dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

AAP SABHI DESH WASHIYO KO SWATANTRAT DIWAS KI HARDIK SHUBH KAMNAE

मंगलवार, 7 अगस्त 2018

दिगम्बर नचारी ।। हमरा ने कहियो देखयलौ ।। गीतकार - रेवती रमण झा "रमण"

                                                                  ||   दिगम्बर नचारी  ||
                                      
सुनैछी आहाँ नृत्य - ताण्डव नचै छी
अदभुत नाच कोन कयलौ दिगम्बर ।
           हमरा ने कहियो देखयलौ ।।

हमहूँ  ने  जनलौ   छलिया  अहूँ  छी
मुदा  सब  दिनका  तलिया  अहूँ छी

सब  त  वस्त्र  पिताम्बर   पहिरलनि
आहाँ मृग छाल लपटयलौ दिगम्बर ।
            हमरा ने कहियो देखयलौ ।।

जटा    सं   गंगाक    झरना    झरैया
भाल   पर   दुतियाक   चन्दा   वरैया

अपनों नचैत छलौ , साँपों नचै छल
बुढ़वो वरद  के  नचयलौ दिगम्बर ।
         हमरा ने कहियो देखयलौ ।।

मुण्डक  माल   उर   धरि  लपटयलौ
माहुर   कंठ  धरि   खकय   पचयलौ

आँक     धथुरा      भांग     चबाकय
आहाँ त्रिलोकी   कहयलौ  दिगम्बर ।
            हमरा ने कहियो देखयलौ ।।

भस्म   चिता   अंग   सगरो   लगौलौ
एक हाथ डिम - डिम डमरू बजौलौ

भुत  पिशाच   सब   संगे   फने  छल
ओकरा कोना क फंसयलौ दिगम्बर ।
            हमरा ने कहियो देखयलौ ।।

सबहक    वेर    अढ़रन    ढ़रलिअई
"रमण" सुमन के कीयक बिसरलि अइ

सबटा के छोरि शिव सेवलौ अहाँ के
  कनियो आहाँ ने सुधि लेलौ दिगम्बर ।
               हमरा ने कहियो देखयलौ ।।

गीतकार
रेवती रमण झा "रमण"
mob- 9997313751


कोई टिप्पणी नहीं: