dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

मंगलवार, 16 सितंबर 2014

मैथिली चलचित्र 'हाफ़- मर्डर' केर 'स्नीक-पीक' प्रीव्यू स्क्रीनिंग कार्यक्रम

सोम दिन 15 सितम्बर 2014 क' लोधी रोड दिल्ली स्थित लोक कला मंचक वासुकि सभागार में नव-निर्मित मैथिली चलचित्र 'हाफ़- मर्डर' केर 'स्नीक-पीक' प्रीव्यू स्क्रीनिंग कार्यक्रम केर आयोजन कयल गेल छल। मनीष बौआ भाई केर सुन्दर सधल संचालन आ विभय झाक संयोजन में एहि कार्यक्रम के उदघाटन वरिष्ठ पुलिस अधिकारी श्री संजय कुमार झा केर कर-कमल स' संपन्न भेल। बहुचर्चित मधुबनी काण्ड पर आधारित एहि सिनेमाक निर्देशक श्री रमानाथ झा आ सह- निर्माता श्री आदित्य मिश्र जी छथि। विभिन्न प्रकारक विवादित चर्चा जहिना मधुबनी काण्ड के संग रहल तहिना किछु एहि सिनेमाक संग सेहो रहल मुदा नीक हाथ में आबि ई चलचित्र आब रिलीज़ के लेल तैयार अछि अपन पूर्णताक संग। बड्ड रास सिनेमा बनल एखन धरि मैथिली में लेकिन एखनो तक मैथिली सिनेमा के ओ पहचान या 'रेकोग्निशन' नहि भेट सकल अछि जेकर ओ हकदार अछि। मुदा 'हाफ-मर्डर' पर जतबा मेहनत कयल गेल अछि ओ एकरा एकटा अलग श्रेणी के सिनेमा में राखैत अछि। एकर गीत-संगीत, ध्वनि- गुणवत्ता, फिल्मांकन आ सिचुएशनल पार्श्व संगीत एकर मजगूत पक्ष अछि। नामी गिरामी गायक जेना सर्वश्री रविन्द्र जैन, मो. अज़ीज़, कुमार शानू, शान, कविता कृष्णमूर्ति, उदित नारायण झा, ज्ञानेश्वर दुबे आ सुनील पवन जी इत्यादि द्वारा गाओल गीत में स' किछु गीत बेहद कर्णप्रिय बनि गेल अछि आ बेर बेर सुनवाक मोन होइछ। जल्दिये ई गीत सब मिथिला में लोकप्रिय भ जायत एहना बुझना जाइछ। कुशल अभिनय आ निर्देशन स' सजल सत्य घटना पर आधारित ई फ़िल्म अंत तक दर्शक के बाइन्ह क' रखबा में सफल होइत अछि। कुल मिला क' ई कही त'
कोनो अतिशयोक्ति नै हैत जे बड्ड दिनक बाद एकटा नीक मैथिली सिनेमा आयल अछि जेकरा पूरा परिवारक संग सिनेमा हॉल में देखल जा सकैछ। सिनेमा किछु अनुत्तरित सवाल सेहो छोड़ैत अछि मुदा सभवतः ओ अहू बातक द्योतक भ' सकैछ जे एकर सफलता देखैत एकर दोसर भाग या सिक्वेल बनय कालान्तर में। कदाचित ओ 'फुल-मर्डर' हो.....! सिनेमा एकटा नीक सन्देशक संग ख़तम होइत अछि जे समाज के नीक आ वेजैह में फ़र्कक संग सुधारक लेल प्रेरित करैत अछि। मिथिला आ मैथिली आन्दोलन तथा भाषा के सशक्त करवाक दिशा में मैथिली सिनेमा के बड्ड पैघ योगदान भ' सकैछ। ताहि हेतु धन्यवादक पात्र छथि एहन पुनीत प्रयास करय वाला मैथिल पूत। हमर शुभकामना अछि जे हाफ़- मर्डर सिनेमा नव कीर्तिमान स्थापित करय संगहि हम धन्यवाद दैत छियनि आयोजक के हमरा एहि सिनेमाक प्रीमियर पर आमंत्रित करवाक हेतु ।

1 टिप्पणी:

रविकर ने कहा…


आपकी उत्कृष्ट प्रस्तुति बुधवार के - चर्चा मंच पर ।।