dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

शुक्रवार, 9 सितंबर 2011

दिल्ली मे प्रथम मैथिली कवि सम्मेलन 11 सितम्बर कए


दिल्ली केर प्रख्यात सामाजिक-सांस्कृतिक संस्था- मिथिलांगन पछिला किछु बरख सं नामी साहित्यकार डाक्टर ब्रजकिशोर वर्मा मणिपद्म केर जयंतीक उपलक्ष्य मे कोनो ने कोनो कार्यक्रम करैत रहल अछि। एहि अवसर पर ई संस्था नैका बनिजारा(2007),उगना हाल्ट(2008),सामा चकेवा(2009) आ पछिला बरख छुतहा घैल नाटकक बहुचर्चित-बहुप्रशंसित आयोजन कएने छल। एहि बेर मिथिलांगन मैथिली कवि गोष्ठी केर आयोजन क रहल अछि।
ओना तं मैथिली-भोजपुरी अकादमी दिल्ली मे द्विभाषिक कवि सम्मेलन आयोजित करैत रहल अछि,मुदा ई पहिल बेर अछि जे दिल्ली मे कोनो संस्था मूलतः मैथिली कवि सम्मेलन कें आयोजन ल कए उपस्थित भेल अछि। आमंत्रित कविगण छथि-बिहार सरकारक फारेंसिक विभागक पूर्व अधिकारी डाक्टर ललित कुमुद,मिथिलाक महादेवीक रूप मे मशहूर डाक्टर शेफालिका वर्मा,मशहूर रवीन्द्र-महेन्द्र जोड़ी केर श्री रवीन्द्र नाथ ठाकुर,मैथिल शुभ-संस्कार आ विधि-विधान पर गीत लिखिकए अद्वितीय काज कएनिहार श्री ब्रह्मदेव लाल दास(मिथिलांगन हिनका पर मधुचंद्रिका नामक सीडी निकालि चुकल अछि),मैथिलीक सभ पत्रिका मे छपि चुकल (अंग्रेजियो मे प्रकाशित) नामी कवि श्री शारदान्द दास परिमल,मिथिलांगनक कर्ता-धर्ता आ अपन तुरंताक लेल प्रसिद्ध श्री रवीन्द्र लाल दास सुमन,नाटककार आ स्वतंत्र पत्रकार श्री कुमार शैलेन्द्र,हिंदुस्तान मे वरिष्ठ समाचार संपादक श्री मानवर्द्धन कंठ,अमर उजाला मे कार्यरत श्री रमण कुमार सिंह,राष्ट्रीय सहारा मे कार्यरत कवि-समीक्षक श्री विनीत उत्पल,दूरदर्शन मे कार्यरत,श्री किशन कारीगर,मिथिलांगन मे शारीरिक-बौद्धिक दुनू स्तर पर अत्यन्त सक्रिय श्रीमती विनीता मल्लिक आ हालहि मे लांच भेल समाचार चैनल न्यूज एक्सप्रेस मे कार्यरत आ नवोदित सुश्री स्तुति नारायण।
स्थान रहत सत्याग्रह मंडप,गांधी दर्शन,निकट राजघाट आ समय सांझ छओ बजे।
आउ,मिथिलांगनक हकार स्वीकार कए, सभ आयुवर्गक आ बहुविधप्रतिभा संपन्न कवि लोकनि कें सुनैत मैथिली कवि-गोष्ठीक आनंद ली। 

कोई टिप्पणी नहीं: