dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

AAP SABHI DESH WASHIYO KO SWATANTRAT DIWAS KI HARDIK SHUBH KAMNAE

बुधवार, 1 फ़रवरी 2012

मिथिलांगन केर नव अंक उपलब्ध

दिल्ली सं प्रकाशित त्रैमासिक पत्रिका मिथिलांगन केर अक्टूबर-मार्च अंक प्रकाशित भ गेल अछि। एहि संयुक्तांकक मुख्य आकर्षण पर एक नजरिः 
1. मिथिलांगन संस्थाक 20 बरख पूर्ण भेलाक उपलक्ष्य मे,संस्थाक सचिव जीक संदेश। 
2. महर्षि ऋषभ रचित अमोघ शिव कवच पर श्री महेश्वर प्रसाद कंठ जीक आलेख। 
3. स्थायी-स्तंभ चर-चित मे,नीतीश कें गेट्स फाउंडेशन द्वारा पुरस्कृत कएल जएबाक,बिहार मे बिजलीक स्थिति,बिहारक माछक निर्यात संभावना आर सुपर 30 मैन आनंद कुमार पर फिल्म बनबाक संभावना पर गोविन्द चन्द्र दास जीक संक्षिप्त चर्चा। 
4. मानवर्द्धन कंठ जीक आवरण आलेखः ओ दरभंगा ई दरभंगा 
5. ताशकंद यात्रा पर जनक किशोर लाल दास जीक सचित्र वृतांत। 
6. भामती उपन्यासक लेल 2010 केर साहित्य अकादमी पुरस्कार सं सम्मानित श्रीमती ऊषा किरण खान जी सं गोविन्द चंद्र दास जीक नम्हर साक्षात्कार जाहि मे ओ कतेको विषय पर अपन विचार व्यक्त कएने छथि। 
7. मिथिलाक जीवन पद्धति पर वेदक छायाः हरिदेव झा 8. कवि-कोकिल विद्यापतिक कृष्ण-भावनाः डा. परमानन्द लाभ 
9. श्रीमती इंदू दास जीक कथाः रंग बरसे 
10. मणिपद्म जयंती पर मिथिलांगन द्वारा आयोजित कवि सम्मेलन विषयक रिपोर्ट 
11. स्थायी स्तंभ घोर तर सं मे श्रीमती मधु केर अनुभवःकनियां बदलि गेलै 
12. श्रीमती सरिता दास जी बता रहल छथि पपीता,नारियल,सूजी आ चूरमा सं लड्डू बनएबाक विधि। 
13. शिक्षा केर नारी द्वारा दुरूपयोग पर विनीता मल्लिक जीक विचार। 
14. व्यंग्य-विनोद मे,किशन कारीगर जीक आलेखःकिरीम लगाउ,मुंह चमकाउ 
15. रवीन्द्र लाल दास सुमन जीक तुरंता। 
16. श्री के.एन. दास जीक कार्टून। 
17. सुश्री अनुष्का कर्ण केर बाल कविताःसीख सकी त सीखू 
18. चैतन्य मल्लिक बता रहल छथि जे संकल्पक महत्व की छैक। 
19. पुस्तक-समीक्षाः किस्त-किस्त जीवन 
20. मैथिली आ मिथिला समाज पर शंभू शंकर जी केर विस्तृत विमर्श। 
21. प्रतिभा-विकास मे मिथिलांगन संस्थाक योगदान पर गायिका सुश्री राखी दास जी केर अनुभव। 
22. मिथिलांगन भाषणमाला श्रृंखलाक अंतर्गत,श्रीद्वय सुंदरम् आ शंभू शंकर जीक विचार। 
23. मिथिलांगन संस्था मे डाक्टर ललित कुमुद जीक आगमन विषयक विनीता मल्लिक जीक रिपोर्ट। 
24. लाल दास जयंती पर खड़ौआ सं राजीव कुमार जीक रिपोर्ट। 
25. मिथिलांगन संस्था द्वारा निःशुल्क नेत्र जांच एवं आपरेशन शिविर केर अपार सफलता विषयक रिपोर्ट। 
26. श्री संजय चौधरी जीक निर्देशन मे, मिथिलांगन द्वारा मंचित नाटक छुतहा घैल केर रिपोर्ट। 
27. कनकपुरा गाम मे तुलसी जयंती समारोह पर डाक्टर जनक किशोर लाल दास जीक रिपोर्ट। 
28. अपनेक मंतव्य की अछि स्तंभ मे, फर्जी डाक्टर सभ पर विचार आमंत्रित कएल गेल अछि। तमाम तरहक घोटाला पर पछिला अंक मे आमंत्रित मंतव्य पर विनीता मल्लिक जीक विचार। 
29. नारी सम्मान पर श्री ब्रह्मदेव लाल दास जीक कविता-गीत। 
30. अर्जुन नारायण चौधरी जीक नववर्ष विषयक स्वागत-गीत। 
31. स्थायी स्तंभ बुझौअलि प्रस्तुत कएने छथि नीता दास। 
32. स्थायी स्तंभ ई दिल्ली अछि मे,रवीन्द्र लाल दास जीक प्रश्नःनगर निगम आकि रगड़ निगम? 

ज्ञातव्य जे पत्रिका ए-40,कैलाश अपार्टमेंट्स,प्लॉट नम्बर-2,सेक्टर-4,द्वारका,नई दिल्ली-110078 सं प्रकाशित होइत अछि। एक प्रति केर कीमत मात्र 20 टाका अछि। पत्रिका देया विस्तृत जानकारी 09868182535, 09312301160 आ 09810450229 पर प्राप्त कएल जा सकैछ। 

स्वास्थ्य विषयक ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि।

कोई टिप्पणी नहीं: