? सगर राति दीप जरयक ब्राहम्णवादी अनुष्ठानकेँ एकर स्वयंभू पुरोहित सभ द्वारा आरती कुमारीक बलि देल जा चुकल छल। भयक ऐ वातावरणमे ई परिवर्तन केना भेल जे रमण-बिहारी-दरिहरे नै बूझि सकला?
मैथिली भाषाक ब्राह्मणवादी चरित्रमे भाषाक संग ख़ूब खेल खेलाएल गेल छै। राड़क मतलब एत' छै (ब्राहम्णक नजरिमे) भुमिहार,राजपूत, कायस्थ सहित सभ आन जाति। अपन बच्चाकेँ यौ आ राड़क बुढ़बाकेँ हौ! कहबी मे सेहो बेइमानी, जेना- दस ब्राहम्ण दस पेट, दस राड़ एक पेट! मुदा हमर माँ कहै छथि जे ई कहबी मात्र ब्राहम्णमे छै, आन सभ कहै छथि- दस राड़ दस पेट, दस ब्राह्मण एक पेट। मुदा बिहारी सन मेडियोकर साहित्यकारकेँ ई सभ गप नै बुझल छन्हि- ओ बुझै छथि जे राड़केँ सुख बलाय तँ जगदीश प्रसाद मण्डलपर रमण-बिहारी-दरिहरे लिखबेने छथि। रमण आ दरिहरे तँ ठीक सोचै छथि मुदा बिहारी तँ कायस्थ छथि आ दरिहरे-रमणक परिभाषा अनुसार राड़केँ सुख बलाय जगदीश प्रसाद मण्डलक अतिरिक्त हुनके टा पर नै वरण समस्त मिथिलाक गएर ब्राहम्णकेँ देल गारि अछि।
विदेह घरे-घरे घुसि चुकल अछि, से ३१ मइ२०१४ केँ रमण-दरिहरे-बिहारीक "राड़केँ सुख बलाय"कथा गोष्ठीमे शामिल सभ ब्राहम्ण छद्म कथाकारक लिस्ट हमरा ०१ जून २०१४ क भोरमे चाही।
२. आब आउ सगर रातिकेँ खतम करबाक साहित्य अकादेमीक मैथिली शाखा आ ओकरा द्वारा मान्यताप्राप्त फ़र्ज़ी संस्था सभक पर।
३ रम ण साहित्य अकादेमीक मैथिली शाखासँ लाखक लाख असाइनमेण्ट क़ताक सालसँ ल'रहल छथि, से हुनका ई भार देल गेलन्हि जे सगर रातिपर विदेहक प्रभावकेँ ओ ओहिना ख़त्म करथु जेना आरती कुमारीकेँ ओ बिहारी-दरिहरे संग मिलि क' ख़त्म केने रहथि। मुदा हुनकर एस्टीमेट ऐबेर गड़बड़ा गेलन्हि, मैथिली लग आब पाठक छलै, शक्ति छलै, स्तर छलै, से मेडियोकर रमण-बिहारी-दरिहरे नै बुझि सकला। ख़ून रंग आनै छै, चेन्हासी छोड़ै छै ़़़़........ख़ून खूनीकेँ ताकि लै छै़़़.
मिथिलामे दुर्गापूजामे मोटामोटी चन्दा ओसूलि क' पूजा होइ छै। बस रोकि क' चन्दा ओसूली सरस्वती पूजा लेल आब शुरू भ' गेल छै, पहिने नै होइ छलै, कारण ई पर्व व्यक्तिगत निष्ठासँ सम्बन्धित छल। ओ निष्ठा यज्ञोपवीत करबा क' मूर्खतापूर्वक मोछैल आ क्लीन शेव ( संगे प ाग पहिरने!) विद्यापतिक कोनो तत्कालीन वेशभूषाक अध्ययनसँ रहित जातिवादी कलाकार द्वारा बनाओल फोटोपर माल्यार्पणक विद्यापति पर्वमे सेहो नै भेटत। ई विद्यापति पर्व सभ , जातिवादी रंगमंच , साहित्य अकादेमीक मैथिली शाखा, प्रज्ञा संस्थान, साझा प्रकाशन आ सगर राति दीप जरय मैथिलीमे कट्टरता बढ़ेलक आकि घटेलक?
२. विश्वकर्मा पूजा, दुर्गापूजा आदि ई दाबा नै करैए जे ओ सभ मैथिली लेल काज करै छथि। मुदा ई सभ समाजमे मिलि काज केना करी से सिखबैए। एकर विपरीत विद्यापतिकेँ यज्ञोपवीत करबाकेँ जे सांस्कृतिक संस्थापर कब्जाक राजनीति सिखाओल गेल से जातिवादी रंगमंचमे पैसल, कोलकाताक कु र्मी-क्षत्रिय समाज मैथिलीसँ अलग क' देल गेल। छिट्टाक छिट्टा पोथी आ सम्मान मैथिल ब्राहम्ण आ कर्ण कायस्थ लेल रिज़र्व भ' गेल। दोसर जँ हिम्मत केलक तँ बुढ़ा सभ लफुआ युवाकेँ साहित्यकार बना क' हुलकाब' लगला। "राड़कँ सुख बलाय"क लेखक केँ श्याम दरिहरे, प्रदीप बिहारी आ रमानन्द झा रमण द्वारा हुलकाएब ऐ प्रक्रियाक टटका उदाहरण अछि। मुदा ई प्रक्रिया जे ५० सालसँ मैथिलीमे ब्राह्मणवाद आ कायस्थवादक संजीवनी बूटी छल कोना धराशायी भ' गेल। मैथिली साहित्यमे एहन की भ' रहल अछि, कोन ऐतिहासिक क्रिया- प्रतिक्रिया चलि रहल अछि जे ई संभव केलक, आ जे रमण-बिहारी- दरिहरे आ हुनकर सभक आका साहित्य अकादेमीक मैथिली विभाग आ जातिवादी रंगमंच नै बूझि सकल?
३. सगर राति दीप जरय द्वारा ब्राहम्ण युवामे जे कट्टरता ढुकाओल जा रहल छल से जखन तोड़ल गेल तँ बिहारी- रमण- दरिहरे आ आका सभ बूझि नै सकल जे की भ' रहल अछि आ अन्ततः ओ सभ अपन पेशेन्स खतम क' लेलन्हि। मुदा ऐबेर तँ दुनियेँ उनटल छल।
रहुआ संग्रामक कथा गोष्ठीमे रमणजी सहित सभ निर्णय लेलन्हि जे राति भरि कियो नै सुतता, मुदा भोजनसँ पहिने जखन सभ नामी(!!) कथाकारक पाठ क' सुति रहला तँ भोरहरबामे जे युवा सभ नामी कथाकार लोकनिक कथा सुनने रहथि, तिनकर नम्बर एलन्हि। आशीष अनचिन्हार जखन कथा पढ़ैले एला तँ संचालक ओंघा रहल छला आ मात्र अध्यक्ष शिवशंकर श्रीनिवास जागल रहथि, नै सुतबाक निर्णय लेनहार रमणजी फोंफ काटि रहल रहथि, जकर विरोधमे अध्यक्षक कहलाक उपरान्तो आशीष अनचिन्हार कथा पाठ करबा सँ मना क' देलन्हि; ओ पोस्ट माडर्न कथा बादमे "विदेह लघु कथा" मे छपल।
मुदा ब्राह्मणवादी सेंसर प्रक्रिया एतेक जब्बर छै जे ने आयोजक, ने रमण आ ने अध्यक्ष- संचालकक फर्जी सगर रातिक इतिहासमे एकर वर्णन भेटत। अरुचिकर गपकेँ झँापि देबाक ब्राह्मणवादी प्रवृत्ति एकर कारण अछि।
८१ टा सगर राति भेबो कएल आकि नै, लोक हमरासँ पुछै छथि। पहिने डाकसँ रचना आबै आ से नामी (!!) कथा सभ पढ़ल जाइ छलै, जे युवा सभ सदेह आबथि तिनकर नम्बर एबे नै करन्हि, एबो करन्हि तँ सुतलाहा बेरमे, मुन्नाजी जखन एकर विरोध केलन्हि तँ वएह कहल गेल, गप झाँपू, रजिस्टरमे ओइ नै एनिहार सभक सेहो उपस्थिति दर्ज भेल तेँ। बहुत कथा गोष्ठीमे दसो टा कथाकार नै एला, मुदा उपस्तिथि रजिस्टरमे बहुत रास उपस्थित भेटता, किछु एबे नै केला, किछु डाकसँ एला(!!) आ किछु हाजरी बना क' निपत्ता भ' गेला सेहो। जेना युद्धमे ३००० सँ कम मुइने ओकरा युद्ध नै कहल जाइए, तहिना दस टा सँ कम उपस्थितिकेँ सगर राति केना कहल जा सकत? ८१ क संख्या बड्ड कम भ' जाएत, ८१ बड्ड बेशी होइ छै, एतेमे तँ शान्त क्रान्ति भ' जइतए, से किए नै भेल तकर कारण ऊपर देल अछि।
ऐ समानान्तर आन्दोलनमे हमरा सहयोग चाही बा विरोध, धनाकर ठाकुर आ गंगेश गुंजनक "आइडियोजिकल न्यूट्रेलिटी"क मतलब सेहो एकेटा छै, आ से छै समानान्तर धाराक विरोध।
आ इतिहास हमरो मूल्याँकन करत आ हुनको ( विरोधी आ न्यूट्रल फिफ्थ कालमनिस्टक) ।
बहुत लोक ऐ तरहक कमेण्ट पछिला ६ सालसँ द' रहल छथि जे आब विदेह बदलि गेलै, ओकरा सभ सन भ' गेलै।विदेहक उद्देश्य ने बदलल छै आ ने बदलतै। कोन व्याख्या ककर तुष्टीकरण छै से स्पष्ट बिन केने ऐ तरहक कमेण्ट कएल जाएत अछि। हुनकर आशा जँ ई रहैए जे मैथिली साहित्य केँ युवाक उत्साह विदेहक माध्यमसँ नव दिशा प्राप्त करत आ से आब लागि रहल अछि जे से आब व्यक्तिगत कुण्ठाक मंचक रूपमे दुरुपयोगी भ' गेल अछि तँ ऐ सम्बन्ध में हमर यएह कहब अछि जे सत्यक कियो उपयोग क' सकैए आ कियो दुरुपयोग , जे हुनका दुरुपयोग आ व्यक्तिगत कुण्ठाक तुष्टीकरण आब लागि रहल छन्हि से बहुत गोटेकेँ ६ साल पहिनहिये सँ लागि रहल छन्हि, आ तकर व्याख्या हमरा लग यएह अछि जे ओ सभ मात्र विदेहसँ सिम्बोलिक विरोधक आशा करैत रहथि, असली परिवर्तन नै चाहनहारकेँ यैह असली ब्राह्मणवाद बुझेतन्हि, कारण बदलल पात्र सँ ब्राहम्णवादी मानसिकता उद्वेलित भ' गेल छै, ओ गेल तँ हम अबितौं मुदा ई सभ के आबि गेल। अहाँकेँ बुझबाक चाही जे मैथिली आगाँ एलै, जकरा जतेक प्रतिभा छलै ओ विदेहक माध्यमसँ ततेक सिखलकै आ ततेक आगां बढ़लै आ बढ़तै। किछु लोक जँ स्वार्थक लेल विदेहसँ जुड़ला मुदा आनुवंशिक जाति श्रेष्ठता हुनकासँ विदेहक निश्छल प्रयासोक बावजूद नै गेलन्हि, आ जइ विदेहकेँ ओ साहित्य आन्दोलन बुझै छला ( हृदयसँ नै) आ विदेहकेँ इमोशनल ब्लैकमेल, धमकी , हमरा आ हमरा परिवारकेँ ईमेल- फोनसँ गारि, छोड़ि क' जेबाक धमकी ( छोड़ि क' जेबाक धमकी देनिहारमे संयोगसँ अखन धरि मात्र ब्राहमणे छथि जिनका लगै छन्हि जे सिमबोलिक प्रोटेस्ट धरि मात्र विदेह सीमित रहितए), जे आब अहँू वएह (!!), बुझलौं प्राइज़ लेल, फलनाकेँ दिआबए चाहै छिऐ, व्यक्तिगत राजनीति , विदेहक भला नै हएत, ई सभ ६ सालसँ सुनि- सुनि हमर कान पाकि गेल अछि। रामदेव झा आ अमर पहिनेँ कहैत रहथि, हम अपन कनियाँकेँ पुरस्कार दिआब' चाहै छिऐ, सभ हँसि देलकन्हि जे साहित्य अकादेमीक मैथिली विभाग निर्वस्त्र अछि दोसराकेँ की सम्मानित करत तँ आब कहि रहल छथि जे उमेश मण्डल , राजदेव मण्डल, बेचन ठाकुरकेँ हम पुरस्कार दिआब' चाहै छिऐ। मोहन भारद्वाज देवशंकर नवीनक सोझाँ कहै छथि जे गजेन्द्र ठाकुर पागले ने छै जेना लखन झा छलै। दरिहरे सेहो लाल बुझक्कर छथि, हुनका आब बुझबामे आबि गेलन्हि जे हमरा साहित्य अकादमी सँ झगड़ा अछि तेँ, व्यक्तिगत राजनीति तेँ। बिहारी मुन्नाजीकेँ फ़ोन करै छथि आ कहै छथि मात्र जगदीशे मण्डलकेँ किए आगाँ बढ़ाओल जा रहल अछि (!!) ब्राहम्णवादी मानसिकता ई छिऐ, जे जगदीश मण्डल मेरिटसँ नै , बढ़ेलासँ आगाँ बढंल छथि जेना मैथिली साहित्यमे पहिने होइ छलै। प्रदीप बिहारी मुन्नाजीकेँ कहै छथि जे विदेह किए जातिवादी रंगमंचक विरोध करैए, किए समानान्तर परम्परा भ' ' मूल परम्पराक गुणवत्ताक समीक्षा करैए, समानान्तर तँ मूलसँ मिलित्े नै छै तँ किए हमर सभक नाम लै छी , अलग रहू, यएह छिऐ असल ब्राहम्णवाद- कायस्थवाद। चर्चे नै कर, काने बात नै दे!! आ ईहो संयोगे अछि जे जइ २-४ टा लोककेँ दिक़्क़त छन्हि से ब्राहम्णवादी प्रवृत्तक छथि, अनका ई दिक़्क़त किए नै छन्हि। पछिला ६ सालसँ विदेह जहिना छल ओहने रहत, अगिला कमसँ कम ३० साल धरि मैथिली साहित्य आब अहिना चलत। विदेहमे जकरा जे मेरिट छै ओ ओतेक बढ़त, चाहे ओ कोनो जाति, धर्म, क्षेत्रक होथि। विदेह जिनका बदलल लागि रहल छन्हि ओ स्वयंकेँ देखथु जे ओ तँ नै बदलि गेल छथि?
आब फेर आउ सगर राति दीप जरय पर।
अलिखित संविधानक नामपर बहुत रास खेल भेलै। ई मुख्य रूपेँ कथावाचनक गोष्ठी छिऐ मुदा एत' आलोचनात्मक आलेख पढ़बाक सेहो अनुमति छै आ से जँ अहाँक नाम रमण अछि तखने टा, से जखन कबिलपुर गोष्ठीमे मुन्नाजी विहनि कथा पर आलेख पढ़बाक अनुमति मांगलन्हि तँ से अनुमति नै भेटलन्हि, आ एत' अलिखित संविधानक सोंगर लेल गेल, आ तकर दूटा कारण , एक तँ मुन्नाजीक नाम रमण नै छियन्हि, दोसर विहनि कथाक कनसेप्ट विदेह द्वारा आगाँ बढ़ाओल जा रहल अछि से तकर विरोध, किए नै ओ कनसेप्ट कतबो वैज्ञानिक होइ।
झंझारपुर गोष्ठी मे जे एला तिनकर कथाक पाठ नै भेलन्हि मुदा डाकसँ आएल कथाक पाठ भेल, आ जँ अहाँ अविनाश छी सुमन-अमरकेँ गारि लिखै छी यात्रीक नामपर , तँ अहूँ कथाकार, कवि सभ , नै रहितो , छी, देवघर गोष्ठीक संयोजकत्व सेहो बोनसमे अहाँकेँ भेटत। से घोंघरडीहा गोष्ठीमे जिनका सभकेँ कथा नै पढ़' देल गेलन्हि, ओ सभ युवा एकर विरोध केलन्हि, किछुकेँ कथा पढ़' देल गेलन्हि आ जिनका नै पढ़' देल गेलन्हि से अगिला कथा गोष्ठीसँ एनाइ बन्द क' देलन्हि।
जे सभ मैथिली फिल्म आ डोक्यूमेण्टरीक नामपर लोकसँ पाइ ठकलन्हि से रमण- दरिहरे- बिहारीक विदेहक विरोधमे संगी छथि, जे युवा प्राइज़ लेल मैथिलीयोमे लिखना्हि, जातिवादी सभसँ मिलि साहित्य अकादेमीक युवा पुरस्कार लेलन्हि ओ तँ स्वाभाविक रूँपे हुनकर संगी हेता।
विदेह उमेश मण्डल आ जगदीश प्रसाद मण्डलक कान्हपर बंदूक राखने अछि, यूज़ क' रहल अछि, आ जँ हुनकर सभक रचना नै छप' देल जाइत, "तिल बहब ने" छपबासँ पहिने , सकरबाबल जाइत, तखन सभ ठीक छल। ब्राहम्णवादी सभ जेकाँ विदेह कोनो काज कएलासँ पहिने "तिल बहब ने"क शर्त क़रार नै करबैए आ सएह कारण अछि , नव ब्राह्मणवादी ई नै बूझि सकला, धू, एहनो क़तौ भेलैए। बिनु जान- पहिचान, भेंट- घांटक मात्र मैथिलीक नामपर सभ एकत्रित भ' गेल से हुनका अजगुत लगलन्हि।
प्रदीप बिहारी मुन्नाजीकेँ कहै छथि आ ई विचार रामदेव झाक सेहो छन्हि जे जखन विदेह साहित्य अकादेमीक समानान्तर पुरस्कार शुरू कैए देलक तखन साहित्य अकादेमी लेल शोर किए? माने ओकरा बकसि देल जाए! अशोक अविचल शिवकुमार जीकेँ कहै छथि जे मायानाथ झा, आनन्द कुमार झा ( ऐमे गुणनाथ झा जोड़ि लिअ) आदि जिनका सभक चर्चा विदेह केलक सभकेँ साहित्य अकादेमी पुरस्कार भेटलै, तँ हुनका उत्तर भेटल छलन्हि, जँ हुनकर सभक नाममे झा नै मण्डल रहितन्हि तँ की ई संभव छल?
आ साहित्य अकादेमी कोनो मनुक्ख नै छिऐ जकरा संग भतबरी कएल जाएत आ ने ककरो पैतृक संपत्ति जकर उपयोग ब्राहम्ण कायस्थक तथाकथित साहित्यकारकेँ ख़ैरात बँटबा लेल आब कएल जा सकत।
आ हमरा विषयमे जखन सभकेँ बुझबामे आबि गेलन्हि जे नै रौ, ई अपना सभ सन नै अछि, विदेह अपना सभ सन नै छौ, तँ हुनका सभ केँ आर चिन्ता लागि गेलन्हि! रौ कहीं, ईं हो सभ हमरे सभ सन, कहीन, ई जे अपने प्राइज़ लेब' चाहैए बा दोसराकेँ दिआब' चाहैए....
ब्राह्मणवाद मैथिलीकेँ गीरि गेलै, आ सभकेँ बुझल छै जे दूटा सहोदरो एक रंग नै होइए, से पूरा जाति नीक बा अधला हेतै ई कनसेप्ट विदेहक नै छै, ओ तँ ब्राह्मणवादी कनसेप्ट छिऐ।
अतुलेश्वर झा छथि ओना तँ ब्राहम्णवाादक विरोधमे रहथि मुदा पाग आ विद्यापतिक हमर लेख क बाद अलग भ' गेला़, आ एहेन बहुत रास लोक छथि, प्रेम चन्द्र पंकज आ अभय दासकेँ कोनो ने कोनो बात ल' ' विदेहसँ घृणा भ' गेलन्हि, आ ई गप ओ सभ मुन्नाजीकेँ सूचित केलन्हि जे ओ लोकनि विदेह पढ़नाइ आब छोड़ि देलन्हि, प्राय: आब ओ सभ चोरा नुका क' विदेह पढ़ै छथि, कारण सभ गतिविधिक जानकारी हुनका सभकेँ रहै छन्हि।
आब सगर राति पर आउ, यात्री दिससँ सुमन- अमर केँ गारि देनहार आ अमर- सुमन दिससँ यात्रीकेँ गारि देनहार, मैथिली साहित्यमे ब्राहम्णवाद बचेबाक लेल विदेहक विरुद्ध दरिहरे- रमण- बिहारीक संग आबि गेल छथि अंतिम लड़ाइ लड़बा लेल।


गुरुवार, 27 मार्च 2014

आदर्श विवाह प्रारूप

आदर्श विवाह प्रारूप

 सुझाव आमन्त्रित अछि।


परिभाषा:

आदर्श विवाह:
एहेन विवाह जाहिमें वर पक्ष एवं कन्या पक्ष पूर्ण स्वतन्त्र भाव सऽ केवल वर-कन्याक विवाह हेतु सहमत होइथ तथा विवाह कोना होयत ताहिपर एक समाजिक समझौता तैयार करैथ जेकर मान्यता सर्वोपरि हो तथा हर कार्य ताहि समझौता अनुरूप हो। सामान्यतया एक आदर्श-विवाहमें समाज द्वारा निर्धारित दुनू पार्टीक आर्थिक अवस्था आ व्यवहारिक जरुरति अनुरूप समुचित स्वरूपमें हो परन्तु वैवाहिक सम्बन्ध निर्धारण हेतु कुल खर्चके सीमांकन अधिकतम ५१,०००.०० रुपया मात्र हो।

समझौता:
समझौता में प्रथमतः वर-पक्ष एवं कन्या-पक्ष आपसी वार्ता करैथ आ लगभग सभ विन्दुपर आपसी सहमति मौखिक रूपसँ तय करैथ तदोपरान्त समाजके उपस्थिति रखैत बेटीवाला सँ वैवाहिक खर्च संवरण लेल कि-केहेन सामर्थ्य छन्हि ताहिपर खुल्ला चर्चा करैथ आ दुनू पक्ष अपन-अपन भावना समाजके समक्ष राखैथ आ जाहि विन्दुपर सहमति-असहमति प्रथम वार्तामें बनल ताहिपर समाज के वरिष्ठ संरक्षण अभिभावकवर्ग सँ विचार लैत अन्तिम सहमति कायम करैथ आ एक लिखित समझौता तैयार करैथ जे दुनू पक्ष अपन-अपन ईष्ट कुलदेवी-देवताके समक्ष आशीर्वाद प्राप्त करय लेल राखैथ आ एहि अनुरूपें अन्य सभ बात सामान्य रहला पर अनुसरण करैथ। समझौता में सभ सऽ प्रमुख बात के पूर्णतः वर्णन हो कि कुल खर्च एतेक तक कैल जायत जाहिमें वरपक्ष के तरफ सऽ एतेक आ कन्यापक्षके तरफ सऽ एतेक।

विधि-व्यवहार:
परंपरानुसार जिनकर जे मान्यता होइन आ ताहि में जे जाहि धर्मके निर्वाह हेतु तैयार होइथ तेकर सम्मान एक-दोसर पक्ष समाजके प्रत्यक्ष पर्यवेक्षण में अवश्य करैथ। जाहि विधि-व्यवहार करयमें अनावश्यक दबाव वा कंजूसी भऽ रहल हो ताहिठाम समाजके निर्णय अन्तिम मानैथ। विधि-व्यवहार लेल दुनू पक्ष अपन परंपराके देखैथ लेकिन आदर्श सिद्धान्त अनुरूप ई खर्चसीमा ५,०००.०० अधिकतम हो! लड़का-लड़कीके लेल आवश्यक परिधान अनिवार्य हो, तदोपरान्त हर वस्तु स्वेच्छिक रूप सऽ एक-दोसर पक्ष लेन-देन करैथ।

वैवाहिक संस्कार:
वैदिक वा अन्य परंपरा जाहिमें स्वयं के इच्छा आ समाज के सहमति दुनू देखल जाय आ ताहि अनुरूपें कैल जाय। जाहि अभिभावक केँ आवश्यक खर्च हेतु साधन नहि छन्हि हुनका सभके लेल हर गाममें एक सामूहिक विवाह के समय निश्चित हो आ ताहि समय पर एहेन विवाह सम्पन्न कैल जाय। एहि तरहक व्यवस्थापन लेल जे कोनो संस्था, व्यक्ति, समिति, आदि तैयार हो ताहि संस्थाके सामूहिक सहयोग दैत आयोजन कैल जाय। एक सामूहिक विवाह के पवित्र यज्ञ समान मान्यता भेटय आ एहिमें समस्त समाजके लोक बैढ-चैढके भाग लैथ। घरही किछु सहयोग जरुर संकलन कैल जाय।

बरियाती:
आजुक बदलल परिवेशमें ओना तऽ बरियाती के केवल विवाहके राइत मात्र स्वागत-सत्कार करैत विदाई के परंपरा सर्वमान्य एवं सुविधापूर्ण बनि गेल अछि, तथापि दूरके बरियातीके संग न्याय करैत कम से कम विश्राम के व्यवस्था आ भिन्सर हल्का ताजा ताजगी हेतु आवश्यक खानपानके सहित इन्तजाम करैत कैल जाय। परन्तु समाजके आदेश अन्तिम व समझौतामें एहि बात के उल्लेख आवश्यक। बरियाती के संख्या कोनो हाल में २५ सऽ बेसी नहि हो! यदि बेटाके विवाहमें बरियाती २५ सँ बेसी होइछ तखन बेटीवाला के आवश्यक खर्च बेटावाला उपलब्ध कराबैथ। यदि एक सांझ सऽ बेसी बरियाती ठहरब मजबूरी छैक तखनहु बेटावाला उपरिव्ययके भार गछैथ।

सोहाग:
मिथिलामें हिन्दू विवाह पद्धतिमें वर-कन्याके वैदिक विधिसँ विवाह भेला उपरान्त वरके पिता वा अभिभावक के समक्ष सेनुरदान आ तदोपरान्त कन्याके माथ पर आशीषस्वरूप में घोघट देबाक परंपरा छैक जाहिमें विवाह के साक्षी बनैत दान कैल कन्याके अपनायब आ हुनक इज्जतके अपन मर्यादापूर्ण व्यवहार सँ रक्षा करब से प्रतिबद्धता अभिव्यक्त करब समान छैक। एहि समय जे कोनो लेन-देन होइत छैक ताहिमें स्वेच्छाचार आ समाजिक मर्यादाके न्युनतम माँग पूरा होयब आवश्यक छैक, एहि लेल वर-पक्ष स्वतन्त्र हेबाक चाही आ कोनो प्रकार के टीका-टिप्पणीके प्रचलन समाप्त हेबाक चाही। सोहाग देबाक क्रममें बरियातीगण सेहो स्वतन्त्रता संग स्वेच्छा सँ जे किछु कन्याके हाथ में आशीषस्वरूप रखैत छथि ताहिके सम्मान हेबाक चाही। एहिमें विदाई के लोभ वा अन्तर-इच्छा सँ कोनो प्रकार के लेनदेन नहि हेबाक चाही। सामूहिक विवाहमें सोहाग लेल प्रायोजक अनुरूप कार्य कैल जाय। एहिमें समाजके सहयोग अपरिहार्य आ समाज के निर्णय अन्तिम होयबाक चाही।

चतुर्थी के भार:
जे आवश्यक विधि छैक तेकर पूर्ति सम्बन्धित पक्ष आपसी मेल-मिलाप सऽ करैथ, कोनो दबाव व आडंबर के हतोत्साह करबाक चाही। सामूहिक विवाहमें एहि तरहक समस्त विधि-व्यवहार के कटौती हो।

मधुश्रावणी में साँठ:
एहिमें सेहो कोनो पक्ष द्वारा दोसर पक्ष पर आडंबरी भार नहि वरन्‌ स्वेच्छा एवं परिस्थिति अनुरूप कार्य करबाक लेल प्रोत्साहित करैथ, एहेन व्यवहार हेबाक चाही। सामूहिक विवाहमें एहि तरहक समस्त विधि-व्यवहार के कटौती हो।

कोजगरा के भार:
प्रचलित मखान-मिठाई के वितरण हेतु जतेक संभव हो ततेक भार प्रदान कैल जाय, स्वेच्छा सर्वोपरि। सामूहिक विवाहमें एहि तरहक अतिरिक्त भार के कटौती हो।

द्विरागमन:
लड़कीके पिता/अभिभावक के तरफ सँ आवश्यक सामान जे एक गृहस्थीके बसाबय लेल देल जाइछ तेकर शुद्ध स्वरूप के निर्वहन हो।
            
           (अपनेक   नजरि में  यदि  कियो / कोनो  भी  वैक्ति ,  आदर्श  ब्याह केन  छैथि ,  त   हुनक  नाम - ------  ,  पिता  के  नाम --------, गामक  अता - पत्ता ------  के    संग ,   फोन न०   देल करी  दहेज़ मुक्त मिथिला  परिवार  अपनेक  आभारी  रहत , यदि  सम्भव होईक त   एगो  फोटो   सेहो  देल  करी   , जय  मिथिला  , जय  भारत )

डा. अरविन्द झा, कृष्णानन्द चौधरी, भावेन्द्र मिश्र, बिरेन्द्र कुमार मेहता, पंकज झा, अमन झा, मदन कुमार ठाकुर, नवीन ठाकुर, सुभाष मिश्र, निराजन झा, विकास ठाकोर, चन्दन झा, रमण झा, रोशन झा, चक्रधर झा आ संजय चौधरी केँ विशेष धन्यवाद जे अपन अमूल्य सुझाव पठाय उपरोक्त सिद्धान्त प्रतिपादनमें सहयोग केने छथि।

अपने लोकनि सँ सेहो निवेदन जे अपन-अपन सुझाव शीघ्र पठाबी: मेल करी e mail- dahejmuktmithila@gmail.com ,madankumarthakur@gmail.com ,pravin112@hotmail.com या फेर कमेन्ट करी फेसबुक के निम्न लिंक पर:

मंगलवार, 25 मार्च 2014

नागदह पोखड़िक उद्भव आ वर्तमान








जतवे पुरान अछि नागदह गाम ओतवे पुरान छि नागदहक पोखड़िनागदह  बलाइन एकेपंचायत में पड़ैत अछि .हालाँकि स्वर्गीय डॉ०सुभद्रा झाक लिखल एक गोट पोथीक संदर्भानुसार बलाइन गाँओक प्राचीन नाम छलैक ‘बएनागढ़’तथा तकर सटल नागदहक रेवेन्यू नाम  थिकैकमालगढ़’नागदहक पोखड़िक सम्बन्ध में जेकिछु बुजुर्ग लोकनि सँ  ज्ञात अछि  प्रायः एहीतरहे अछि:-           एही गाँव में कियो दू वा तीन भैयारी रहथिजखनहुनका लोकनिकेँ आपस में यथा - जात केबंटवारा  होमय लागल  दू वा तीन ठाम बाँटलजाय  स्वतः तीन वा चारि ठाम  जायल करैक. क्रम प्रायः कतेको बेर भेलगामक लोककेँ बड़ाआश्चर्य लगलन्हि जे भाग / कुड़ी जखन दू वा तीनठाम लगैत अछि  एक भाग स्वतः कियाक बढ़ीजाइत अछि.तखन एकगोट विद्वान -वुजुर्ग हाथजोड़ी निहोरा केलाह जे यदि एही में किनको भागअछि जे अदृश्य छि  कृपाकअपन स्थान परआबि वा प्रकट होय कहला उपरान्त जे भाग बढ़ी जायल  करैक ओहि भाग पर फुफकार मारैतनाग सांप साक्षात् विराजमान भय बैस गेलाह.  ओहिराईत किनको स्वप्न भेलनि जे हमर भागकभूमि पर पोखड़ि होयबाक चाहितैं ओहीभागानुकुल पोखड़ि अछिमिथिला में सुनैत छि जेकतेको पोखड़ि दैत्यक खूनल अछि एकरो सम्बन्धमें कियो - कियो बजैत छथि परन्तु स्पष्ट नहिपोखड़ि मिथिलाक कतेको विशाल पोखड़ि में सँएक अछिकरीब २० एकड़ जकर खाता नम्बर ३७७ आ खेसरा नम्बर ९९३ ई कहिया केना पंजीकृत भेल से त' सर्वे कार्यालय सँ पता कराय पड़त. ई बात कोन समय के अछि से एखन धरी स्पष्ट रूपे ज्ञात नहि. ओना लोकानुकूल एही घटना के बाद एही गामक नाम नागदह पड़ल. एही मान्यता के आधार मानैत जे ई पूर्ण रूपे नागडीह अछि. वर्तमान में  नागदह अछि अर्थात नागक डीह.इ बात सत्य अछि जे एही गाम में नागक संख्या बहुत छल आ अछि हम अपने साक्षात् कतेको दिन नागकेँ जोड़ खेलाइत देखने छी.जेना स्वर्गीय डॉ० सुभद्रा झा अपन एक गोट पुस्तक में लिखने छथि ताहि अनुकूल नागदह नाम सँ पहिने कदाचिद एही गामक नाम मालगढ़ छल. तैं ई कहबा में कनमो मात्र अतिश्योक्ति नहि होयबाक चाही, जे जहियासँ गामक नाम नागदह पड़ल ताहि समयसँ ई पोखड़ी उद्भव अछि. कदाचिद कहीं एहन नै होई जे नागदह गामक उम्र ई पोखड़ी संग जुड़ल हो. 
एक महातिचारक अन्त भेला पर शुद्धिक समय विकराल महा अकाल पड़ल छल. सौराठ सभामें आगत ब्राम्हण लोकनकिकें ग्रासक कोनोटा व्यवस्था नहि करबाक परिस्थितिमें महाराज माधवसिंह सदिच्छाक अनुसार प्राप्त स्मरणीय मोदी झा समस्त सभैताक भोजनक व्यवस्था कएल. तथा हुनके इच्छानुसार ओहि साल सभा सौराठ में नहि लगाए नागदहमे पोखड़िक पुवरीआ भीड़ पर लगाओल गेल, इ बात हमरा स्वर्गीय डॉ सुभद्रा झा कहने छलथि. 
नागदहक पोखड़ी ओहि परोपट्टा में सबसँ विशालपोखड़ि अछिसुनैत छीएही पोखड़ि सँ पैघ'बभनदईबासोपट्टीक पोखड़ि अछिनगदहकपोखड़ि के करीब २० वर्ष पहिने चारु कात भीड़छल,परन्तु आजुक समय में प्रायः चारु कात घरआँगन अछि  विस्तृत भेल जा रहल अछिएहीपोखड़िक जलक स्रोत दू टा थिकएक  प्राकृतिकरूपे वर्षा  दोसर कमला सँ निकलल नहरओहिमें आयल बाढ़ि सँ नहरक माध्यम सँ एहीपोखड़िक जलाशय उम-डाम  जाईत अछि.  तदोपरांत बाढ़िक खतरा नागदह पर नहि पड़ैत छैक,गामक आवासीय भागक भूमि उँचस्थ छैक.एकटा समय छल जखन पोखड़िक जलाशय कम जाइत छल , गामक गरीब वर्ग लोकनिथोड़ेक -थोड़ेक  पोखरिक जगह छेक ओहि में जीविकाक लेल मडुआ  समयानुसारे किछु -किछुउपजाबैत छलाह
बलाइनक मलाह लोकनिकें लेल  पोखड़िजीविकोपार्जनक प्रमुख माध्यम छलनिपोखड़िदेखबा में कोनो विशाल महानदीसन बुझना जाइतछलसालोभरी मलाह लोकनि जाल महाजालसँ पोखड़ि सजाऔने रहैत छलाह.कखनोमलेडिया साफ अभियान  कखनो माँछ मारलजयबाक इंतजाम.
भरिदिन गामक बूढ़-बुजुर्ग,युवाबच्चा पोखड़ि मेंनहाइत  चुभकैत रहैत छलाहमाल - जाल सेहोपोखरिक शोभा बढ़ाबईत रहैत छलआइयो धरिगामक विवाह,उपनयन,मुंडन  शुभकृत्य पोखड़िसँ  जुड़ल कर्म एही पोखड़ि सँ होइत अछि.  कदाचिद  नागदह पोखड़िक उद्भव सँ एखन धरि गामक लोककेँ सम्पूर्ण पोखड़ि सँ  सम्बंधित कार्यएही पोखरी सँ पूर्ण होइत आएल अछि
 पोखड़ि नागदह लेल सदा शुभ  शुभाशीष दैतरहैत छथिग्राम देवतास्थान देवता  नागदेवता सदा अपन एही ग्रामीण पर स्नेह बनेने रहैत छथि.  एही पोखरिक दक्षिण-पश्चिम कोन मेंभव्य नागनाथ महादेवक मन्दिर सेहो स्थापितअछिजकर विधिवत स्थापना १९९८ मेंभेल,यदपि शिवलिंग  स्थान बहुत पहिने सँओहिठाम छल.
पोखड़िक बर्तमान हालात कहबा सुनबा योग्य नहिअछिजाहि पोखड़िक देख - भाल कतेको सौ -साल सँ नहि भेल हो तकर हाल कि कहल जा सकैछ ?   मात्र सोचलापरान्त मानसिक पटल परआवीगेल होयतकहियो कोनो सरकार एही पोखड़िकें जीर्णोद्धारक वास्ते डेग नहि उठेलथिएहनास्थितिमें पोखड़िक गहराई कम भेनाइ  स्वाभाविके थिकपोखड़ि प्रायः अपन रकवा में ३० % (तीस भाग ) भरि चुकल अछि, कतेक शीघ्र भरि जाएत से कहल नहि जा सकैछकारनअतिक्रमण बहुत जोर शोर सँ ' रहल अछिजे लोक जाहि दिशा में  छथि  ओहि भाग पोखड़िभरनाई शुरू चुकल छथि कार्य युद्धस्तर सँ ' रहल अछिकारन  पोखरिक गिनती किनको व्यक्तिगत नहि अपितु सरकारी में होइत अछितै रोकत केबाजत के ?   थिक वर्तमानमें नागदहक पोखड़िक स्थिति.
मिथिला क्षेत्र में बिहार सरकारक उपेक्षा सतत रहल अछिपरन्तु एही दिशा में मिथिलाकविद्वतजनक आँखि प्रायः एखनो धरी बन्न अछिजौं अपन आँखि नहि फूजल रहत  दोसर सँकि आस ? मिथिलावासी लोकनि सँ आग्रह करैत छी जे अपन धरोहर के बचाबक बास्ते हम सबआगा बढ़िनहि  दिन दूर नहि जखन हमर सभक आदि गुरु बाबा विद्यापतिक लिखितपंक्ति ' पग पग पोखड़ि पान मखान ,सरस बोल मुस्की मुस्कानभविष्य में झूठ सावित 'जाएतकारन जखन पोखड़ि  नहि त’ मखान कतए सँ ? अस्तु

संजय कुमार झा 'नागदह '
दिनांक : २० /१२२०१३
दिल्ली
फोन : ८०१०२१८०२२